Pages

Tuesday, December 18, 2012

ज्योतिरीश्वर पूर्व गएर ब्राह्मण-परम्पराक महाकवि विद्यापति (चित्र पनकलाल मंडल) -पनक लाल मण्डलकेँ विदेह सम्मान -चित्रकला लेल -भेटल छन्हि।


ज्योतिरीश्वर पूर्व गएर ब्राह्मण-परम्पराक महाकवि विद्यापति (चित्र पनकलाल मंडल) -पनक लाल मण्डलकेँ विदेह सम्मान -चित्रकला लेल -भेटल छन्हि। 


ज्योतिरीश्वर पूर्व गएर ब्राह्मण-परम्पराक महाकवि विद्यापति (चित्र पनकलाल मंडल) -पनक लाल मण्डलकेँ विदेह सम्मान -चित्रकला लेल -भेटल छन्हि। 

ज्योतिरीश्वर पूर्व गएर ब्राह्मण-परम्पराक महाकवि विद्यापति (चित्र पनकलाल मंडल) -पनक लाल मण्डलकेँ विदेह सम्मान -चित्रकला लेल -भेटल छन्हि। 



मैथिलीक आदिकवि विद्यापति

कवीश्वर ज्योतिरीश्वर(लगभग १२७५-१३५०)सँ पूर्व (कारण ज्योतिरीश्वरक ग्रन्थमे हिनक चर्च अछि), मैथिलीक आदि कवि। संस्कृत आ अवहट्ठक विद्यापति ठक्कुरःसँ भिन्न। सम्भवतः बिस्फी गामक बार्बर कास्टक श्री महेश ठाकुरक पुत्र। समानान्तर परम्पराक बिदापत नाचमे विद्यापति पदावलीक (ज्योतिरीश्वरसँ पूर्वसँ) नृत्य-अभिनय होइत अछि।
बोधि कायस्थ

विद्यापति ठक्कुरःक पुरुष परीक्षामे हिनक गंगालाभक कथा वर्णित अछि। महाकवि विद्यापति (ज्योतिरीश्वर पूर्व मैथिली पदावली सभक लेखक) क विषयमे सेहो गंगालाभक ई कथा प्रचलित आ बादमे विद्यापति ठक्कुरक (संस्कृत आ अवहट्ठक लेखक) विषयमे सेहो गंगालाभक ई कथा प्रचलित भेल।
महाराज शिव सिंह

मिथिला नरेश विद्यापति ठक्कुरः (संस्कृत आ अवहट्ठक लेखक)क आश्रयदाता ओइनवार वंशक महाराज शिव सिंह।
उगना महादेव

महादेव (उगनारूपी) विद्यापतिक अहिठाम गीत सुनबा लेल उगना नोकर बनि रहैत छलाह। मैथिलीक आदिकवि विद्यापति (ज्योतिरीश्वर पूर्व) आ विद्यापति ठक्कुरः (संस्कृत आ अवहट्ठक लेखक आ राजा शिवसिंहक दरबारी) दुनूसँ सम्बद्ध कऽ उगनाक ई कथा प्रसिद्ध भेल।
महाकवि विद्यापति ठाकुर 1350-1435

विद्यापति ठक्कुरः 1350-1435 विषएवार बिस्फी-काश्यप (राजा शिवसिंहक दरबारी) आ संस्कृत आ अवहट्ठ लेखक। कीर्तिलता, कीर्तिपताका, पुरुष परीक्षा, गोरक्षविजय, लिखनावली आदि ग्रंथ समेत विपुल संख्यामे कालजयी रचना। ई मैथिलीक आदिकवि विद्यापति (ज्योतिरीश्वर पूर्व)सँ भिन्न छथि।

Friday, October 5, 2012

नेना लेल सुन्‍दर चि‍त्रकथा :: दुर्गानन्‍द मण्‍डल



श्रीमती प्रीति‍ ठाकुरक दू गोट चि‍त्रकथा (पहि‍ल गोनू झा आ आन मैथि‍ली चि‍त्रकथा, दोसर मैथि‍ली चि‍त्रकथा) मैथि‍ली साहि‍त्‍यमे पहि‍ल बेर श्रुति‍ प्रकाशन नई दि‍ल्‍लीसँ प्रकाशि‍त भेल। दुनू चि‍त्रकथा एक संग श्री उमेश मण्‍डल जीक माध्‍यमे भेटल। एक-आधटा पन्ना उनटैबि‍ते मन गद्-गद भऽ गेल। लागल जे आब हम मैथि‍ल दरि‍द्र नै सभ कथुसँ सम्‍पन्न भऽ रहल छी। साहि‍त्‍यक तँ अनेको वि‍धा होइ अछि‍ जइमे कथा एक वि‍धा थि‍क तहूमे चि‍त्रकथा तँ बाल साहि‍त्‍य लेल प्रमुख। चि‍त्रकथाक माध्‍यमसँ अपन भूलल-बि‍सरल संस्‍कृति‍क झलक सेहो भेटैत अछि‍। नि‍श्चि‍त रूपे मैथि‍ली साहि‍त्‍यमे एकर अभाव बहुत दि‍नसँ खटैक रहल छल। जेकरा श्रीमती प्रीति‍ ठाकुर अपन चि‍त्र कथा मैथि‍ल समाजक बीच राखि‍ एकटा असीम प्रति‍भाक परि‍चय देलनि‍ अछि‍।
बुझना जाइ छल जेना हम अपनेकेँ स्‍वयं वि‍सरि‍ गेल छी। वि‍सरि‍ गेल रही ओइ समैकेँ जइ समैमे मैयाँ अपन पोता-पोती लऽ जा कऽ घूड़ लग बैसि‍ गोनू झाक खि‍स्‍सा सुनबैत छलीह जे अति‍ मनोरंजक आ गोनूक तीव्र बुधि‍क परि‍चायक छल। तहि‍ना आनो आनो कथा जेकरा प्रीति‍ जी चि‍त्रवत् कऽ हमरा लोकनि‍क साेझामे रखलीह। जइमे रेशमा-चूहरमल, नैका बनि‍जारा, ज्‍योति‍ पंजि‍यार, महुआ घटवारि‍न, राजा सलहेस, छेछण महराज आ कालि‍दास छथि‍। जे कहि‍यो आम छल, आब लुप्‍त प्राय: भेल जा रहल छल, ओकरा एकबेर पुन: परि‍चि‍त करौलनि‍। जइमे लोक जनलक जे रेशमा के आ चूहड़मल के?
एतबे नै, प्रेमक पराकाष्‍ठाक परि‍चयक रूपमे जे लोकक ठोरपर हीर-राांझा वा लैला-मजनू रहैत छल, की ओकरासँ कम निस्‍वार्थ प्रेम रेशमा आ चूहड़मलक छल ई देखेबाकमे साकांक्ष रहलीह। जतए चुहड़मल दुधवंशी दुसाध जाति‍क तँ दोसर तरफ रेशमा भुमि‍हार ब्राह्मण जाति‍क बेटी। जखन जुहड़मलकेँ दंगल जीत कऽ अबैत देखलक तँ दुनूक भेँट गंगाक तटपर, ओतहि‍ प्रेमकथाक प्रारम्‍भ भेल। अर्थात् प्रेममे जाति‍-पाति‍सँ कोनो लेन-देन नै अपि‍तु प्रेम तँ प्रेम थि‍क। प्रेम कएल नै जाइ छै अपने भऽ जाइ छै। तहि‍ना नैका बनि‍जारा सेहो प्रेमेक पराकाष्‍ठाक परि‍चायक छी। भगता ज्‍योति‍ पंजि‍यार अपन वीरता आ पराक्रमक कारणे पूि‍जत भेल। आइ जँ धर्मराजक पूजा तँ ज्‍योति‍ पंजि‍यार सेहो पूजि‍त छथि‍। धर्मराजक भक्‍त ज्‍योति‍ पंजि‍यार बारह बर्खक तपस्‍याक बाद कंचन काया लऽ कऽ घूमि‍ घर एलाह। माइक कोखि‍ पवि‍त्र भेल। जे एहेन पैघ भगता ओकरा कोखि‍सँ जनमल।
तहि‍ना महुआ घटवारि‍न सेहो अपन इज्‍जत बचाबए खाति‍र कौशि‍की धारमे जान गमा अपन सतीत्‍वकेँ अकि‍ंचन बना कऽ रखलीह। राज सलहेसक कथा तँ नाचो रूपमे प्रसि‍द्ध अछि‍। जेकरा प्रीति‍जी चि‍त्रवत् कऽ इति‍हास बना देलनि‍। एकटा धरोहरक रूप दऽ देलथि‍। अनचि‍न्‍हार जकाँ छेछन महराज कथाक संग कालि‍दासक चि‍त्र कथा आ हुनक यादव कुलमे जन्‍म हएब, हुनक यर्थाथ परि‍चए भेल। बहुतोकेँ ई बूझल हेतनि‍ जे कालि‍दास तँ कर्ण-कायस्‍थ छलाह। ऐ लेल सेहो प्रीति‍ जीकेँ धन्‍यवाद।
प्रीति‍ जीक दोसर रचना मैथि‍ली चि‍त्रकथामे कुल दस गोट कथा वर्णित अछि‍। जइमे राजा सलहेस, बोधि‍ कायस्‍थ, दीना-भदरी, नैका-बनि‍जारा, वि‍द्यापति‍क आयु अवसान प्रमुख अछि‍। ऐ प्रकारे दुनू चि‍त्रकथा पढ़लापर एहेन लागल जे ई कथा सभ ऐति‍हासि‍क महत पाओत। ऐ प्रकारक रचनाक सर्वथा अभाव सन छल। जेकरा प्रीति‍जी हमरा सबहक समक्ष राखि‍ एकरा धरोहरि‍ स्‍वरूप महत देलनि‍। ऐ पोथीकेँ नैना-भुटुकाक पहि‍ल पसि‍न कहल जा सकैत अछि‍। खास कऽ जे बच्‍चा नंदन, वालहंश, वा अन्‍य पोथी पढ़बाक हि‍स्‍सक लगौने छल आब ओ लेखि‍का द्वारा रचि‍त रचनासँ लाभ उठाओत। पोथीक प्रत्‍येक चि‍त्र तथ्‍यात्‍मक आ उद्देश्‍यपरक अछि‍। चि‍त्रकथाक माध्‍यमसँ प्रीति‍जी मि‍थि‍लाक वि‍लुप्‍त प्राय भेल वि‍षय-वस्‍तुकेँ कथाक रूप दऽ जीवंत कऽ देलनि‍। मैथि‍ली प्रेमी ऐ तरहक रचनाकेँ नजरअंदाज नै कऽ सकैत छथि‍। आबैबला पीढ़ीक लेल ऐ प्रकारक रचना नै मात्र मनोरंजक अपि‍तु प्रेरणादायक सेहो सि‍द्ध हएत। पोथीक सभसँ पैघ बात ई अछि‍ जे प्रत्‍येक चि‍त्र एकटा वि‍शेष अंदाज आ दशाकेँ प्रस्‍तुत करबामे सफल भेल अछि‍ जे लि‍खल गेल पाँति‍क भाव स्‍पष्‍ट कऽ रहल अछि‍। प्राय: सभ जाति‍क लोकक चि‍त्रण ऐ चि‍त्रकथामे समाएल अछि‍। जे प्रीति‍ जीक समन्‍वयवादी सोचक परि‍चायक अछि‍। प्रगति‍शील वि‍चार तँ सहजहि‍। मि‍थि‍ला सभ दि‍नसँ उदारक परि‍चायक रहल मुदा कि‍छु लोक बेवसायि‍क एवं जाति‍वादी सोचक लाड़नि‍ बीचमे चलौलनि‍ आ चलाइयो रहल छथि‍। हमरा हर्ख भऽ रहल अछि‍ ऐ चि‍त्रकथाक लेखि‍कापर जे एतेक सुन्‍दर, सुगम, आ प्रगति‍शील डेग बढ़ा मैथि‍ली साहि‍त्‍यक वि‍कासमे एकटा बेछप स्‍थान बनौलनि‍ अछि‍।
हमर शुभकामना सतत रहत जे प्रीति‍जी ऐ प्रकारक रचना करैत रहती आ श्रुति‍ प्रकाशन प्रकाशि‍त करैत रहत तँ नि‍श्चि‍त रूपेँ मि‍थि‍ला, मैथि‍ली आ मैथि‍लामे रहनि‍हार सभ पूर्णत: समृद्ध भऽ जेताह। 

Monday, September 3, 2012

विभा रानीक नाटक भाग रौ:सामाजिक-राजनीतिक निहितार्थ -रविभूषण पाठक


साहित्यक प्रतिमान बदलैत रहैत अछि मुदा किछु तत्वक निरंतरता बनल रहैत अछि। नाटक साहित्यमे दू तत्वक महत्व कमोबेश स युगमे रहल अछि। प्रासंगिकता आ रंगमंचीयता एहने दू टा तत्व अछि। पहिलक सम्बन्ध मोटामोटी विषयवस्तु आ दोसरक सम्बन्ध शिल्पसँ अछि। विभा रानी लिखित भाग रौक विश्लेषण ऐ दृष्टिसँ कएनाइ उचित अछि।
विभा रानी द्वारा ऐ नाटक मे भिखमंगा बच्चाक जीवन आ समाजक क्रूर दृष्टिक चर्चा कएल गेल अछि। लेखिका द्वारा चयनित विषय वस्तु मैथिलीए मे नइ बल्कि आनो-आन भाषामे विरल अछि। भिखमंगा बच्चा सभ आपसी वार्तामे समाज आ जिनगीक कतिपय क्रूर पक्षसँ परिचय करबैत अछि। समाज, सरकारक साथे-साथ भगवानोसँ उपेक्षित ई बच्चा भारतीय समाज आ राष्ट्रक महानतापर व्यंग्य करैत अछि।
भिखमंगा बच्चा सभ अपन जिनगीक क्षतिपूर्ति गोविन्दा, रितिक रोशन, शाहरूख, अभिषेक आदिक चर्चासँ करैत अछि आ अपन कथात्मक सन्दर्भ मे ई जेहन करूण साबित होइत अछि, रंगमंचीय दृष्टिसँ ओहने कलात्मक। यद्यपि विद्वान लोकनिकें हीरो हीरोइनक ई अतिचर्चा अनसोहात लागि सकैत छन्हि मुदा अपन संदर्भक मध्य ई रूचिगर आ प्रासंगिक बुझाइत अछि।
दानापुर माने दाना सपूरम पूराभाग रौ नाटकक कथा प्रसंग देशक एहने दाना दाना चुगएला ससँ वंचित आ कर्मठ वर्गक कथा छै।
वर्गक ससँ अभिप्सित भूख, चाह आ गंध थिकै रोटीक गंध। पेटमे मरल सनकिरबोक थाह नइ मिललइ, ई देशक नीति-निर्माता आ प्रभु वर्गपर प्रचण्ड प्रहार अछि। भूखल बच्चा ऐ समाजमे अपन स्तर आ महत्वसँ परिचित अछि, दुआरे बच्चा १ कहैत अछि- प्रधानमंत्री छें जे मरि जेबें तदेसक काजधंधा थम्हि जेतै।
नाटकक भाषा विषय-वस्तुक अनुरूप करू आ मारक अछि। तद्भव आ देशज शब्दक बाहुल्य नाटकके रूचिगर आ रंगमंचीय बनेने रहैत अछि।
-सिटी ससाहेब भगेलै तहमरा ओरक भूख-पियासक रंग बदलि गेलै की?, उपरोक्त वाक्यक प्रश्नवाचकता आ कथनगत असंभाव्यता एकटा तनावके जन्म दैत अछि।
भिखमंगा सभ आपसी गपशपमे दूटा महिला राजनीतिज्ञक चर्चा सेहो करैत अछि आ विडंबना ई जे दुनू महिला परिवारवाद आ भारतीय राजनीतिक अनुर्वरताक पोषक छथि। बच्चा सभ कहैत अछि जे पढ़ि की बनब? ई या ई? दुर्भाग्य देखू जे दुनू महिला अपन विद्वता आ नैतिक शक्तिसँ जनमनक नेतृत्व नइ कलक।
एहन समाज आ राजनीति एकटा खास तरहक भाषाक इस्तेमाल करैत अछि। ई भाषा प्रथम दृष्टया अश्लील आ मूलतः असंवेदनशील होइत अछि।
-ई डंडा एमहरसघुसतौ तमुह दने निकलतौ
वर्चस्व, आक्रमण आ यौनविद्वेषसँ भरल ई भाषा एकटा खास सामंती आ मर्दवादी समाजक मानसिकताके पोषित करैत अछि।
ऐ समाजक बुद्धिजीवी एहन भाषाक उपयोग नै करैत अछि मुदा अपन अनुर्वरतामे इहो तेहने अछि। दू टा पत्रकार- युवक आ युवती- अपन शिक्षा आ संस्कारमे किछु अलग अछि मुदा इहो वर्ग सृजनशीलता आ नवोन्मेषसँ पूर्णतः रहित अछि। युवतीमे किछु नया करबाक संभावना अछि मुदा अंधकारक विराट आकाशमे ई संभव नै भेल।
ऐे वर्गक भाषामे एकटा खास किस्मक नफासत अछि। तत्सम बहुलता आ अंग्रेजी शब्द आ वाक्यक बाहुल्यसँ ई वर्ग अपन विशिष्ट अस्तित्व आ रूचिपर बल दैत अछि।
-नॉट ए बैड आइडिया, ही इज डफर, बी पेशेंट, सनक चालू वाक्य रंगमंचीय अछि।
रंगमंचीय उपकरणक रूपमे किछु नव प्रयोग सेहो अछि। नाटकमे समवेत स्वरमे गान या बलाघातसँ किछु खास कहबाक प्रयास कएल गेल अछि।
-हम स किछु नै सकैत छी।, -हमसब.......मात्र पुतली भरि
; ई स अपन संदर्भमे बहुत अर्थवान अछि मुदा ऐठाम रंगमंचीय कौशल सेहो अपेक्षित अछि, अन्यथा अंतिम प्रभाव उड़ियएबाक संभावना अछि।
भाग रौ नाटकक असफलता सेहो स्पष्ट अछि। दोसर अंकक पहिल दृश्यमे मंगतू एक पृष्ठक स्वगत बाजैत अछि। ऐ दृश्यक उद्देश्य स्पष्ट रहितो रंगमंचीयता संदिग्ध अछि। दोसर अंकमे लेखिकाक नियंत्रण नाटकपर कम अछि। भिखमंगाला संदर्भ जतेक जीवंत अछि, ओतेक पत्रकार आ प्रेसला नै। मध्यांतरक बाद ऐ गुरूत्वाकर्षणक कमी एकदम स्पष्ट अछि।
नाटकक अंत एकटा कवितासँ होइत अछि। संयोगवश ऐ कविताक समानता आ समरूपता हिन्दी कवि शमशेर बहादुर सिंहक कविता -काल, तुझसे होड़ है मेरी, सँ बहुत ज्यादा अछि।
शमशेर- काल,
तुझसे होड़ है मेरी: अपराजित तू -
विभा -ओ काल...
अहीं सहँ, अहीं सअछि टक्कर हमर
शमशेर-भाव, भावोपरि
सुख, आनंदोपरि
सत्य, सत्यासत्योपरि
विभा-जे अछि सत्यो सबढ़ि कसत्य
शिवो सबढ़ि कशिव
अमरोसअमर
सुंदरतोससुंदर.....
ई कविता नाटक भाग रौक महत्वपूर्ण भाग नै अछि। तें एकर शमशेरक कवितासँ समानताक कोनो खास महत्व नै अछि। मैथिली नाटकक इतिहासमे विभारानी अपन ऐ नाटकक संग विशेष महत्वक उत्तराधिकारिणी छथि। विषयवस्तुमे नवोन्मेषक संगे-संग ट्रीटमेंटक अभिनवता भाग रौनाटकके उल्लेखनीय बनबैत अछि।

बेचन ठाकुरक नाटक बेटीक अपमान -आशीष अनचिन्हार



हम व्यक्तिगत रुपेँ हरियाणाक प्रायः-प्रायः प्रत्येक कोमे रहल-बसल छी आ तँए स्थानीय जनताक रुपमे हरियाणामे कत्तौ घुसि जाइ छी। एकर हानि हमरा जे भेल हुअए मुदा लाभ एतेक तँ जरुर भेल जे हम स्थानीय परेशानी बुझए लागल छिऐ। ओना हरियाणाक नाम सुनिते मोनमे समृद्धिक नजारा देखाए लगैत छैक। भरल-पुरल खेत सुझाए लगैत छैक। मुदा ठामक स्थानीय समस्या बहरिआ लोककेँ नै बुझल छै। ऐठाम हरेक साल १००-१५० लड़काक बिआह दोसर राज्यक लड़कीसँ होइ छै। जँ सोझ ढगे कही तँ हरियाणाक सेक्स-रेसियो (लिंगानुपात) असमान अछि अर्थात १००० लड़कापर ८५०-९०० लड़की।
आब अहाँ सभ हमरा हूट करबाक सोचि रहल हएब। प्रस्तुत पोथी मैथिलीक अछि आ हम हरियाणाक गप्प कऽ रहल छी से अहाँ सभकेँ उन्टा लागि रहल हएत। मुदा ऐठाम हम ई कहए चाहब जे मात्र स्थान आ मनुख बदलि जाइ छै, मनोवृति आ समस्या वएह रहै छै। आब हम अही समस्याकेँ मिथिलाक परिप्रेक्ष्यमे सोची। बेसी अंतर नै भेटत आ से ऐ द्वारे जे नेपालमे सेहो मिथिला छै। आ भारतक मिथिला आ नेपालक मिथिला दुनूमे बिआह प्रचलित छै। तथापि जँ भारतक हिसाबे सोची तँ बिहारमे १००० लड़कापर ९२१ लड़की छै (ओना जँ २०११ क जनगणनाक प्रोविजनल रिपोर्ट देखब तँ संपूर्ण भारतमे १००० लड़कापर ९४० लड़की छै)।
आ जँ ऐ समस्याक परिप्रेक्ष्यमे विकसित हरियाणा आ अविकसित मिथिलाकेँ देखी तँ कोनो बेसी अंतर नै बुझाएत। अर्थात ऐ समस्यासँ दुनू क्षेत्र ग्रसित अछि। मुदा ई आब विचारए पड़त जे ई समस्या कहाँसँ निकलैत छैक? कोन मनोवृत्तिसँ ई समस्या परचालित होइ छै? आखिर ई कोन दृष्टिकोण छै जइ तहत लोक बेटी नै चाहैत अछि आ ऐ लेल भ्रूण हत्या सन पाप करबासँ सेहो नै हिचकैत अछि? मिथिलाक हिसाबे गप्प करी तँ दहेज प्रथाकेँ एकर जिम्मेदार ठहराओल जा सकैए मुदा हरियाणाक हिसाबें ई कारण ओतेक प्रभावी नै, कारण हरियाणामे दहेज प्रथा नै कऽ बराबर छै। तँए हम दहेजकेँ भ्रूण हत्याक एकटा कारण मानैत छी मुदा प्रमुख कारण नै। हमरा हिसाबे ऐ समस्याक प्रमुख कारण एखनो आधुनिक कालमे बेटाकेँ अनिवार्य मानब अछि। एकरा समाजिक आ आर्थिक दुनू पक्षमे बाँटए पड़त।
समस्या आ साहित्य दुनू एकै चीजक अलग-अलग नाम थिक। बिना समस्या कोनो साहित्य नै भऽ सकैत अछि। आ अंततः साहित्ये कोनो समस्याक समाधान तकैत छैक। मुदा मैथिली साहित्य एकर अपवाद अछि। ऊपर हम देखिए चुकल छी जे कोना मिथिला भ्रूण हत्याक समस्यासँ ग्रसित अछि। तथापि ऐठामक साहित्यकार ऐपर कलम नै चलौलन्हि। घोर आश्चर्यक विषए। आश्चर्यक विषए ईहो जे एहने-एहने समस्यासँ कतिआएल साहित्यकारकेँ आलोचक आ मठाधीश सभ बढ़ाबा देलथि।
कोनो समाज कोनो समस्यासँ कतिआ कऽ बेसी दिन नै रहि सकैत अछि। एकर अनुभव हमरा श्री बेचन ठाकुर लिखित नाटक "बेटीक अपमान" पढ़लापर बुझाएल। आ संगहि-संग ईहो बुझाएल जे आब बेसी दिन मिथिला सूतल नै रहत आ ने बेटीकेँ खराप बुझल जाएत ।


बेचन ठाकुरक नाटक छीनरदेवी -आशीष अनचिन्हार



ऐ नाटकक मादें किछु कहबासँ पहिने ओ गप्प कही जे प्रायः-प्रायः अंतमे कहल जाइ छै। श्रुति प्रकाशन एकटा बड़का काज ठानि लेने अछि- हीरा-मोती-माणिककेँ चुनबाक। आ ऐ मे ई कतेक सफल भेल तकर निर्धारण भविष्य करत, वर्तमान नै, कारण वर्तमान समयक नीति-निर्धारकक इमान शून्य स्तरपर पहुँचि गेल अछि। मुदा एहन-एहन समस्याक अछैतो हमर शुभकामना ऐ प्रकाशनक संग अछि आ विश्वास अछि जे जेना ई धारक दूरी पार केलक अछि तेनाहिते आब ई समुद्रक दूरी पार करत। आ संगहि-संग ऐ नाटककेँ पर अनबामे जनिकर कनेकबो योगदान छन्हि से अशेष धन्यवादक पात्र छथि।
जहिया सनातन धर्ममे पुराण-उपनिषद आगमन भेल रहै, तहिया देवी-देवताक संख्या ३३ करोड़ रहै। आजुक समयमे जखनकि पौराणिक समय बितला बहुत दिन भगेल तखन देवी देवताक संख्या कतेक हएत? हमरा बुझने ३३ करोड़सँ बेसिए। तथापि सुविधाक लेल एकरा यथावत् मानू। आ एतेक देवी-देवताक अछैतो छीनरदेवीक आविर्भाव किए?
उत्तर हम नै देब कारण ई गप्प सभ जनैत छथि मुदा लोक ऐ उत्तरकेँ नुका कऽ रखैत अछि। आ संभवतः छीनरदेवीक ऐ रूपकेँ छिनरधत्त कहल जाइत छै। ओना एकरा बादमे हम निरुपित करब। ओइसँ पहिने एकटा आरो महत्वपूर्ण प्रश्नपर चली। जँ अहाँ श्री बेचन ठाकुर कृत ऐ नाटककेँ नीकसँ पढ़ब तँ ई बुझबामे कोनो भागठ नै रहत जे ऐ नाटकक मूल स्वर अंधविश्वासपर चोट करब छै। आ जखने अहाँ ऐ निष्कर्षपर पहुँचब, अहाँकेँ तुरंते प्रो. हरिमोहन झा मोन पड़ि जेताह, से उम्मेद अछि। आ जखने अहाँकेँ प्रो. झा मोन पड़ताह तखने हमरा मोनमे ई प्रश्न उठत जे प्रो. झा जइ प्रबलतासँ अंधविश्वासपर कलम चलेने छलाह तकरा बाबजूदो ६०-७० साल बाद बेचन जीकेँ ऐपर कलम चलेबाक जरूरति किए पड़लनि? एकर दूटा कारण भऽ सकैत अछि, पहिल जे प्रो. झाक प्रहारक बाबजूदो अंधविश्वास मेटाएल नै (हम ई नै कहि रहल छी जे ई प्रो. झाक हारि थिक कारण हरेक लेखकक एकटा सीमा होइ छै) आ दोसर कारण भऽ सकैत अछि जे बेचन जीकेँ कोनो बिषए नै भेटल होइन्ह आ मजबूरीमे ओ ऐपर कलम उठेने होथि। मुदा आइ जखन गामे-गाम घूमै छी आ ओकर आंतरिक स्थितिकेँ परखैत छी तँ दोसर कारण अपने-आप खत्म भऽ जाइत अछि। आइयो गाम आ अर्धशहरी इलाकामे एलोपैथीक संगे-संग भस्म-विभूति आ ब्रम्हथानक माटि उपचारमे लाल जाइत अछि। आ एकरा संगे ईहो स्पष्ट भऽ जाइत अछि जे प्रो. झाक बादो ई अंधविश्वास मरल नै। आ एहने समयमे हमरा लग ई प्रश्न विकराल रूप धऽ आबि जाइत अछि जे प्रो. झाक बाद जे नाटककार भेलाह (चूँकि बेचन ठाकुर जीक विधा नाटक छन्हि तँए हम नाटकेक दृष्टिसँ गप्प करब) से एतेक दिन धरि की करैत छलाह?
आब हम ऐ प्रश्न सबहक उत्तर ऐठाम नै लिखब। एकर कारण अछि जे हमरा सदासँ विश्वास रहल अछि जे साहित्यिक संदर्भमे वर्तमान समयक उत्तर जँ भविष्यमे प्राप्त हुअए तँ ओ बेसी सटीक आ सार्थक होइ छै। अस्तु श्री बेचन ठाकुर जीसँ मैथिली मंचकेँ बड्ड आस छै आ तइ आसकेँ पूरा करबाक तागति भगवान हुनका देथिन्ह तइ आशाक संग चली हम प्रेक्षक समूहमे।
कोनो नाटक पहिने लिखल जाइए आ तकर बाद ओ टाइप होइए वा सोझे टाइप कएल जाइए आ तकर बाद कखन छपैए, मंचनक बाद वा मंचनक पहिने; ऐ सभमे आब कोनो अन्तर नै रहलै। जॉर्ज बर्नार्ड सॉ शॉर्टहैण्डमे लिखै छलाह आ हुनकर स्टेनो ओकरा लौंगहैण्डमे टाइप करै छलीह। बिनु छपने मैथिली धूर्तसमागम मैथिलीक पहिल पोस्ट मॉडर्न अबसर्ड नाटक अछि। ई तर्क जे छपलाक पहिने मंचन भेलासँ बहुत रास कमी दूर भऽ जाइए, ऐ सन्दर्भमे मलयालम कथाकार बशीरक उदाहरण अछि जे सभ नव छपल संस्करणमे अपन कथामे नीक तत्व अनबाक दृष्टिसँ संशोधन करै छलाह, ई कथामे सम्भव तँ नाटकमे तँ आर सम्भव। तँ सिद्ध भेल जे लिखल जेबाक वा छपि गेलाक बादे नाटकक मंचन हएत से नै; आ मंचनक बाद लिखल वा छपल दुनूमे सुधार सम्भव अछि। बेचन ठाकुरजी रंगमंच निर्देशक सेहो छथि आ विगत २५ बर्खसँ अपन गाममे मैथिली रंगमंचकेँ जियेने छथि बिना कोनो संस्थागत (सरकारी वा गएर सरकारी) सहयोगक। हिनकर रंगमंचपर हिनकर दर्जनसँ बेसी नाटकक अतिरिक्त गजेन्द्र ठाकुर आ जगदीश प्रसाद मण्डलक नाटक, एकांकी आ बाल नाटकक मंचन सेहो भेल अछि।

गुणनाथ झा पर गजेन्द्र ठाकुर

गुणनाथ झा

गुणनाथ झा "लोक मञ्च" मैथिली नाट्य पत्रिकाक संचालन- सम्पादन केने छथि। मैथिलीमे आधुनिक नाटकक प्रणयन। हुनकर नाटक कनियाँ-पुतरा, पाथेय, ओ मधुयामिनी, सातम चरित्र, शेष नञि, आजुक लोक आ जय मैथिली सभक बेर-बेर मंचन भेल अछि। बाङ्गला एकाङ्की नाट्य-संग्रह- ऐमे बांग्लाक २४ टा नाटककारक २४ टा नाटकक संकलन ओ सम्पादन अजित कुमार घोष केने छथि आ तकर बांग्लासँ मैथिली अनुवाद श्री गुणनाथ झा द्वारा भेल अछि।
कनियाँ-पुतरा- गुणनाथ झा जीक ई पहिल पूर्णाङ्क नाटक थिक। नाटक बहुदृश्य समन्वित करैबला घूर्णीय मञ्चोपयुक्त अछि। कथा काटर प्रथापर आधारित अछि आ तकर परिणामसँ मुख्य अभिनेता आ मुख्य अभिनेत्री मनोविकारयुक्त भऽ जाइत छथि, तइ मनोदशाक सटीक चित्रण आ विश्लेषण भेल अछि।
मधुयामिनी: एकाङ्क नाट्य शैलीमे दूटा पात्र, पुरुष संयुक्त परिवारक पक्ष लेनिहार आ स्त्री तकर विरोधी। संयुक्त परिवारक पक्ष लेनिहारक सामंजस्यपूर्ण विजय होइत अछि। "लोक मञ्च" मैथिली नाट्य पत्रिकामे प्रकाशित अछि
पाथेय: एकाङ्क नाट्य शैलीमे रचित, मुदा पूर्णाङ्कक सभ विशेषता ऐमे भेटत। मुख्य अभिनेता मिथिलाक अधोगतिसँ दुखी भऽ गामकेँ कर्मस्थली बनबैत छथि, स्वजन विरोध करै छथि। मुदा बादमे पत्नी हुनकर संग आबि जाइ छथिन्ह। भाषा मधुर आ चलायमान अछि।
लाल-बुझक्कर: एकाङ्क नाट्य शैलीमे रचित। दाही रौदीसँ झमारल निम्न आ मध्य-निम्न वर्ग स्वतंत्रताक पहिनहियो आ बादो जीविकोपार्जन लेल प्रवास करबा लेल अभिशप्त छथि। माता-पिता विहीन लाल बुझक्करजी कनियाँकेँ नैहरमे बैसा कऽ आ सन्तानहीन पित्ती पितियैनकेँ छोड़ि नग्र प्रवास करै छथि।
सातम चरित्र: एकाङ्क नाट्य शैलीमे रचित। मैथिली रंगमंचपर महिला अभिनेत्रीक अभाव, सातम चरित्रक प्रतीक्षामे पूर्वाभ्यास खतम भऽ जाइत अछि। ई "लोक मञ्च" मैथिली नाट्य पत्रिकामे प्रकाशित अछि
शेष नञि: आधुनिक सामाजिक पूर्णाङ्क नाटक। पिता-माताक मृत्युक बाद अग्रजक अनुजक प्रति पितृवत व्यवहार। अनुज चाकरी करै छथि, परिवर्तनशील सामाजिक परिस्थितिक शिकार भऽ अचिन्तनीय कार्यकलाप करै छथि आ अग्रज प्रतारित होइ छथि। मुदा अग्रज मरणासन्न पत्नीक प्राणरक्षार्थ साहसपूर्ण डेग उठा लैत छथि। 
आजुक लोक: पूर्णाङ्क नाटक। विषय निम्नमध्यवर्गीय बेरोजगारी आ बियाहक दायित्वक बोझ। 
जय मैथिली: पूर्णाङ्क नाटक। मिथिलाक भाषिक-सांस्कृतिक समस्या एकर कथावस्तु अछि। 
महाकवि विद्यापति: विद्यापतिक नव विश्लेषण।

नव–नव क्षितिजक सन्धान करैत सुजीतक जिद्दी- डा.राजेन्द्र विमल



साहचर्य–सम्भूत रसोद्भावनाक चतुर, युवा कथाकार सुजीत कुमार झाक कथा मिथिलाञ्चलक महानगरोन्मुख शहरक विविधतापूर्ण परिवेश आ पात्रक स्थिति–मनस्थितिक सूक्ष्म चित्राङ्कन प्रस्तुत करैत अछि । प्रत्येक कथा कोनो एक गोट एहने शहरी पात्रक जीवनमे झटका नेने आएल कोनो निर्णायक मोड़क नाटकीय रुपमे जखन प्रत्यक्षीकरण करबैछ तऽ पाठक चिहँुकि उठैत अछि ।
सामान्य घटनासभक श्रृङ्खलासँ आरम्भ भेल कथा मध्यधरि अबैत–अबैत सूच्याग्र भऽ जाइत अछि आ अन्तमे एकटा ‘करेण्ट’ जेकाँ लगबैत अछि । – जेना सामान्य यात्रामे चलैत–चलैत केओ आगाँमे फँेच कढ़ने, नाङरिपर ठाढ़ गहुमन देखि नेने हो ! शिल्पक ई वैशिष्ठ्य हिनका मैथिलीक अन्य कथाकारसँ अलगहे फराक कए दैत अछि ।
महानगरोन्मुख समाजक चित्राङ्कनक संगहि कथा एक गोट मनोवैज्ञानिक सत्यक उद्घाटन करैत अछि । कथामे एक गोट एहन स्थल अबैत अछि जखन आश्चर्यचकित भेल पाठक सोचैत अछि, ‘ अरे ! ई की भऽ गेलै ?’ – आ तखने कथाक अन्त भऽ जाइ छै । अमेरिकी कथाकार ओ. हेनरीक स्मरण भऽ अबैछ । अवग्रहमे पड़ल पात्रक प्राण जेना अकस्मात् मुक्ति–पथ पाबि
लैछ !
कथाकार सुजीत कुमार झाक कथाकारिताक दोसर उल्लेखनीय निजत्व थिक – अनतिदीर्घता अर्थात् संक्षिप्तता । हिनक कथाक घटना–परिघटना ज्यामितीय चित्र जेकाँ एक–दोसरकेँ कटैत, ओझराइत–सोझराइत आगाँ नहि बढ़ैछ । कथाक तीर सनसनाइत जाइत अछि आ अर्जूनक लक्ष्य–भेद जेकाँ चिड़ैक आँखिटा देखैत ओकर भेदन करैत अछि आ कुशल धनुर्धरक धनुर्विद्याक सफलताक प्रमाणसँ धन्य भऽ जाइत अछि । तँए कथासभमे एकटा प्रभावान्वितियुक्त त्वरा छैक ।
हिनक सभ पात्र खाँटी मैथिल थिकाह – विभिन्न जाति, वर्गक मध्यवित्तीय मैथिल । सुजीत कुमार मध्यवित्तीय मैथिल जीवनक सफल कथाकार छथि । परम्परागत मूल्यक सिमेण्टसँ ठोस बनल संयुक्त परिवारमे देखल जाइत पारस्परिक स्नेह, विश्वास, वलिदान, सेवा, करुणा, अनुशासन आदि श्रेष्ठ मानवीय गुणमे लागल पश्चिमी सोचक नोनीसँ उत्पन्न दरार देखि कथाकारक हृदय दरकि जाइत छैन्हि आ हुनक लगभग प्रत्येक कथा खण्डित होइत एहि मूल्यकेँ पुनस्र्थापित करबाक कलात्मक चेष्टा बनि जाइत अछि ।
सहज–स्वभाविक कथोपकथनक मुक्तावलीसँ बनल–बूनल ई कथा सभक कथाकारक अपन परिवेशक भोगल यथार्थ सभक चित्रावलीसँ सजाओल सुन्दर ‘अलबम’ थिक ।
कथाकार सुजीत कुमारक कथाक सेहो एक गोट प्रमुख तत्व थिक सहज मानवीय राग–बन्ध । सुप्रसिद्ध आलोचक ई.एम.एलब्राइड लिखने छथि जे कथा–साहित्यक समस्त भावात्मक तत्वमे एकटा प्रेमे एहन थिक जकर सर्वाधिक प्रयोग भेल अछि, कारण प्रेम मानव–स्वभावक सर्वव्यापक तत्व थिक ।
‘पूmल फुलाइएकऽ रहल’ कथाक उच्च कुलशीला, सुशिक्षिता नायिका पिंकी अन्तद्र्वन्द्वक भंवरमे फँसि उबडुब करैत मुक्तिक हेतु तखन हाथ पएर भाँजऽ लगैत छथि । जखन हुनका पता लगैत छैन्हि जे जाहि पुरुषकेँ सहायक स्टेशन मास्टर कहि हुनक विवाह रचाओल गेल छल आ जकरा अपन सम्पूर्ण संचेतना समर्पण दऽ ओ इन्द्रधनुषी कल्पनाक इन्द्रजालमे ओझराएलि अपन सुधिबुधि हेरा चुकलि छलीह से सहायक स्टेशन मास्टर नहि एकटा साधारण पैटमैन अछि जे वस्तुतः अपन मालिक स्टेशन मास्टर आ सहायक स्टेशन मास्टरक घरलए बजारसँ झोड़ाक भोड़ा तरकारी कीनिकऽ अनैत अछि तऽ ओ सातम आसमानसँ खसैत छथि । मुदा, ई स्वयंसिद्ध नायिका अग्निकेँ साक्षी राखि लेल गेल पतिब्रत्य संकल्पकेँ स्मरण कए एकटा नव अवतार लैत छथि – अपन चिताक छाउरसँ पुनः उड़ि आसमानकेँ छुबैत मिथकीय पन्छी ‘स्फिङ्स’ जेकाँ ! नायककेँ एम.ए.धरि पढ़बैत छथि । अन्ततः नायक सहायक स्टेशन मास्टरक पदपर प्रतिष्ठित होइत छथि ।
‘नयाँ व्यपार’–क रोगग्रस्त नायक जितेन्द्र प्रसादक हँसैत–खेलैत गार्हस्थ जीवन महत्वकांक्षाक बबण्डरमे उधियाकऽ तहस–नहस भऽ गेल अछि । स्वयं रोगशैय्यापर पड़ल छथि, बच्चासभ अपन–अपन व्यवसाय–संसारमे हेराएल अछि आ पत्नी साधना सड़कपर चलैत लोकक आँखिमे गरदा झोंकैत, मिश्राजीक स्कूटरपर बैसि, अन्तर्राष्ट्रीय महिला दिवसमे सहभागी होएबाक लेल उड़ि जाइत छथि । कथा वर्तमान पारिवारिक जीवनक विद्रूपता आ विसङ्गतिकेँ रेखाङ्कित करैत अछि ।
‘खाली घर’–क नायक जयचन्द्र आ नायिका जानकी रेलक पटरी जेकाँ जीवन पर्यन्त समानान्तर चलैत छथि, मुदा कहियो, कखनो मीलि ने पबैत छथि । तकर कारण छैक पतिकेँ आदेश–अनुवर्तिनी ‘रोवोट’ नारीक चाहिऐन्हि, सासु–ससुरकेँ पुतहुक पटमासि कएल बहिकिरनीक बेगरता छैन्हि । मुदा पति अपन ‘स्व’–क संग जीवाक आकांक्षिणी छथि । एकटा शीतयुद्धमे जीवन बीति जाइत अछि, रीति जाइत अछि ।
‘लाल किताब’ परामनोविज्ञानपर आधारित रहस्य–रोमाञ्चसँ भड़ल कथा थिक । सेवक प्रसाद यादवजी १८ गतेकेँ अपन कक्षमे एकसरि बैसलि कथा नायिका मित्रपत्नीकेँ अत्यन्त अनुराग पूर्वक एक गोट लाल डायरी भेंट कऽ गेल रहै छथि । मित्रपत्नीकेँ जबर्दस्ती हाथ पकड़ि ओ अपना लग बैसबै छथि–हाथ अकल्पित रुपें सर्द–हेमाल किए लगै छल से ओ बूझि नहि पबैत छथि । मुदा जखन मित्रक मृत्युपर शोकविह्वल भेल नायिका पति बाहरसँ आबिकऽ सेवक प्रसादक मृत्यु सत्रहे गते भऽ गेल होएबाक सूचना दै छथिन्ह तऽ ओ काँपि उठैत छथि ।
मायक सह पाबि गिन्नी पढ़ाइ छोड़ि नृत्यमे प्रशिक्षित भऽ आय दिन नव–नव ‘पब्लिक शो’ करऽ लगलीह । बाप अपन बेटीकेँ ग्लैमर दिशि आकृष्ट देखि चिन्तामग्न रहै छथि, मुदा जिदाहि पत्नीक आगाँ विवश रहै छथि । परिणामतः जखन पता चलल जे गिन्नी व्यसनी, व्यभिचारिणी आ गर्भिणी भऽ गेलि छथि तऽ वातावरण हाक्रोशकऽ उठैत अछि । ताबत बहुत बिलम्ब भऽ गेल रहैत छैक ।
‘जादू’ कथाक नायिका सिम्मी घरपर जा कम्पनीक उत्पाद बेचऽबाली सेल्सगर्ल छलीह, मुदा हुनक मधुरवाणी आ शिष्ट व्यवहारक जादू रेणु आ हुनकर पतिक दिमागपर एना ने चढ़ल जे रेणुक पति हुनका अपन कम्पनीक नीक पदक हेतु अफर दऽ देलथिन्ह ।
परम्परावादी मूल्यक खण्डहरपर ठाढ़ होइत बलुआही पारिवारिक संरचनापर कठोर प्रहार अछि कथा– ‘ आदर्श’ परम्परावादी पति आ सासुकेँ लात मारि घर छोड़ि चलि तऽ अबै छथि अद्र्धआधुनिका शिक्षिका नायिका, मुदा पन्द्रह वर्षक पश्चात् जखन अपन कक्षामे एक गोट भविष्णु युवकक नाम ‘ आदर्श’ सूनि ओ चिहुँकि उठै छथि जेना ककोड़विच्छा अनचोकेमे डंक मारि देने होइक । आदर्शक पिताक नाम छै – अरुण, जिला न्यायाधीश, अर्थात् ओकर पूर्वपति । स्टाफ रुममे आबिकऽ धम्म दऽ बैसि जाइत छथि, मस्तिष्कमे अन्हड़–विहाड़ि नेने । एहि स्थलपर आबि विखण्डनवादी मूल्य हारि जाइत अछि आ संयुक्त परिवारक परम्परावादी मूल्य विजय घोष करैत अछि ।
‘अर्थहीन यात्रा’क नायिका नेहा अपन पति माधवसँ एहि दुआरे असन्तुष्ट रहैत छथि जे ओ महत्वकांक्षाक उन्मादसँ ग्रस्त नहि छथि, पार्टी–क्लवक सौखीन नहि छथि, भौतिक चमक दमकमे विश्वास नहि करैत छथि, नेहाक लेल ‘ गिप्mट’ नहि अनैत छथि आदि । तलकालए ओ जानकीरामसँ विवाह करैत छथि, बेटी तेजिकऽ । फेर ओ जानकी रामकेँ छोड़ि अन्य पुरुष संगे रहए लगैत छथि – पति पत्नीवत्, मुदा अविवाहित । पश्चिमसँ आएल ‘लिविङ्ग टूगेदर’–क चपेटिमे पड़लि नेहा अन्ततः अपनहि लेल निर्णायक कारण पश्चातापक आगिमे धू–धूकऽ जरऽ लगैत छथि । प्रस्तुत कथा सेहो पछबा हवाक विरोध आ पुरवाक समर्थनमे देवाल जेकाँ ठाढ़ अछि ।
नारी मनोविज्ञानक सुन्दर आ यर्थाथवादी विश्लेषण प्रस्तुत करैत कथा ‘व्यर्थक उड़ान’–क नायक कार्यालयक काजसँ जे विराटनगर गेलाह तऽ दू–चारि दिन विलम्ब की भेलैन्हि नायिका ऊनी स्वेटर जेकाँ मोनमे लहराइत भावक रंग–विरंगी लच्छाकेँ ओझरबैत–सोझरबैत जँ दुर्भाग्यसँ वैधव्यक पहाड़ टूटि पड़ल होइन्हि तऽ शेष यात्रा कमलसंग बितएबाक, ओकरा संग हनीमून मनएबाधरिक कल्पनामे डूबि जाइ छथि कि धम्म दऽ पति जूमि जाइत छथिन्ह । ओ पतिकेँ भरि पाँज पजियाकऽ हबोढ़कार भऽ कानऽ लगै छथि ।
‘निष्ठा कि देखाबा’ एक गोट घोर यथार्थवादी मार्मिक कथा अछि । नीमाक पति सोहनक दुनू किडनी सड़ि गेल छैक जकर प्रत्यारोपण डाक्टरक सलाह अनुसार भेल्लोरमे जा करएबाक बदला ओ पतिकेँ जल्दीसँ जल्दी गाम एहि दुआरे लऽ जाइत छथि जे सम्पति सम्बन्धी कागजात सभपर हुनकर हस्ताक्षर लेल जा सकए । पतिकेँ मरबाक चिन्ता नहि, सम्पति डुबबाक चिन्ता बेसी घेरने छैन्हि । मुदा भाग्यक व्यंग्य ई थिक जे अन्तिम साँसधरि पति हुनका पतिपरायणा मानैत छथि ।
‘केहन सजाय’ एक गोट टुग्गरि बालिका चमेलीक कथा अछि । जकरा कोनो सन्तानहीन सम्भ्रान्त दम्पती गोद नेने छल, मुदा जखन ओहि दम्पतीकेँ अपन औरसँ सन्तान जनमि जाइत छैक, चमेली ओहि घरमे नहि, ‘महिला सदन’मे पठा देल जाइत छथि । ओ तऽ धन्य कही संस्थाक नव अध्यक्षा आ पूर्व प्रधानाध्यापिका कामिनी मैडमकेँ जनिक करुणापूर्ण प्रयाससँ ओ रितेशक संग परिणय सूत्रमे बन्हा जीवनक भसिआइत नाओक लेल किनार पाबि लैत छथि ।
मेनकाक कोमल नारी हृदयकेँ हँथोड़ैथि ‘मेनका’ जीवन झँझावातक आघात–प्रतिघातसँ नारी हृदय समुद्रमे उठैत उत्ताल तरङ्गक विक्षोभकारी कथा थिक । मेनका परित्यक्ता थिकीह । हुनक पति चन्द्रभूषण सुन्दरी युवती नीनाक मोहपाशमे ओझरा हुनकर परित्यागकऽ देने छलथिन । नारी–अहंपर चोट लगैत अछि । मेनका प्राध्यापन सेवामे संलग्न छथि, जतऽ हिनक सम्पर्क विवाहित सहकर्मी राजीव सरसँ होइत छैन्हि । राजीव सरक व्यक्तित्वक चुम्बकीय प्रभावमे मेनकाक व्यक्तित्व लौहकण जेकाँ आकृष्ट होइत अछि, मुदा जखन ओ सोचै छथि जे राजीवपत्नी आरतीक हेतु हुनक प्रणय–लीला नीना–कर्मसँ कम हिंसक किंवा घृणित नहि होएत तऽ ओ अपनामे सिमटिकऽ कठोर लौहपिण्ड बनि जाइत छथि, जे चुम्बककेँ घीचि सकैत अछि, मुदा चुम्बकसँ घिचा नहि सकैत अछि ।
कथाकार सुजीत कुमार झाक कथाक विषय– चयन, बनाबट आ बुनाबट, भाषा शैली आ कलात्मक उच्चतामे उत्तरोत्तर प्रौढ़ता अबैत जाएत आ ओ मैथिली कथाक हेतु एहिना विषय आ शिल्पक नव–नव क्षितिजक सन्धान करैत नव प्रतिमानक स्थापनामे सफल होएताह, हमर विश्वास अछि ।

पृथ्‍वीपुत्र -शि‍वकुमार झा ‘टि‍ल्‍लू’



अति‍क्रमण सबल व्‍यक्‍ति‍ वा समूहक अमानुषि‍क प्रवृति‍ रहल अछि‍। वैज्ञानि‍क मान्‍यताक अनुसारे सेहो अस्‍ति‍त्‍वक लेल संघर्ष आ ओइ संघर्षमे योग्‍यतमक उत्तरजीवि‍ता कालक्रममे होइ रहल अछि‍। जखन सम्‍पूर्ण सृष्‍टि‍मे बौद्धि‍क चेतनासँ युक्‍त मानव अस्‍ति‍त्‍वक लेल बेवस्‍थाक वि‍रूद्ध संघर्ष केवल तखन मि‍थि‍लाक माटि‍-पानि‍ कोना अछोप रहए।

समाजक ऊँच-नीच आ जय-पराजयक वृत्ति‍-चि‍त्रक रूपेँ ललि‍तेश मि‍श्र ललि‍त जीक उपन्‍यास पृथ्‍वी-पुत्र पुस्‍तकाकार सन् 1965 ई.मे प्रकाशि‍त भेल। जेना की आमुखमे स्‍वयं उपन्‍यासकार लि‍खने छथि‍ जे ई उपन्‍यास हंसराज जीक तगेदामे लि‍खल गेल, तँए ऐमे रचनाकारक सम्‍पूर्ण आत्‍मीयता देखब भ्रामक सि‍द्ध हएत। हमरा सबहक संग ई दुर्भाग्‍य रहल जे आत्‍मि‍क भाषामे रचनाकार अपन आशुत्‍वसँ बेशी तगेदाक कारणेँ रचना करैत रहलाहेँ।



रचनाक कारण जे हुअनि‍ मुदा एतबा तँ अवश्‍य प्रासांगि‍क आ मैथि‍ली साहि‍त्‍यक लेल वरदान मानल जाए जे पृथ्‍वीपुत्र उपन्‍यासक माध्‍यमसँ उपन्‍यसकार मि‍थि‍लाक माटि‍-पानि‍मे समाहि‍त सभसँ अंति‍म वर्गक समाज धरि‍ पहुँचि‍ गेल छथि‍ जे सोझ मानसि‍क प्रवृत्ति‍क द्योतक अछि‍। ओना ललि‍तक कथा “रमजानी” सेहो समाजक दलि‍त वा पछड़ल लोकक वृत्ति‍चि‍त्र थि‍क। स्‍वाभावि‍के छैक रचनाकार प्रशासनि‍क सेवामे रहल छथि‍,, समाजक ऊँच-नीच कृत्‍य-कुकृत्‍य आ वर्गक वि‍षमताक दर्शन बरोबरि‍ होइत हेतनि‍ तँए अपन दैनन्‍दि‍नीक अनुभवकेँ कल्‍पनाक सरोवरि‍मे बोरि‍ यथार्थवादी रूप देबाक प्रयास कएलनि‍ जइमे अंशत: सफल सेहो भेलाह।



उपन्‍यासक गाथा व्‍यावसायि‍क चलचि‍त्र जकाँ मध्‍यसँ प्रारंभ होइत अछि‍। घटनाक गर्त्तमे गेलासँ ई उपन्‍यास दलि‍त समाजमे सामन्‍तवादी शोषणक वि‍रूद्ध वर्ग संघर्षक चलचि‍त्र थि‍क।

जंगी पासवानक पुत्र वि‍सेखी पासवान कर्मसँ वैड-कैरेक्‍टरक चोर अछि‍। जकरा अपन दुनू पुत्र गेनालाल आ सरूपसँ बेशी अपन शि‍ष्‍य छतरपर वि‍श्वास छैक। गेनालाल जेकरा गेनमा कहल जाइछ ओकर चरि‍त्र भकलोल-मनुख मुदा कर्मशील मजूरक छैक। सरूप ऐ उपन्‍यासक नायक थि‍क। जकरा कतौ उपन्‍यासकार दलि‍त समाजक क्रांति‍-वीर वनएबाक प्रयास करैत छथि‍ तँ कतौ अपन बहि‍न बि‍जलीक कल्‍पनाथ मि‍श्र उर्फ कलपू मि‍श्रक संग अनैति‍क सि‍नेहक प्रोत्‍साहक वा साक्षी। सरूपक चि‍त्रक ई अर्न्‍तद्वन्‍द्व दलि‍त समाजक जीवन शैलीमे वि‍राधाभास मानल जाए। गेना लालक अर्द्धागि‍नी बेनी अपन पति‍क मृत्‍युक पश्चात् पारि‍वारि‍क सहमति‍ आ उत्तरदायि‍त्‍वक कारणे अपन देओर सरूपसँ बि‍आह कऽ लैत अछि‍। उपन्‍यास गाथाक वि‍चि‍त्र पात्र छथि‍ बि‍जुली वा बि‍जो बि‍जुरी आ बि‍जुरि‍या सन छद्म नामसँ वि‍भूषि‍त बि‍सेखी पासवानक कन्‍या “बि‍जली”। कौमार्यक आंगनमे प्रवेश करि‍ते बि‍जलीकेँ गामक पंडि‍त कुलमे जनमल कल्‍पनाथ मि‍श्रसँ प्रेम भऽ जाइत अछि‍। कलपू मि‍सर वि‍वाहि‍त छथि‍ मुदा पहि‍ल प्रसव पीड़ाक क्रममे हि‍नक कनि‍याँक देहान्‍त भऽ गेलनि‍। ऐ अनर्गल आ ि‍नष्‍कर्ष रहि‍त प्रेमक आभास दलि‍त समाजकेँ लागि‍ जाइत अछि‍। फलत: रेलवेमे पेटमेन हीरालालसँ बि‍जलीक बि‍आह कऽ देल गेल। रीति‍-प्रीति‍ आरंभे कालसँ साहि‍त्‍यक महत्‍वपूर्ण बि‍न्‍दु रहल छैक। ओइ मार्गदर्शनपर आगाँ बढ़ैत ललि‍त जी उपन्‍यासमे आकर्षणक सोमरस घोरबाक प्रयास करैत ऐ वि‍चि‍त्र पात्राकेँ ऐमे समाहि‍त कएलनि‍। दू-तीन बेरि‍ पेटमेन हीरा लालक सानि‍ध्‍यसँ बि‍जली पड़ा कऽ गाम आबि‍ गेलीह। मान-मनोबलक बाद फेर पति‍क क्‍वाटरमे गयलाक बाद कोयला सन धुरधुर घऽर आ बऽर नीक नै लगलनि‍। हीरा लालकेँ बि‍जलीक चरि‍त्रक वास्‍तवि‍कताक भान भऽ जाइत अछि‍। पुरुष सभ कि‍छु बर्दास्‍त कऽ सकैत अछि‍ मुदा अपन दाराकेँ दोसर पुरुषक सन आत्‍मि‍क वा दैहि‍क वरण पुरुषक लेल घोंटव असंभव। बि‍जलीक प्रति‍ हीरा लालक व्‍यवहार कर्कश भऽ जाइत अछि‍।



अंति‍म परि‍णति‍ भेल जे बि‍जली सभ दि‍नक लेल नैहर आबि‍ गेली। हीरा लाल पुनि‍ आएल मुदा ओकरा चरि‍त्रपर खलनायि‍का बि‍जली लांछना लगेबाक लेल सरुपकेँ उत्‍साहि‍त केलक। गामक मानि‍जन अर्थात् जति‍या राजा काी दासक अंति‍म ि‍नर्णय भेल जे बि‍जली आब हीरा लाल संगे नै जेतीह। ओना समाजक सभ पंच एकमत छलाह जे बि‍जलीक पुर्नवि‍वाह कराओल जाए, मुदा जखन रचनाकार मात्र उपन्‍यासक आकर्षक लेल ऐ चरि‍त्रक ि‍नर्माण कएने छथि‍ तँ क्रांति‍क आश असंभव। कल्‍पनाथ मि‍श्र आ बि‍जलीक सि‍नेह पत्रहीन नग्‍न गाछ जकाँ मानल जाए जकर अस्‍ति‍त्‍व नै। एक दि‍स जखन सरूप पुछैत अछि‍ बि‍जलीसँ-

“पाहुन मोन पड़लौ की....?” तँ बि‍जलीक उत्तर दार्शनि‍क जकाँ भेटल तँ दोसर दि‍स बि‍जली कलपू मि‍सर द्वारा दोहरि‍ मोड़ि‍ कऽ देबए काल बलजोरी शब्‍द सुनि‍ बजैत अछि‍- तोरा संग कुश्‍तम पटकममे डाँड़ तँ नै हएत हमरा....।

ई सि‍नेह कोन तरहक मानल जाए ई ि‍नर्णए करब सर्वथा असंभव।



उपन्‍यासगाथामे कथाक्रमानुसारे वि‍कराल वर्ग संघर्ष देखार होइत अछि‍। सर्वे एलाक बाद गरीबक जमीन कागतपर तँ आपि‍स होइत अछि‍ मुदा जंग बहादुर सि‍ंह सन जमीन्‍दार दुसाध आ मुसहर समाजकेँ जमीन देबाक लेल तैयार नै अछि‍। वर्ग संघर्ष करबाक लेल सरूप उद्यत भेल। सरूपक दलमे जजाति‍ कटबाक लेल गेनालाल सन माटि‍क पूत मात्र छल। जंग बहादुरक हँसेरीदल लोहा सि‍ंहक नेतृत्‍वमे सरूपपर हमला कऽ देलक। अनुजकेँ वचेबाक क्रममे गेनमा मारल गेल। ऐ वर्ग संघर्षक अंत औचि‍त्‍वहीन लगैत अछि‍। सन् 1965 ई.मे भारत आजाद भऽ गेल छल। तखन दलि‍त समाजक एकटा माटि‍क लाल सामन्‍तवादी तत्‍वक आगाँ लुप्‍त भऽ गेल आ जंगबहादुर सन सामन्‍तीक ओइठाम पुलि‍स पहुँचल नै हएत...। ई अत्‍यन्‍त हास्‍यास्‍पद लगैत अछि‍। जौं ऐ तरहक घटना भेलो हएत तैयो उपन्‍यासकारकेँ ऐमे क्रांति‍ अनबाक प्रयास करबाक छलनि‍। साम्‍यवादी लेखनीसँ ि‍नकसल उपन्‍यासक अंश अत्‍यन्‍त ि‍नर्बल मानल जाए।



ऐ घटनासँ पूर्व बि‍जलीक चरि‍त्रपर आधात दुर्योधन सि‍ंह सन सि‍पाही करैत अछि‍। ओकरा सरूप काटि‍ दैत अछि‍। पुत्रकेँ जेहलसँ बचएबाक लेल बि‍सेखी सभ दोख अपना ऊपर लऽ जहल चलि‍ जाइत अछि‍ जइठाम संग्रहणी सन बेमारीसँ ओकर मृत्‍यु भऽ गेल।



बिसेखीक चरि‍त्रक काल-क्रमानुसार परि‍वर्त्तन उपन्‍यासक सबल पक्ष मानल जाए। पहि‍ने जखन चोर छल तँ ओकरा कि‍छु नै भेल आ जखन कि‍छु नै केलक तँ पुत्रमोह आ पारि‍वारि‍क मर्यादाक कारणेँ सजा भेटल। बी.सी. कैरेक्‍टरक चोरसँ मुक्‍ति‍ पाबए लेल कलक्‍टरक आगाँ सप्‍पत खेने छल। ओइ सप्‍पत खेबामे घुरन दुसाध, मंडर पाण्‍डे, खख्‍खन जट्ट, रौदी खलीफा आ बुच्‍ची झा सन चोर सेहो छल। उपन्‍यासकार द्वारा चोरक नाम चयन करबामे ई स्‍पष्‍ट भऽ गेल चोरक कोनो जाति‍ नै होइत छैक, समाजक अग्र आसन बैसैबला लोककेँ सेहो कुकर्मी समाजमे स्‍थान छन्‍हि‍। ई उपन्‍यासकारक समन्‍वयवादी सोच मानल जाए।



आब बि‍सेखीक परि‍वारमे पुरुष पात्रक रूपमे बचैत अछि‍- सरूप। सरूपकेँ ललि‍त पृथ्‍वीपुत्र बनेबाक कोनो अबसरि‍ नै छोड़ैत छथि‍। ऐ उपन्‍यासक ओ वास्‍तवि‍क नायक अछि‍। अपन पि‍ताकेँ चोरि‍ नै करबाक सप्‍पत खाइत काल लड़खड़ाइत देखि‍ ओ क्रोधि‍त भऽ जाइत अछि‍। ओकरा चोरि‍ करब कथमपि‍ पसि‍न्न नै। जंगबहादुरकेँ ललकारि‍ जजाति‍ काटि‍ लेबाक उपक्रममे शोषि‍त समाजक ओ “क्रांति‍वीर” बनि‍ जेबाक लेल उद्यत अछि‍। बहि‍नक आँचरपर दुर्योधन सि‍ंह सन सि‍पाहीक हाथ देखि‍ ओकर हत्‍या कऽ केलक। सरूप कर्मवादी सत्‍पुरुष अछि‍। जाधरि‍ बेनीकेँ सरूपक माय एकर अंक नै लगलन्‍हि‍ ताधरि‍ ओइ भाउजमे सरूप मात्र श्रद्धापूर्वक मातृत्‍व रूप देखलक। ऐ दलि‍त समाजक आदरणीय पात्रकेँ ललि‍त एकठाम कलंकी चरि‍त्र बना देलनि‍। कल्‍पनाथ मि‍सरक अनर्गल सि‍नेहसँ बँधलि‍ बि‍जलीकेँ सरूप आत्‍मसात केना केलक। एकठाम भाउजि‍क वि‍षक्‍त हँसी आ व्‍यंग्‍यवाणसँ आकुल भऽ सरूप बि‍जलीपर क्रोध तँ करैत अछि‍ मुदा सम्‍पूर्ण उपन्‍यासमे कलपू मि‍सरक प्रसंगमे पृथ्‍वीपुत्र चुप्‍प रहि‍ गेल। सि‍नेह कोनो अपराध नै, कि‍यो केकरोसँ कऽ सकैत अछि‍, मुदा ऐ सि‍नेहक कोनो नि‍ष्‍कर्ष नै। सरूप सन सोझ मानसि‍कताक पुरुष ऐ अनर्गल सि‍नेहकेँ केना समर्थन देलक। बि‍जली ठाम-ठाम औचि‍त्‍यहीन सि‍नेही जकाँ बेनीसँ अपन प्रेमकेँ सबलता प्रदान करबाक लेल नि‍रर्थक संवाद करैत अछि‍। ऐसँ इहए प्रमाणि‍त होइछ जे ऐ नारीकेँ अपन माता-पि‍ता आ भाइक मर्यादाक कोनो बोध नै। तखन एकठाम महान दार्शनि‍क जकाँ बि‍जलीकेँ दृष्‍टि‍ पटलपर राखब उपन्‍यासकारक अदूरदर्शिता छन्‍हि‍। जखन कलपू मि‍सर अपन माइक राखल अभरन बि‍जलीकेँ पहि‍रबाक अनुरोध करैत अछि‍ तँ ओ बजैत अछि‍ जे-

“ओ गहना पहि‍रब तँ हम जरि‍ जाएब। जखन बि‍जली एतेक बुद्धि‍मती महि‍ला अछि‍ तँ अपन मान-मर्यादा अपन बाप-पुरूखाक द्वारा बनाओल बेवस्‍था अर्थात् पाणि‍ग्रहण संस्‍कार द्वारा वरणेय हीरालालकेँ कि‍अए छोड़ि‍ देलक। ई नि‍श्चि‍त रूपे जातीय संकीर्णतासँ बान्‍हल उपन्‍यासकारक व्‍यक्‍ति‍गत अनर्गल सोच छन्‍हि‍।”



जौं ऐ उपन्‍यासमे वर्ग-संघर्ष देखाएब यथार्थबोध मानल जाए तैयो ऐमे कमजोरी अछि‍। वर्ग संघर्षमे हत्‍या आ ओइ हत्‍याक बाद केनि‍हारकेँ कोनो सजा नै, अत्‍यन्‍त ि‍नर्बल पक्ष थि‍क। कलपू मि‍सर आ बि‍जलीक ि‍सनेहमे बि‍सेखीक परि‍वारक कोनो तीक्ष्‍ण अवरोध नै देखाएब दलि‍त समाजक चेतनापर आधात मानल जाए। समाजक कात लागल वर्ग सवर्ण आ सामन्‍तवादी लग अपन घरक गणि‍काकेँ परसि‍ सकैत अछि‍... सर्वथा असंभव। दलि‍त समाजक नारीसँ सवर्ण समाजक पुरुष बेबाक गप्‍प तखने कऽ सकैत छथि‍ जखन हुनक वि‍चार आ चरि‍त्र वि‍श्वसनीय हुअए। भऽ सकैत अछि‍ बि‍जली सन कोनो वि‍शेष नारी एहेन मानसि‍कता रखैत छथि‍ वा होथि‍ मुदा परि‍वारक आन लोक ऐ तरहक िसनेहकेँ कथमपि‍ नै स्‍वीकार करत। जौं एकर अंत दुनूक बि‍आह देखा कऽ कएल जइतए तँ ई उपन्‍यास अवश्‍य दूरगामी होइतए। अंर्तद्वन्‍द्वसँ भरल समाजसँ ललि‍त कोनो अलग नै छथि‍ तँए सभ सकारात्‍मकताक आश राखब उचि‍त नै।



एतेक तँ नि‍श्चि‍त जे पृथ्‍वीपुत्र शि‍ल्‍पमे बड़ नीक स्‍थान रखैत अछि‍। वि‍म्‍ब कोनो वि‍शेष नै मुदा समाजक अंति‍म वर्ग धरि‍ पहुँचल तँए व्‍यापक मानल जाए। जि‍तपुर मौजाक टोल बबुरबन्नाक गाथा, मुदा टोलमे खएरक बोन बबूरसँ बेसी मुदा नाओं बबुरबन्ना। वास्‍तवि‍कता अछि‍ सामर्थ्‍यवान लोक कम रहि‍तौ पूजनीय होइत छथि‍, उपन्‍यासकारक दृष्‍टि‍कोण सम्‍यक् आ समन्‍वयवादी ऐठाम तँ अवश्‍य लगैत अछि‍। भाषा ओ शैली गति‍मान आ खाँटी ग्रामीण आंचलि‍क मैथि‍लीमे लि‍खल गेल जे ललि‍तक योग्‍यताक प्रत्‍यक्ष प्रमाण थि‍‍क। आाचार्य रमानाथ झाक ऐ मतसँ हम सहमति‍ नै रखैत छी जे हास्‍य रसक अभावमे पृथ्‍वीपुत्र झुझुआन लगैत अछि‍। जखन स्‍थि‍ति‍ कनबाक हुअए तँ हास्‍य समागम संमव नै ऐ उपन्‍यासमे हास्‍य रसक समागम करब ि‍नरर्थक होइतए।



ऐ पोथीक सभसँ सकारात्‍मक पक्ष थि‍क समाजक यथार्थवादी बेवस्‍थाक मौलि‍क चि‍त्रण। जाति‍-पाति‍मे टुटल समाजक सत्‍यकेँ स्‍पष्‍ट देखबैत उपन्‍यासकार एकठाम एहेन साहस कऽ देलनि‍ जे संभवत: सबल समाजमे जनमल दोसर साहि‍त्‍यकारसँ अवश्‍य असंभव होइतए। पृथ्‍वीपुत्र पलायनवादक वि‍रोध करैत अछि‍। जमीन्‍दार कृषि‍कार्य स्‍वयं नै करताह, मुदा जमीनक सकल उत्‍पाद आ स्‍वामि‍त्‍व हि‍नके भेटनि‍, ऐ कटु सत्‍यसँ ललि‍त वि‍लग छथि‍। हि‍नक लेखनीसँ क्रांति‍क सुगंध पसरल जे जमीन ओकरे हएत जे एकरा जोतए। वास्‍तवि‍कता सेहो छैक साम्‍यवादी बेवस्‍थामे कर्म पुरुषकेँ कर्मक फल अवश्‍य भेटबाक चाही। जे संतान माए-बापक प्रति‍ अपन कर्त्तव्‍य पालन नै करए ओकरा मातृ-पि‍‍तृ सि‍नेह मंगबाक कोनो अधि‍कार नै। अपन पसेनासँ माटि‍ कोरि‍ जे मजूर धरतीकेँ बाँझ होएबासँ बचाबथि‍ हुनके ऐ माटि‍क स्‍वामि‍त्‍व भेटबाक चाही।

जौं ऐ प्रकारक सोचकेँ सबलता प्रदान कएल जाए तँ कृषि‍ प्रधान देशमे अपन मौलि‍क कर्मसँ लोक वि‍मुख भऽ पड़ाइन नै करताह। प्राकृति‍क संतुलनकेँ जीवन्‍त राखब सभक मौलि‍क कर्त्तव्‍य थि‍क। ऐ तरहक साम्‍यवादी दृष्‍टि‍कोण मैथि‍ली साहि‍त्‍यकेँ अवश्‍य नव दि‍शा देलक। ि‍नष्‍कर्षत: पृथ्‍वीपुत्र कि‍छु अर्न्‍तद्वन्‍द्वसँ भरल रहलाक बादो मैथि‍ली साहि‍त्‍यमे नव चेतना भरबाक लेल अनुगामी उपन्‍यास मानल जाए।

जीवन-मरण :: दुर्गानन्‍द मण्‍डल




जीवन-मरण उपन्‍यास, एकटा लब्‍ध प्रति‍ष्‍ठि‍त उपन्‍यासकार श्री जगदीश प्रसाद मण्‍डल जीक अनुपम कृति‍ अइ। हुनक लि‍खल अनेको उपन्‍यास, जे एक-सँ-बढ़ि‍-कऽ–एक अछि‍। जइमे उपन्‍यासकार द्वारा उठाओल गेल वि‍भि‍न्न प्रकारक सामाजि‍क रूढ़ि‍वादि‍ताक ज्‍वलंत उदाहरण प्रस्‍तुत कएल गेल अछि‍। मात्र प्रस्‍तुति‍करण धरि‍ कथा नै अपि‍तु ओकर सामाधान तकबामे सेहो उपन्‍यासकार सतत् सफल रहला अछि‍।



प्रस्‍तुत उपन्‍यासमे मनुखक जे अपन जि‍नगी छै, ओकर जे अपन समाज छै, समाजक प्रति‍ व्‍यक्‍ति‍ वि‍शेषक उत्तरदायि‍त्व होइत अछि‍ से, आ नवका पीढ़ी जे पश्चि‍मी सभ्‍यताक असभ्‍यतासँ ग्रसि‍त भऽ असभ्‍य बनि‍ गेला अछि‍ तइपर उपन्‍यासक आरंम्‍भमे एकटा कसगर चोट देलनि‍ अछि‍।



देवनन्‍दन जे बेवसायसँ डाॅक्‍टर छथि‍, पत्नी शीला द्वारा जनलनि‍ जे पि‍ताक मृत्‍यु भऽ गेल तैयो घबरेला नै सोचलनि‍ पि‍ताक अपन समाज छन्‍हि‍ जइ बीच ओ अपन जि‍नगी बि‍तौलनि‍। तँए उचि‍त हएत जे हुनका अपना समाजमे पहुँचा दि‍यनि‍ आ मृत्‍युक सभ कर्म सामाजेक अनुकूल बढ़ि‍यासँ करी ि‍नर्णए लेलनि‍।



मोबाइलसँ नम्‍बर नि‍कालि‍, टि‍पि‍ अपन जेठ बेटा दयानन्‍दकेँ जनौलनि‍-

“बच्‍चा, बाबू मरि‍ गेलाह, तँए दुनू भाँइ गाम आऊ।”

मुदा वाह रे पश्चि‍मी सभ्‍यता! देखू हमरा लोकनि‍केँ केना ग्रसि‍त केने अछि‍, दयानन्‍द बाजि‍ उठलाह-

“बाबू, ऐ लेल गाम कि‍अए जाएब? आब तँ बि‍जलीबला शबदाहमे आसानीसँ काज सम्‍पन्न भऽ जाइत अछि‍”

दयानन्‍दक वि‍चार सुनि‍ देवनन्‍दन कहलकनि‍-

“बच्‍चा, सभ जीव-जन्‍तुकेँ अपन-अपन जि‍नगी होइत अछि‍। आ जे जेहने जि‍नगीमे जीबैत अछि‍ ओकरा लेल वएह जि‍नगी आनन्‍ददायक होइत अछि‍। जेना, चीनी, मि‍रचाइ आ करैला तीनूक तीन तरहक स्‍वाद, मीठ, कड़ू आ तीत होइए। मुदा की मरि‍चाइक कीड़ा आबि‍ करैलाक कीड़ा चीनीमे जीब सकत? कथमपि‍ नै। जखन की ओ तँ अधलाहसँ नीकमे गेल।”

पि‍ताक बात सुनि‍ दयानन्‍दकेँ आश्चर्य भेलनि‍, मुदा देवनन्‍दनक अनुसारे ऐमे आश्चर्य कोन। कि‍एक तँ गामक दोसर नाम समाज सेहो छि‍ऐ। जे शहर-बाजारमे नै अछि‍। ऐठाम उपन्‍यासकार समाजकेँ मानव नै मानवक जे मूल सभ्‍यता छै ओकरा एकैसम सदीक नव पीढ़ी लेल एकटा मि‍शाल देखौलनि‍ अछि‍। जे वर्त्तमानमे आजुक पीढ़ी समाजकेँ नै बूझि‍ कि‍दैन बुझै छथि‍न, ओ बि‍सरि‍ गेलाह जे समाज की थि‍क, ओकर मान-मर्यादा कि‍ होइ छै, सामाजि‍क बन्‍धन की छी, ओकर कानून-कायदा की छै। आजूक वर्त्तमान आधुनि‍क समाज जइमे सभ अपने पाछू बेहाल रहैए। ओ केकर सुख-दुख, जीवन-मरणकेँ सुनत। ओ तँ भरि‍पेट नीक अन्न-तीमन खाएब मात्र जनैए। मुदा तइसँ कि‍ मन थोड़े अस्‍थि‍र भऽ सकैए। जाधरि‍ आत्‍माक संतुष्‍टि‍ नै हेतैक। बुझेबामे केत्तौ कोनो प्रकारक कि‍न्‍तु-परन्‍तु नै राखि‍, मनुक्‍ख एकटा सामाजि‍क प्राणी होइत अछि‍, ओकर अपन एकटा समाज छै, जइमे सभ एक-दोसराक सुखसँ सुखी आ दुखसँ दुखी होइ छथि‍, देखेबामे सफल भेलाह। वर्त्तमानमे जन्‍म जरूर जाति‍-समाजमे होइ छै, मुदा लगले आँखि‍-पाँखि‍ भेने हमरालोकनि‍ अपन मूल समाजकेँ भूलि‍-बि‍सरि‍ आन समाजमे मि‍लि‍ हूलि‍-माि‍ल उठेने रहै छी। केतेक दुखक बात भेल। कला आ संस्‍कृितसँ दूर तँ स्‍वभावि‍क रूपे तँ छि‍हे ओना हम सभ कतेको नोर मंचपर कि‍एक ने बहा ली।

दोसर दि‍स उपन्‍यासकार मि‍थि‍लानि‍क एकटा गजब चि‍त्र प्रस्‍तुत केलनि‍ अछि‍। मैथि‍ल नारि‍ अपन पति‍केँ परमेश्वर मानै छथि‍। जि‍नकेपर हुनका भरि‍ मांग सेनुर आ भरि‍ हाथ चुड़ी रहैत छन्‍हि‍। अपना पति‍क प्रति‍ कतेक नि‍ष्‍ठा रखै छथि‍ स्‍पष्‍ट अछि‍-

“अदौसँ सावि‍त्री, अनुसुर्इया आदि‍ ऐ वि‍षयमे जगवि‍दि‍त छथि‍। देवनंदनक माए सुभद्रा जि‍नका चेहरापर सोग नै अपि‍तु सि‍नेह उमरि‍ रहल छन्‍हि‍। मोने-मन आनंदि‍त जे, जहि‍ना हाथ पकड़लनि‍ तहि‍ना पार-घाट लगा देलनि‍। भड़ल-पुड़ल फुलवाड़ी अछि‍ कतौ हेराएल रहब।”

मि‍थि‍लानि‍क महान वि‍चार आ ति‍यागक स्‍तरकेँ कतेक सुक्ष्‍म रूपेँ उपन्‍यासकार रखलनि‍ अछि‍। ति‍यागक मूर्तिक रूपमे ऐ तरहेँ स्‍पष्‍ट अछि‍ जे पति‍केँ मुइला बादो हर्ष छन्‍हि‍ जे हमरा अछेत मरलाह से नीके भेलनि‍। अन्‍यथा मोनमे लागल रहैत जे हुनक शेष दि‍न केहेन...।



सभ पौस-प्राणी गुनधुनमे पड़ल गाम चलल जा रहल छथि‍। देवनंदन सोचथि‍, से नै तँ आइ समाजक काज पड़त। समाजक की महत छै। मनुक्‍ख कोन तरहेँ सामाजि‍क प्राणी होइए, समाजक बीच बाबूजी केना जीबथि‍, कतेक परि‍वारसँ दोस्‍ती छलनि‍ आ कतेकसँ दुश्‍मनी, गुनधुनमे पड़ल माएसँ पुछलखि‍न-

“माए, कते परि‍वारसँ बाबूजी केँ दोस्‍ती छेलनि‍।” तखन माएकेँ मोन पड़लनि‍ ओ समाज, जतए सभ मि‍लि कुमरम, बि‍आह, सामा, घरक गोसाँइसँ लऽ कऽ दुर्गा स्‍थानक गीत मोन पड़ए लगलनि‍। देवनंदनक बात सुनि‍ माए-सुभद्रा बजलीह-

“छिया, छिया। मिथिलाक समाज छी। ऐ समाजमे मुर्दा जरबैले, केकरो घरक आँगि मिझबैले, केकरो-साँप-ताप कटने रहल आकि‍ गाछ-ताछपर सँ खसलापर केकरो कियो कहै नै छै। ई सामाजिक काज छी। तँए, अपन काज बूझि सभ अपने तैयार भऽ जाइत अछि।”

ऐठाम उपन्‍यासकार मि‍थि‍ला आ मैथि‍ल समाजक एकटा वि‍लक्षण उदाहरण द’ अपन सभ्‍यता आ संस्‍कृति‍क परिचए द’ समाजक समुद्री रूपकेँ दर्शन करौलनि‍ अछि‍। पूर्वोमे बाढ़ि एलापर करि‍याकाका आ देवनंदन द्वारा उठाओल गेल कदम आबैबला समाजक लेल एकटा आदर्श उपस्‍थि‍त केलनि‍ अछि‍। आखि‍र दि‍न बि‍सेक बाद सभ घूमि‍ अपन-अपन घर आएल रहथि‍। ओही समाजक एकटा अभि‍न्न अंग देवनंदनक पि‍ता जे समाजक प्रति‍ष्‍ठि‍त व्‍यक्‍ति‍‍ रघुनंदनक लहाश गाम पहुँचते आगू-आगू गाड़ी आ पाछू करमान लागल लोक दि‍यादीमे सबहक चुल्हि‍ मि‍झाएल।

दोसर दि‍स उपन्‍यासकार जे मर्द-पुरुखक क्रि‍या-कलाप, स्‍त्रीगण सबहक गप-सप तँ एक दि‍स 111 बर्खक रधि‍या दादी गाइक गर्दनि‍ जकाँ लटकल चमरी, बाइस गाहीक बर्ख भेल, पूर्वमे रधुनंदनकेँ कतेको दि‍न दूध पि‍औने रहथि‍न, उपस्‍थि‍त क’ सामाजि‍क आ मातृत्‍व प्रेमक ज्‍वलंत उदाहरण प्रस्‍तुत केलनि‍। जि‍नका दादी जूरशीतलमे अछि‍ंजलसँ असि‍रवाद द’ फगुूआमे रँगो खेलाइत छलीह। से सप्‍तरंगी समाजक इंद्रधनुषी संबंधक एकटा वि‍लक्षण उदाहरण अछि‍।

श्राद्ध-बि‍‍आह समाजेक काज होइते अछि‍। समाज तँ समाजे होइए तहूमे ओहेन समाज जइठाम रघुनंदनकेँ उत्तरे-दछि‍ने सुता उज्जर दप-दप वत्रसँ छाँपि‍ सि‍रहानामे धूप-गुगुल जरैत अछि‍। तइ बीच बचनू, चंचन, झोली, बौकू, बतहू देहपर तौनी आ डाँरमे धोती पहि‍रने कान्‍हपर कुरहरि‍ नेने संग-मि‍लि‍ कानी-गाबी आ हँसी ऐ सँ पैघ सुख केकरा कहबै? जइ सुखक लेल लोक नीच-सँ-नीच काज करैए मुदा पाबि‍ नै पबैए। ऐठाम उपन्‍यासकार भौति‍क सुखकेँ सुख नै मानि‍ आत्‍मि‍क सुख, अतिइन्‍द्रि‍य सुख जइसँ आत्‍मि‍क शान्‍ति‍ भेटैत छै, ओ वास्‍तवि‍क सुख थि‍क। तँए मात्र दैहि‍क सुखकेँ क्षणि‍क आ आत्‍मि‍क सुखकेँ वास्‍तवि‍क बता अपनाकेँ आध्‍यात्‍मि‍क हेबाक सेहो परि‍चय द’ समाजोकेँ आध्‍यात्‍मि‍क बातपर चि‍न्‍तन-मनन अनुकरणक प्रेरणा देलनि‍ अछि‍।



समाजक समस्‍त काजक जि‍म्मा करि‍याकाकापर छन्‍हि‍। समाजक ऊँच-नीच, छोट-पैघ सभ जाति‍क लोक, जाति‍-परजाति‍ सभ मि‍लि‍ रघुकाकाक काजमे पूर्ण सहयोग देबए चाहै छथि‍ चाहे ओ ि‍कर्तनि‍या हुअए आकि‍ भजनि‍या, लेलहा हुअए आकि‍ बौका, सुन्‍दर काका होथि‍ वा छीतन भाय दुनू परानी जे जाति‍क डोम छथि‍। जे पूर्वमे गुनापर रघुकाकाकेँ पाँचटा गीत सुनौने छलाह। जीवि‍ते छथि‍ छीतन भाय। छि‍तनो भायकेँ बरि‍यातीमे हकार देब नै बि‍सरब, समाजक जाति‍-पाति‍क कुप्रर्थासँ नि‍कालि‍ मनुक्‍खक जे एकटा अपन समाज होइछ, मनुक्‍खक जे एकटा जाति‍ होइए जइमे सभ वर्ग आ वर्णक लोक रहैए, वास्‍तवमे ओ ने समाज छी। ओइ जाति‍गत भावनासँ ग्रसि‍त समाजकेँ ऊपर मुँहेँ उठा स्‍वच्‍छ वातावरणमे शुद्ध साँस लेबाक बाट देखौलनि‍ हेन। जहि‍ना हवा अनेक गैसक मि‍श्रन छी तहि‍ना तँ समाजो अनेक वर्ग आ वर्णक मि‍श्रण छी। जौं से नै तँ कि‍यो एक-दोसरक बि‍ना जीब सकत? संभव नै, मुदा से बुझैत लोक अपने स्‍वार्थमे आन्‍हर भेल रहैए। आ फल्‍लंमा डोम तँ फल्‍लांमा दुसाध ई संस्‍कार नैन्‍हि‍येटा सँ माए-बाप देबामे पाछू नै रहै छथि‍। आखि‍र एकटा प्रश्न हमरा तरफसँ, अहाँ प्रबुध समाजक लेल अछि‍, जौं समाजमे सभ जाति‍ नै रहत तँ की समाजि‍क जीवन चलि‍ सकत यदि‍ हँ तँ केना? जौं नै तँ फेर एहेन भावना कि‍एक? डोमसँ हम छूबल जाएब, मुदा ओकर बनाओल चीज-बौस गौसाँइ-पि‍तरपर चढ़त तँ की इष्‍ट-देव नै छुऔत। जौं छुआएत तँ सनातनि‍ये सँ कि‍एक ने..... ? आ जौं देव-पि‍तर नै छुआएत तँ हमरा-अहाँकेँ छुएबाक कोन आधार बनल अछि‍??



झाँपले परदामे उपन्‍यासकार जाति‍-प्रथाकेँ तोड़ि‍ एकटा आदर्शवादी समाज स्‍थापनापर जोर देलनि‍। जहि‍ना फुलवाड़ीमे जुही, चमेली फूल रहैत अछि‍ तहि‍ना गेना गुलाब सेहो। अधला नै तँ नीकक महत्ते की? तीत नै तँ मीठक स्‍वादे की? कारी नै तँ गोरे की? तहि‍ना तँ समाजो एकटा फुलवाड़ी होइ छै। जइमे सभ तरहक लोकक अपन-अपन भूमि‍का होइ छैक।

वि‍चार करबाक थि‍क जे वैदि‍क पद्धति‍पर चलए बला समाजक चि‍त्र जे जहजहि‍ उपन्‍यासमे आएल अछि‍ से तँ सहज अछि‍। मुदा आजुक ओहन समाज जइमे अलगाव अछि‍। मनुक्‍ख-मनुक्‍खमे एतेक अन्‍तर कि‍एक अछि‍? प्रश्नक संग इशारामे उत्तर सेहो बतेबामे उपन्‍यासकार पाछू नै हटलथि‍। जेकर स्‍पष्‍ट उदाहरण रघुकाकाक बरि‍यातीमे छीतन भाय सदृश लोककेँ अपन बाजाक संग भजन करैले चलैक लेल कहि‍ एकटा आदर्श समाजक परि‍पक्‍व छाप छोड़लनि‍ अछि‍।

ओतबे नै, एकटा कहावत अछि‍ ‘भेल-गेलपर शि‍व जगरनाथ’ एहने एकटा व्‍यक्‍ति‍ छथि‍ फोंचभाय, पाही जमीनदारक टहलू धड़फराएल आबि‍ छौंकए चाहै छथि‍ ई बाजि‍-

‘सभ कथुक आरि‍औन तँ देखै छी मुदा ससर आ घी कहाँ अछि‍?’

माने काज भँगठा एवं भरि‍या देबए चाहलनि‍। मुदा लेलहा फोंचभायकेँ चौहटैत ई सावि‍त क’ देलकनि‍ जे रघुकाका आ देवभाय सँ हमरो केकरोसँ कम अपेक्षा नै। फोंचभाय कएल काजमे केवल गलति‍येटा तकैबला लोक छथि‍।



मुदा हाय रे उपन्‍यासकार, समस्‍त उपन्‍यासमे जीवन थि‍क तँ मरण असंभावी.., ई खेल चलि‍ते रहैए। अही समाजक बीच लोक जनमो लइए आ मरबो करैए। पैघत्‍व तँ ऐ बातमे अछि‍ जे जइ समाजमे रघुबाबू सन दाता छलाह आइ ओकरे ऋृण चुकबए खाति‍र अर्थी उठबैले बुझू जे माि‍र भ’ रहल अछि‍। तही बीच लेलहाक मुँहसँ अनायास नि‍कलल जे सुनै जाउ, कान्‍ही लगा उठबि‍यनु नै तँ दरद हेतनि‍।’ सभ मानि‍ गेल।



एक दि‍स आंगनसँ लहास उठल आ दोसर दि‍स सहनाइपर वि‍दाइक धून। आहहा... यएह तँ सुख आ दुखक दुि‍नयाँ छी। जीवन-मरणक सार्थकता छी। मुदा हमरालोकनि‍ जीवनक एक्के भाग देखै आ जनै छी। जीवन आ मरण सृष्‍टि‍क चक्र छी। ऐसँ कि‍यो बाँचल कहाँ। एक ि‍दस करि‍याकाका आ दोसर दि‍स सुन्नरकाका रघुभायकेँ अंति‍म प्रणाम कऽ डेग आगू बढ़ौलनि‍। पाछू-पाछू देवनंदनक हाथमे आगि‍ अा कोहा दऽ पाछू-पाछू बरि‍आती सजि‍ वि‍दा भेल। तइ पाछू करि‍याकाका रेलगाड़ीक गार्ड जकाँ पाछू-पाछू। गाछी पहुँचि‍ सभ कि‍यो सभ कथुक जोगर अपना-अपना वि‍वेकसँ लगा सि‍रहौना-पथौना रूपी औछाओनपर सुता एक-एक चेरा चढ़बैत छाती भरि‍ ऊँच कऽ सुन्‍दरकाका देवक बाँहि‍ पकड़ि‍ धधकैत उक मुँहमे लगा देलकनि‍। बाँकी सभ काज समाजक नि‍अमानुसार तेरहसँ सत्तर दि‍न धरि‍ चलैत रहल। समाज तँ समाजक नि‍अम। तही बीच हुलन दुनू परानी, जेकर आधा देह झाँपल आ आधा उघार छल, ओसरक नीच्‍चेसँ अपन कर्मकेँ धर्म बूझि‍ प्रणाम केलकनि‍ आ मने-मन सोचबो करए जे रघुबाबूक काजमे कत्ते वर्तन लागत।

ईम्‍हर देवबाबू जि‍नका गाड़ामे उतरी छन्‍हि‍ हुनकोसँ बेसी चि‍न्‍ता करि‍याकाकाकेँ छन्‍हि‍ मुदा करि‍याकाकासँ कम कुसुमलाल पण्‍डि‍तकेँ कहाँ छै? ओकरा तँ ऐ बातक चि‍न्‍ता छै जे श्रधुआ वर्तनक काज तँ दसम-एगारहम दि‍न हएत, मुदा दहीक लेल?

ओतबे नै, रघुनन्‍दन बाबूक काजक मादे ततबेक चि‍न्‍ता राजेसर नौआकेँ सेहो। जेकर काज एक दि‍स पुजबैक प्रकि‍या तँ दोसर दि‍ि‍स कर्म सम्‍पन्न करेबाक। मुदा एतेक सभ कि‍छु होइतौ अपना समाजमे जे पण्‍डि‍तक कि‍रदानी छन्‍हि‍ तेकरो बखि‍या उघारैमे कतौ कमी नै रखला अछि‍। जे नायकक रूपमे शि‍वशंकर छथि‍ जे अदौसँ अद्यतन आन-आन श्राध-कर्मक उदाहरण दऽ जजमानक खून उड़ि‍स जकाँ पीबैत रहलाह जेकर साक्षात् उदाहरण सि‍ट्ठी भेल समाज सबहक सोझामे अछि‍।



मनुक्‍ख वि‍चारसँ पैघ होइत अछि‍। वि‍चार बदलल। नव पीढ़ीक प्रसादे सुन्‍दर आ दुधि‍गर गाए सभ सेहो गाममे आएल। तइ बीच चाहक संग सभ सभ अपन-अपन वि‍चार रखलनि‍। जइमे सर्वसम्‍मति‍सँ वि‍चार यएह भेल जे पाँच गोटे वि‍चार कऽ डेग उठाउ,

(1)  श्राद्ध घरवारी आ कर्ताक अनुकूल हुअए। दानस्‍वरूप मात्र झरखंडी बाछा नै दागल जाए।  

(1)(2) आन गामक पंच माने भोज खेनि‍हारसँ परहेज कऽ गामक सभ जाति‍केँ खुऔल जाए आन गामक दोस्‍त–कुटुम-दि‍आद तँ रहबे करता।

(1)ऐ प्रकारे उपन्‍यासक मादे उपन्‍यासकार हमरालोकनि‍क बीच व्‍याप्‍त वि‍भि‍न्न प्रकारक नीक आ अधला प्रथा-रीति‍-चलनि‍-मान्‍यताक बीच वि‍भि‍न्न प्रकारक लोक सबहक अमुल्‍य वि‍चार आ ओही समाजक दालि‍-भातमे मुसलचन्‍दक उदाहरण दऽ ओकरासँ सावधान केलनि‍। सृष्‍टि‍क जे चक्र छी जीवन-मरण जइसँ कि‍यो बँचि‍ नै सकै छी जेकरा समाज आ कर्त्तकेँ मनोनुकूल कऽ समाजमे रचनात्‍मक काज करी ऐ लेल एकटा दि‍शा-ि‍नर्देश देलनि‍। जेकरा देवनन्‍दन जी अपने शब्‍दे स्‍वीकार कऽ पि‍ताक नि‍म्मि‍ते साले-साल भोजे नै वल्‍कि‍ यथासाध्‍य कल्‍याणकारी काजक प्रेरणा देलनि‍।

नाटक बेटीक अपमानपर एक नजरि- दुर्गानन्‍द मण्‍डल



मैथि‍ली साहि‍त्यक एकटा वि‍धा नाटक अछि‍, जे वि‍धा सभ दि‍न रौदि‍याहे सन रहल। गि‍नल-चुनल नाटककारक कि‍छु नाटक जे आंगुरपर गनल जा सकैत अछि‍, दोगा-दोगी कोनो पुस्तकालयक शोभा मात्र बढ़ौलक। एकटा समए छल जइमे नाटककार जे नाटक लि‍खलनि‍ तइमे वाक्-पटुता नै रहबाक कारणे वा शुद्ध-अशुद्ध उच्चारण नै भेने वा समुचि‍त वाद-संवादक संग समदि‍याक अभाव सभ दि‍न देखल गेल। चूँकि‍ ओना हम जत्ते-जे ढकि‍ ली मुदा एकटा सत्यकेँ स्वीकार करए पड़त जे हम मैथि‍ल छी। हमरा लोकनि‍क मातृभाषा मैथि‍ली भेल। मुदा माएकेँ माँ कहैत कनेको लाज वि‍चार नै होइए। जेना कि‍ आँखि‍सँ लाजक पानि‍ खसि‍ पड़ल। तात्पर्य, मैथि‍ल होइतो दोसर भाषाक दासताक शि‍कार भेल छी आ ओकर भोग भोगि‍ रहल छी, बुझाइत अछि‍ जेना मैथि‍लीक लेल एेठामक माइटि‍ये उसाह भऽ गेल अछि‍, जइपर गदपुरनि‍ मात्र उपजि‍ सकैए। मुदा ओहेन उसाह माटि‍पर “बेटीक अपमान आ छीनरदेवी” लि‍खि‍ नाटकार बेचन ठाकुर, चनौरागंज, मधुबनी, मैथि‍ली नाट्य जगतमे एकर सफल मंचन कऽ महावीरी झंडा गाड़ि‍ समस्त मैथि‍ली, मैथि‍ल आ मि‍थि‍लाक मान-सानकेँ मात्र बढ़ेबे टा नै कलनि‍ अपि‍तु चारि‍-चाँद लगा देलनि‍। ऐ लेल ठाकुर जीकेँ समस्त मैथि‍ल भाषी आ नाट्य प्रेमीक तरफसँ हम कोटिश: धन्यैवाद दैत अपार हर्ष महसूस कऽ रहल छी। हमरा वि‍श्वास अछि‍ जे अपने ई दुनू रचना जेकर मंचन अपने अपनहि‍ कोचि‍ंग संस्थानक छात्र-छात्रा लोकनि‍सँ करा, ई साबि‍त कऽ देलौं जे मि‍थि‍लाक माटिमे‍ अखनो ओतेक शक्ति बचल अछि‍ जइपर केसरो उपजि‍ सकैत अछि‍।
नाटककारक नाटकक वि‍षय अति‍ उत्तम छन्हि। वर्त्तमान शताब्दीक सभ मनुख ऐ बातसँ भि‍ज्ञ अछि‍, सरकारी सर्वेक्षणसँ सेहो स्प‍ष्टत अछि‍ जे दि‍नानुदि‍न लि‍ंगानुपात बढ़ि‍ रहल अछि‍। सभ राज्यक अनुपात थोड़े ऊपर-नीचाँ भऽ सकैए मुदा कि‍यो ऐ बातसँ मुँह नै मोड़ि‍ सकै छथि‍ जे प्रति‍ हजार लड़ि‍का-लड़ि‍कीक बीच एकटा बड़का खाधि‍ बढ़ैत जा रहल अछि,‍ जइ खाधि‍मे लड़ि‍कीक अनुपात नि‍रंतर नीचाँ मुँहेँ गि‍ड़ैत जा रहल अछि‍ आ हमरा लोकनि‍ कानमे तूर-तेल दऽ नि‍चेनसँ सूतल छी। जौं ई क्रम जारी रहल तँ आगू की हएत से तँ सोचू!! ई एकटा प्रश्नवाचक चि‍न्ह छोड़बामे नाटककार एकदम सफल रहला अछि‍। एतबे नै, आजुक वैज्ञानि‍क युगमे यंत्रादि‍क सहायतासँ ई जानि‍ जे माइक गर्भमे पलैत बच्चाक, बेटा नै बेटी छी.... ि‍नर्मम हत्‍या करबामे कनि‍क्को कलेजा नै कँपैए!! जेकर कोनो कसूर नै ओकरा कुट्टी-कुट्टी काटि‍ खुने-खुनामे कऽ माइक गर्भसँ बहार कऽ दै छि‍ऐ। जइ बेथे ओइ बच्चाक माए पनरह दि‍न धरि‍ बि‍छौन धेने रहैत अछि‍। ऐठाम एकटा गप हम फरिछा कऽ कहि‍ दि‍अ चाहै छी, ओ बेथा हुनकर ओइ बेटीक प्रति‍ये नै जेकर ओ हत्या करौलनि‍ अछि,‍ अपि‍तु शारीरि‍क बेथा छन्हि जइ लेल एत्ते आ एहेन कुकर्म करै छथि‍। ओइ ि‍नर्दोष बच्चाक माए-बाप दुनू ततबाए दोषी छथि‍। ओ ई नै बूझि‍ रहल छथि‍ जे जइ बेटीक ओ हत्याए करौलनि‍ जौं ओ बेटी आइ नै रहैत तँ की अपने रहि‍तौं? जौं बेटी नै हएत तँ सृष्टिक रचना संभव अछि‍? जौं हँ तँ केना वा नै तँ एहेन अपराध कऽ स्वयं कि‍एक एतेक पैघ हत्यारा साबि‍त भऽ रहल छी। रानी झांसी, लक्ष्मीबाई, सावि‍त्री, अहि‍ल्या, सती अनुसुइया, इन्दि‍रा गांधी, मैडम क्यूरी, मदर टेरेसा..., ईहो सभ तँ बेटी‍ये छलीह। जौं हि‍नको हत्या पूर्वहि‍मे कऽ देल गेल रहैत तँ आइ.....। तखन आँखि‍ रहैत एना हम सभ आन्हर कि‍एक? बुइध‍ रहैत मुर्खाहा जकाँ काज कि‍ए करै छी?
मनुक्ख तँ मनुक्ख छी ने, छागर-पाठी आकि‍ गाए-महि‍ंस तँ नै जे कतौ कोनो.....। तहूमे साढ़े-पारा अधि‍क भऽ जाए, गाए-महि‍ंस कम, तखन की हएत? जौं हम-अहाँ ई नै सोचबै तँ के सोचताह? ऐ हत्याक पाछाँ एकटा अओर कारण अछि‍ जेकर नाओं थि‍क दहेज। मुदा उहो तँ हमहीं अहाँ लेबाल आ देबालो छि‍ऐ। अखनो समाजमे आ प्राय: गाम पाछाँ एक-आध गोटे जरूर छथि‍ जे अपन बालकक बि‍आह एकटा नीक कुल-कनि‍याँ ताकि‍ आदर्श बि‍अाह कऽ उदाहरण बनै छथि‍। ऐ काजक दोषीकेँ सजा नै दऽ ि‍नर्दोषकेँ जानेसँ मारि‍ दुनू परानी ऐ पापक भागीदारी छी। छीह.......।

शास्त्रो एकटा बात बतबैत अछि‍ जे “यत्र नार्यस्तु पूज्यंते रमन्ते तत्र देवता।” मुदा ओकर पूजा की करबै, ओइ देवीक संसारमे एबाक अधि‍कारे छीनि‍ होइए, जे बड़का काज केलौं।
जतए समस्त वि‍श्व ऐ समस्यासँ जरि‍‍ रहल अछि‍ ओतए नाटककार अपना नाटकक माध्यमे एकटा साधारणो लेखक सदृश अपन लेखनीक माध्यमे समाजमे ई संदेश देबामे पूर्णत: सफल छथि‍ जे समए रहैत जौं नै चेतब तँ नाटकक मुख्य पात्र दीपक सदृश हाल हएत। जे अंतमे कनि‍याँक मुइला पछाति‍ अपनेसँ भात पसाबथि‍, कि‍एक तँ हुनक कनि‍याँ बरोबरि‍ गर्भपात करेबाक कारणे शोनि‍तक कमीसँ उड़ीस भऽ मुइलीह। एतबे नै, बेटीक अभावमे नगद गीनि‍ आ तखन पुतोहु घर अनलाह। तखन हुनका कबीर साहैबक ई पाँति‍ मोन पड़ैत छन्हि, “सन्तोक सभ दि‍न होत एक समाना।” आबो जौं नै चेतब तँ अहि‍ना टाका दऽ बेटी बेसाहऽ पड़त। नि‍रंतर चीज-बौस जकाँ बेटि‍योक दाम बढ़ैत जाएत, जेकरा कि‍नैत-कि‍नैत अहाँक प्राण नि‍कलि‍ जाएत। कि‍एक तँ अपना समाजमे एकटा नै कएक टा मरूकि‍याबला अखनो जीवि‍ेते अछि, जे चारि‍ लाख एकावन हजार टाका नगद आ सभ सरंजाम संगहि‍ बरि‍आती ऊपरसँ। चेतु हे मैथि‍ल आबो चेतु। नै तँ आब ओ दि‍न दूर नै जे गाड़ीपर नाव रहत। आब बेटी अपन अपमान बरदास नै कऽ सकैए।
ऐ प्रकारे नाटककार समाजक लेल एकटा पैघ संदेश दऽ रहल छथि‍ जे गर्भपातसँ पैघ कोनो पाप नै होइत अछि‍। तँए ऐ पापसँ बची आ बेटीक बाप बनी। अहुना बेटा आ बेटी दुनू कोइखि‍क श्रृंगार होइए। ऐ तरहेँ श्री बेचन ठाकुर जी हमरा लोकनि‍क नीन तोड़ैमे सफल रहला। जे श्री जगदीश प्रसाद मण्डल जीक प्रेरणापूर्ण आदर्शवादी व्यक्तिक हाथ हुनका माथपर छन्हि, हम सेहो बि‍नु मंगने शुभकामना दैत छि‍यनि‍, रहबनि‍, जे अहि‍ना नाटक लि‍खैत रहथु, मंचन करबैत रहथु। धन्यवादक पात्र श्रुति‍ प्रकाशनक श्रीमती नीतू कुमारी आ नागेन्द्र झाजी केँ जे प्रकाशनक समस्त भार उठा कृतज्ञ हेबाक मौका देलखि‍न। जौं वि‍देह प्रथम पाक्षि‍क ई-पत्रि‍काक सह सम्पादक उमेश मण्डल एवं सम्पादक गजेन्द्र बाबूकेँ, जि‍नक अथक सहयोगक प्रसादे प्रकाशनक रास्ता सुगम आ प्रकाशन सफल भेल, तँए नै लि‍खब-कहब तँ अनुचि‍त।

Tuesday, August 28, 2012

जीवन-मरण :: दुर्गानन्‍द मण्‍डल


जीवन-मरण :: दुर्गानन्‍द मण्‍डल

जीवन-मरण उपन्‍यास, एकटा लब्‍ध प्रति‍ष्‍ठि‍त उपन्‍यासकार श्री जगदीश प्रसाद मण्‍डल जीक अनुपम कृति‍ अइ। हुनक लि‍खल अनेको उपन्‍यास, जे एक-सँ-बढ़ि‍-कऽ–एक अछि‍। जइमे उपन्‍यासकार द्वारा उठाओल गेल वि‍भि‍न्न प्रकारक सामाजि‍क रूढ़ि‍वादि‍ताक ज्‍वलंत उदाहरण प्रस्‍तुत कएल गेल अछि‍। मात्र प्रस्‍तुति‍करण धरि‍ कथा नै अपि‍तु ओकर सामाधान तकबामे सेहो उपन्‍यासकार सतत् सफल रहला अछि‍।

प्रस्‍तुत उपन्‍यासमे मनुखक जे अपन जि‍नगी छै, ओकर जे अपन समाज छै, समाजक प्रति‍ व्‍यक्‍ति‍ वि‍शेषक उत्तरदायि‍त्व होइत अछि‍ से, आ नवका पीढ़ी जे पश्चि‍मी सभ्‍यताक असभ्‍यतासँ ग्रसि‍त भऽ असभ्‍य बनि‍ गेला अछि‍ तइपर उपन्‍यासक आरंम्‍भमे एकटा कसगर चोट देलनि‍ अछि‍।
देवनन्‍दन जे बेवसायसँ डाॅक्‍टर छथि‍, पत्नी शीला द्वारा जनलनि‍ जे पि‍ताक मृत्‍यु भऽ गेल तैयो घबरेला नै सोचलनि‍ पि‍ताक अपन समाज छन्‍हि‍ जइ बीच ओ अपन जि‍नगी बि‍तौलनि‍। तँए उचि‍त हएत जे हुनका अपना समाजमे पहुँचा दि‍यनि‍ आ मृत्‍युक सभ कर्म सामाजेक अनुकूल बढ़ि‍यासँ करी ि‍नर्णए लेलनि‍।
मोबाइलसँ नम्‍बर नि‍कालि‍, टि‍पि‍ अपन जेठ बेटा दयानन्‍दकेँ जनौलनि‍-
बच्‍चा, बाबू मरि‍ गेलाह, तँए दुनू भाँइ गाम आऊ।
मुदा वाह रे पश्चि‍मी सभ्‍यता! देखू हमरा लोकनि‍केँ केना ग्रसि‍त केने अछि‍, दयानन्‍द बाजि‍ उठलाह-
बाबू, ऐ लेल गाम कि‍अए जाएब? आब तँ बि‍जलीबला शबदाहमे आसानीसँ काज सम्‍पन्न भऽ जाइत अछि‍
दयानन्‍दक वि‍चार सुनि‍ देवनन्‍दन कहलकनि‍-
बच्‍चा, सभ जीव-जन्‍तुकेँ अपन-अपन जि‍नगी होइत अछि‍। आ जे जेहने जि‍नगीमे जीबैत अछि‍ ओकरा लेल वएह जि‍नगी आनन्‍ददायक होइत अछि‍। जेना, चीनी, मि‍रचाइ आ करैला तीनूक तीन तरहक स्‍वाद, मीठ, कड़ू आ तीत होइए। मुदा की मरि‍चाइक कीड़ा आबि‍ करैलाक कीड़ा चीनीमे जीब सकत? कथमपि‍ नै। जखन की ओ तँ अधलाहसँ नीकमे गेल।
पि‍ताक बात सुनि‍ दयानन्‍दकेँ आश्चर्य भेलनि‍, मुदा देवनन्‍दनक अनुसारे ऐमे आश्चर्य कोन। कि‍एक तँ गामक दोसर नाम समाज सेहो छि‍ऐ। जे शहर-बाजारमे नै अछि‍। ऐठाम उपन्‍यासकार समाजकेँ मानव नै मानवक जे मूल सभ्‍यता छै ओकरा एकैसम सदीक नव पीढ़ी लेल एकटा मि‍शाल देखौलनि‍ अछि‍। जे वर्त्तमानमे आजुक पीढ़ी समाजकेँ नै बूझि‍ कि‍दैन बुझै छथि‍न, ओ बि‍सरि‍ गेलाह जे समाज की थि‍क, ओकर मान-मर्यादा कि‍ होइ छै, सामाजि‍क बन्‍धन की छी, ओकर कानून-कायदा की छै। आजूक वर्त्तमान आधुनि‍क समाज जइमे सभ अपने पाछू बेहाल रहैए। ओ केकर सुख-दुख, जीवन-मरणकेँ सुनत। ओ तँ भरि‍पेट नीक अन्न-तीमन खाएब मात्र जनैए। मुदा तइसँ कि‍ मन थोड़े अस्‍थि‍र भऽ सकैए। जाधरि‍ आत्‍माक संतुष्‍टि‍ नै हेतैक। बुझेबामे केत्तौ कोनो प्रकारक कि‍न्‍तु-परन्‍तु नै राखि‍, मनुक्‍ख एकटा सामाजि‍क प्राणी होइत अछि‍, ओकर अपन एकटा समाज छै, जइमे सभ एक-दोसराक सुखसँ सुखी आ दुखसँ दुखी होइ छथि‍, देखेबामे सफल भेलाह। वर्त्तमानमे जन्‍म जरूर जाति‍-समाजमे होइ छै, मुदा लगले आँखि‍-पाँखि‍ भेने हमरालोकनि‍ अपन मूल समाजकेँ भूलि‍-बि‍सरि‍ आन समाजमे मि‍लि‍ हूलि‍-माि‍ल उठेने रहै छी। केतेक दुखक बात भेल। कला आ संस्‍कृितसँ दूर तँ स्‍वभावि‍क रूपे तँ छि‍हे ओना हम सभ कतेको नोर मंचपर कि‍एक ने बहा ली।
दोसर दि‍स उपन्‍यासकार मि‍थि‍लानि‍क एकटा गजब चि‍त्र प्रस्‍तुत केलनि‍ अछि‍। मैथि‍ल नारि‍ अपन पति‍केँ परमेश्वर मानै छथि‍। जि‍नकेपर हुनका भरि‍ मांग सेनुर आ भरि‍ हाथ चुड़ी रहैत छन्‍हि‍। अपना पति‍क प्रति‍ कतेक नि‍ष्‍ठा रखै छथि‍ स्‍पष्‍ट अछि‍-
अदौसँ सावि‍त्री, अनुसुर्इया आदि‍ ऐ वि‍षयमे जगवि‍दि‍त छथि‍। देवनंदनक माए सुभद्रा जि‍नका चेहरापर सोग नै अपि‍तु सि‍नेह उमरि‍ रहल छन्‍हि‍। मोने-मन आनंदि‍त जे, जहि‍ना हाथ पकड़लनि‍ तहि‍ना पार-घाट लगा देलनि‍। भड़ल-पुड़ल फुलवाड़ी अछि‍ कतौ हेराएल रहब।
मि‍थि‍लानि‍क महान वि‍चार आ ति‍यागक स्‍तरकेँ कतेक सुक्ष्‍म रूपेँ उपन्‍यासकार रखलनि‍ अछि‍। ति‍यागक मूर्तिक रूपमे ऐ तरहेँ स्‍पष्‍ट अछि‍ जे पति‍केँ मुइला बादो हर्ष छन्‍हि‍ जे हमरा अछेत मरलाह से नीके भेलनि‍। अन्‍यथा मोनमे लागल रहैत जे हुनक शेष दि‍न केहेन...।
सभ पौस-प्राणी गुनधुनमे पड़ल गाम चलल जा रहल छथि‍। देवनंदन सोचथि‍, से नै तँ आइ समाजक काज पड़त। समाजक की महत छै। मनुक्‍ख कोन तरहेँ सामाजि‍क प्राणी होइए, समाजक बीच बाबूजी केना जीबथि‍, कतेक परि‍वारसँ दोस्‍ती छलनि‍ आ कतेकसँ दुश्‍मनी, गुनधुनमे पड़ल माएसँ पुछलखि‍न-
माए, कते परि‍वारसँ बाबूजी केँ दोस्‍ती छेलनि‍। तखन माएकेँ मोन पड़लनि‍ ओ समाज, जतए सभ मि‍लि कुमरम, बि‍आह, सामा, घरक गोसाँइसँ लऽ कऽ दुर्गा स्‍थानक गीत मोन पड़ए लगलनि‍। देवनंदनक बात सुनि‍ माए-सुभद्रा बजलीह-
छिया, छिया। मिथिलाक समाज छी। ऐ समाजमे मुर्दा जरबैले, केकरो घरक आँगि मिझबैले, केकरो-साँप-ताप कटने रहल आकि‍ गाछ-ताछपर सँ खसलापर केकरो कियो कहै नै छै। ई सामाजिक काज छी। तँए, अपन काज बूझि सभ अपने तैयार भऽ जाइत अछि।
ऐठाम उपन्‍यासकार मि‍थि‍ला आ मैथि‍ल समाजक एकटा वि‍लक्षण उदाहरण द’ अपन सभ्‍यता आ संस्‍कृति‍क परिचए द’ समाजक समुद्री रूपकेँ दर्शन करौलनि‍ अछि‍। पूर्वोमे बाढ़ि एलापर करि‍याकाका आ देवनंदन द्वारा उठाओल गेल कदम आबैबला समाजक लेल एकटा आदर्श उपस्‍थि‍त केलनि‍ अछि‍। आखि‍र दि‍न बि‍सेक बाद सभ घूमि‍ अपन-अपन घर आएल रहथि‍। ओही समाजक एकटा अभि‍न्न अंग देवनंदनक पि‍ता जे समाजक प्रति‍ष्‍ठि‍त व्‍यक्‍ति‍‍ रघुनंदनक लहाश गाम पहुँचते आगू-आगू गाड़ी आ पाछू करमान लागल लोक दि‍यादीमे सबहक चुल्हि‍ मि‍झाएल।
दोसर दि‍स उपन्‍यासकार जे मर्द-पुरुखक क्रि‍या-कलाप, स्‍त्रीगण सबहक गप-सप तँ एक दि‍स 111 बर्खक रधि‍या दादी गाइक गर्दनि‍ जकाँ लटकल चमरी, बाइस गाहीक बर्ख भेल, पूर्वमे रधुनंदनकेँ कतेको दि‍न दूध पि‍औने रहथि‍न, उपस्‍थि‍त क’ सामाजि‍क आ मातृत्‍व प्रेमक ज्‍वलंत उदाहरण प्रस्‍तुत केलनि‍। जि‍नका दादी जूरशीतलमे अछि‍ंजलसँ असि‍रवाद द’ फगुूआमे रँगो खेलाइत छलीह। से सप्‍तरंगी समाजक इंद्रधनुषी संबंधक एकटा वि‍लक्षण उदाहरण अछि‍।
श्राद्ध-बि‍‍आह समाजेक काज होइते अछि‍। समाज तँ समाजे होइए तहूमे ओहेन समाज जइठाम रघुनंदनकेँ उत्तरे-दछि‍ने सुता उज्जर दप-दप वत्रसँ छाँपि‍ सि‍रहानामे धूप-गुगुल जरैत अछि‍। तइ बीच बचनू, चंचन, झोली, बौकू, बतहू देहपर तौनी आ डाँरमे धोती पहि‍रने कान्‍हपर कुरहरि‍ नेने संग-मि‍लि‍ कानी-गाबी आ हँसी ऐ सँ पैघ सुख केकरा कहबै? जइ सुखक लेल लोक नीच-सँ-नीच काज करैए मुदा पाबि‍ नै पबैए। ऐठाम उपन्‍यासकार भौति‍क सुखकेँ सुख नै मानि‍ आत्‍मि‍क सुख, अतिइन्‍द्रि‍य सुख जइसँ आत्‍मि‍क शान्‍ति‍ भेटैत छै, ओ वास्‍तवि‍क सुख थि‍क। तँए मात्र दैहि‍क सुखकेँ क्षणि‍क आ आत्‍मि‍क सुखकेँ वास्‍तवि‍क बता अपनाकेँ आध्‍यात्‍मि‍क हेबाक सेहो परि‍चय द’ समाजोकेँ आध्‍यात्‍मि‍क बातपर चि‍न्‍तन-मनन अनुकरणक प्रेरणा देलनि‍ अछि‍।
समाजक समस्‍त काजक जि‍म्मा करि‍याकाकापर छन्‍हि‍। समाजक ऊँच-नीच, छोट-पैघ सभ जाति‍क लोक, जाति‍-परजाति‍ सभ मि‍लि‍ रघुकाकाक काजमे पूर्ण सहयोग देबए चाहै छथि‍ चाहे ओ ि‍कर्तनि‍या हुअए आकि‍ भजनि‍या, लेलहा हुअए आकि‍ बौका, सुन्‍दर काका होथि‍ वा छीतन भाय दुनू परानी जे जाति‍क डोम छथि‍। जे पूर्वमे गुनापर रघुकाकाकेँ पाँचटा गीत सुनौने छलाह। जीवि‍ते छथि‍ छीतन भाय। छि‍तनो भायकेँ बरि‍यातीमे हकार देब नै बि‍सरब, समाजक जाति‍-पाति‍क कुप्रर्थासँ नि‍कालि‍ मनुक्‍खक जे एकटा अपन समाज होइछ, मनुक्‍खक जे एकटा जाति‍ होइए जइमे सभ वर्ग आ वर्णक लोक रहैए, वास्‍तवमे ओ ने समाज छी। ओइ जाति‍गत भावनासँ ग्रसि‍त समाजकेँ ऊपर मुँहेँ उठा स्‍वच्‍छ वातावरणमे शुद्ध साँस लेबाक बाट देखौलनि‍ हेन। जहि‍ना हवा अनेक गैसक मि‍श्रन छी तहि‍ना तँ समाजो अनेक वर्ग आ वर्णक मि‍श्रण छी। जौं से नै तँ कि‍यो एक-दोसरक बि‍ना जीब सकत? संभव नै, मुदा से बुझैत लोक अपने स्‍वार्थमे आन्‍हर भेल रहैए। आ फल्‍लंमा डोम तँ फल्‍लांमा दुसाध ई संस्‍कार नैन्‍हि‍येटा सँ माए-बाप देबामे पाछू नै रहै छथि‍। आखि‍र एकटा प्रश्न हमरा तरफसँ, अहाँ प्रबुध समाजक लेल अछि‍, जौं समाजमे सभ जाति‍ नै रहत तँ की समाजि‍क जीवन चलि‍ सकत यदि‍ हँ तँ केना? जौं नै तँ फेर एहेन भावना कि‍एक? डोमसँ हम छूबल जाएब, मुदा ओकर बनाओल चीज-बौस गौसाँइ-पि‍तरपर चढ़त तँ की इष्‍ट-देव नै छुऔत। जौं छुआएत तँ सनातनि‍ये सँ कि‍एक ने..... ? आ जौं देव-पि‍तर नै छुआएत तँ हमरा-अहाँकेँ छुएबाक कोन आधार बनल अछि‍??

झाँपले परदामे उपन्‍यासकार जाति‍-प्रथाकेँ तोड़ि‍ एकटा आदर्शवादी समाज स्‍थापनापर जोर देलनि‍। जहि‍ना फुलवाड़ीमे जुही, चमेली फूल रहैत अछि‍ तहि‍ना गेना गुलाब सेहो। अधला नै तँ नीकक महत्ते की? तीत नै तँ मीठक स्‍वादे की? कारी नै तँ गोरे की? तहि‍ना तँ समाजो एकटा फुलवाड़ी होइ छै। जइमे सभ तरहक लोकक अपन-अपन भूमि‍का होइ छैक।
वि‍चार करबाक थि‍क जे वैदि‍क पद्धति‍पर चलए बला समाजक चि‍त्र जे जहजहि‍ उपन्‍यासमे आएल अछि‍ से तँ सहज अछि‍। मुदा आजुक ओहन समाज जइमे अलगाव अछि‍। मनुक्‍ख-मनुक्‍खमे एतेक अन्‍तर कि‍एक अछि‍? प्रश्नक संग इशारामे उत्तर सेहो बतेबामे उपन्‍यासकार पाछू नै हटलथि‍। जेकर स्‍पष्‍ट उदाहरण रघुकाकाक बरि‍यातीमे छीतन भाय सदृश लोककेँ अपन बाजाक संग भजन करैले चलैक लेल कहि‍ एकटा आदर्श समाजक परि‍पक्‍व छाप छोड़लनि‍ अछि‍।
ओतबे नै, एकटा कहावत अछि‍ ‘भेल-गेलपर शि‍व जगरनाथ’ एहने एकटा व्‍यक्‍ति‍ छथि‍ फोंचभाय, पाही जमीनदारक टहलू धड़फराएल आबि‍ छौंकए चाहै छथि‍ ई बाजि‍-
‘सभ कथुक आरि‍औन तँ देखै छी मुदा ससर आ घी कहाँ अछि‍?
माने काज भँगठा एवं भरि‍या देबए चाहलनि‍। मुदा लेलहा फोंचभायकेँ चौहटैत ई सावि‍त क’ देलकनि‍ जे रघुकाका आ देवभाय सँ हमरो केकरोसँ कम अपेक्षा नै। फोंचभाय कएल काजमे केवल गलति‍येटा तकैबला लोक छथि‍।

मुदा हाय रे उपन्‍यासकार, समस्‍त उपन्‍यासमे जीवन थि‍क तँ मरण असंभावी.., ई खेल चलि‍ते रहैए। अही समाजक बीच लोक जनमो लइए आ मरबो करैए। पैघत्‍व तँ ऐ बातमे अछि‍ जे जइ समाजमे रघुबाबू सन दाता छलाह आइ ओकरे ऋृण चुकबए खाति‍र अर्थी उठबैले बुझू जे माि‍र भ’ रहल अछि‍। तही बीच लेलहाक मुँहसँ अनायास नि‍कलल जे सुनै जाउ, कान्‍ही लगा उठबि‍यनु नै तँ दरद हेतनि‍।’ सभ मानि‍ गेल।

एक दि‍स आंगनसँ लहास उठल आ दोसर दि‍स सहनाइपर वि‍दाइक धून। आहहा... यएह तँ सुख आ दुखक दुि‍नयाँ छी। जीवन-मरणक सार्थकता छी। मुदा हमरालोकनि‍ जीवनक एक्के भाग देखै आ जनै छी। जीवन आ मरण सृष्‍टि‍क चक्र छी। ऐसँ कि‍यो बाँचल कहाँ। एक ि‍दस करि‍याकाका आ दोसर दि‍स सुन्नरकाका रघुभायकेँ अंति‍म प्रणाम कऽ डेग आगू बढ़ौलनि‍। पाछू-पाछू देवनंदनक हाथमे आगि‍ अा कोहा दऽ पाछू-पाछू बरि‍आती सजि‍ वि‍दा भेल। तइ पाछू करि‍याकाका रेलगाड़ीक गार्ड जकाँ पाछू-पाछू। गाछी पहुँचि‍ सभ कि‍यो सभ कथुक जोगर अपना-अपना वि‍वेकसँ लगा सि‍रहौना-पथौना रूपी औछाओनपर सुता एक-एक चेरा चढ़बैत छाती भरि‍ ऊँच कऽ सुन्‍दरकाका देवक बाँहि‍ पकड़ि‍ धधकैत उक मुँहमे लगा देलकनि‍। बाँकी सभ काज समाजक नि‍अमानुसार तेरहसँ सत्तर दि‍न धरि‍ चलैत रहल। समाज तँ समाजक नि‍अम। तही बीच हुलन दुनू परानी, जेकर आधा देह झाँपल आ आधा उघार छल, ओसरक नीच्‍चेसँ अपन कर्मकेँ धर्म बूझि‍ प्रणाम केलकनि‍ आ मने-मन सोचबो करए जे रघुबाबूक काजमे कत्ते वर्तन लागत।
ईम्‍हर देवबाबू जि‍नका गाड़ामे उतरी छन्‍हि‍ हुनकोसँ बेसी चि‍न्‍ता करि‍याकाकाकेँ छन्‍हि‍ मुदा करि‍याकाकासँ कम कुसुमलाल पण्‍डि‍तकेँ कहाँ छै? ओकरा तँ ऐ बातक चि‍न्‍ता छै जे श्रधुआ वर्तनक काज तँ दसम-एगारहम दि‍न हएत, मुदा दहीक लेल?
ओतबे नै, रघुनन्‍दन बाबूक काजक मादे ततबेक चि‍न्‍ता राजेसर नौआकेँ सेहो। जेकर काज एक दि‍स पुजबैक प्रकि‍या तँ दोसर दि‍ि‍स कर्म सम्‍पन्न करेबाक। मुदा एतेक सभ कि‍छु होइतौ अपना समाजमे जे पण्‍डि‍तक कि‍रदानी छन्‍हि‍ तेकरो बखि‍या उघारैमे कतौ कमी नै रखला अछि‍। जे नायकक रूपमे शि‍वशंकर छथि‍ जे अदौसँ अद्यतन आन-आन श्राध-कर्मक उदाहरण दऽ जजमानक खून उड़ि‍स जकाँ पीबैत रहलाह जेकर साक्षात् उदाहरण सि‍ट्ठी भेल समाज सबहक सोझामे अछि‍।
मनुक्‍ख वि‍चारसँ पैघ होइत अछि‍। वि‍चार बदलल। नव पीढ़ीक प्रसादे सुन्‍दर आ दुधि‍गर गाए सभ सेहो गाममे आएल। तइ बीच चाहक संग सभ सभ अपन-अपन वि‍चार रखलनि‍। जइमे सर्वसम्‍मति‍सँ वि‍चार यएह भेल जे पाँच गोटे वि‍चार कऽ डेग उठाउ,
(1)  श्राद्ध घरवारी आ कर्ताक अनुकूल हुअए। दानस्‍वरूप मात्र झरखंडी बाछा नै दागल जाए।    

(2) आन गामक पंच माने भोज खेनि‍हारसँ परहेज कऽ गामक सभ जाति‍केँ खुऔल जाए आन गामक दोस्‍त–कुटुम-दि‍आद तँ रहबे करता।
   ऐ प्रकारे उपन्‍यासक मादे उपन्‍यासकार हमरालोकनि‍क बीच व्‍याप्‍त वि‍भि‍न्न प्रकारक नीक आ अधला प्रथा-रीति‍-चलनि‍-मान्‍यताक बीच वि‍भि‍न्न प्रकारक लोक सबहक अमुल्‍य वि‍चार आ ओही समाजक दालि‍-भातमे मुसलचन्‍दक उदाहरण दऽ ओकरासँ सावधान केलनि‍। सृष्‍टि‍क जे चक्र छी जीवन-मरण जइसँ कि‍यो बँचि‍ नै सकै छी जेकरा समाज आ कर्त्तकेँ मनोनुकूल कऽ समाजमे रचनात्‍मक काज करी ऐ लेल एकटा दि‍शा-ि‍नर्देश देलनि‍। जेकरा देवनन्‍दन जी अपने शब्‍दे स्‍वीकार कऽ पि‍ताक नि‍म्मि‍ते साले-साल भोजे नै वल्‍कि‍ यथासाध्‍य कल्‍याणकारी काजक प्रेरणा देलनि‍।     ‍‍      

Sunday, August 26, 2012

जगदीश प्रसाद मंडलक “गामक जि‍नगी‍”- धनाकर ठाकुर


श्री जगदीश प्रसाद मंडलक “गामक जि‍नगी‍” कथा संग्रहमे १९ कथा छन्हिद। कथा सबहक शीर्षक बहुत छोट राखब लेखकक वि‍शेषता छन्हि। मुदा ऐ‍‍ कारणे ई मुख्यक पात्र प्रधान रहि‍ जाइत अछि‍।
गामक जि‍नगी केना शहरसँ अलग अछि‍ संभवत: लेखक एकरहि‍ प्रदर्शित करक प्रयास वि‍वि‍ध कथामे केने छथि‍। औद्यौगि‍क क्रांति‍क बाद बनल शहर, गामहि‍सँ उपटल लोकसँ बसल अछि‍ गामहि‍सँ जीवि‍काक खोजमे गेल लोकसँ जे बादमे क्रमश: गाम छोड़ि‍ देलनि‍। गाम छोड़ि‍ कोनो शहरमे जेबाक कारण प्रारम्भिा‍क अवस्थालमे औद्यौगि‍क पूंजी हुअए जइ‍‍मे गामक वर्णवैषम्यिक भाव भऽ नै‍‍ रहल हुअए मि‍थि‍लाक लेल कोसी-कमला समेत अनेक नदीमे अबएबला बाढ़ि‍ कारण रहल अछि‍ ओना बाढ़ि‍ स्वियं सेहो बड़का औद्यौगि‍क देशक सामान बेचक प्रकरण-उपकरणमे बनएबला बड़का बैराज-बांध आदि‍क कारणहि‍ अछि‍।

लेखककेँ मनमे कचोट छन्हिअ जे लोक कि‍एक गाम छोड़ि‍ बाहर जाइत अछि‍। पंजाब तक जकर परिणाम होइत छन्हिो बादमे नाव चलबैत, वा गामपर रि‍क्शाह चलबैत लगक कसबा वा स्टेनशनसँ जे पात्र कहैत छन्हिप- “हमर गामक लोक पंजाब नै‍‍ जाइत अछि‍।‍”

कि‍छु वर्ष पूर्व घोघरडीहा वा जयनगर सन स्टेशनसँ पंजाब आदि‍क छपल टि‍कट भेटैत छलैक जे एक दि‍नमे एक-एक स्टेँशनसँ लाख- लाख टाकाक कटि‍ जाइत छलैक जइपर पंजाबमे हरित क्रांति‍ अओलैक।

प्रति‍नि‍धि‍ कथा “डाक्टेर हेमन्तआ‍”, स्वियं डाक्टपर होइक चलते हम
सर्वप्रथम पढ़लौं। एक डाक्टइरक बेटा डाक्ट र हेमन्तर प्राय: दरभंगामे
काज करैत “लक्ष्मीकपुर‍” (बाढ़ि‍क गाम नि‍र्मली लग) जाइत अछि अधि‍कारीक आदेशसँ। चूँकि‍ ओ स्वटयं एक गामसँ नि‍कलल अछि‍ पि‍ताजीक उपार्जित धनक बंटबारामे मुकदमेबाजीसँ त्रस्त् अछि। डाक्टरर हेमन्तर तँ मि‍थि‍लेक शहरमे रहलाह। जतए कि‍ प्रमंडल एखन तक सहरसा या शहर सन कहबैत अछि‍। जतए कोनो शहर शहर सन‍ नै‍ अछि‍ बल्किो‍ गामहि‍क एक प्रति‍रूप अछि‍। मुदा हुनक बेटा कोनो दोसर प्रांतक शहरमे नौकरी लेल चलि‍ गेलखि‍न‍। डाक्टकर नै‍‍ बनलखि‍न यद्यपि‍ कहानीमे ई लि‍खल नै‍‍ अछि‍ कि‍एक मुदा संभवत: आब डाक्ट‍री पढ़नाइ कम टाका दऽ भऽ गेल अछि‍ तँए। कि‍छु वर्ष पहि‍ने तकक बि‍हारक गुंडाराजमे फि‍रौती अपहरणक कथा सामान्यस छल जकर धमकी स्वेरूप लाख टाका वा मौतक धमकी हेमन्त्केँ सेहो भेटलनि‍ मुदा ओहूसँ पैघ धमकी बाढ़ि‍ क्षेत्रमे काज करए जाउ वा जेल जे सामान्यखत: सुनल नै‍‍ गेल अछि‍ मुदा शासनक आतंक चोर-गुंडासँ कम नै‍‍ तकर उदाहरण अछि‍ ऐ‍‍मे। फि‍रौतीक माँगसँ बँचबाक लेल यदि‍ बाढ़ि‍-ड्यूटीकेँ हेमन्ति अंतमे धन्य वाद दैत तँ कथाक पूर्णतामे एक डेग होइत आ तहि‍ना बाढ़ि‍मे कतौसँ आएल कोनो परि‍वारमे पालिता सुकन्याय सुलोचनाक प्रति
डाक्ट रक मनोभावक वि‍कास कथामे नै‍‍ भऽ पएल। सुन्दलरी सुलोचनाक आयु कि‍छु बढ़ा नवयौवना बना आेइप‍र कामुक मनोदशाक चि‍त्र खि‍ंचल जा सकैत छल वा एक छोट कन्या क रूपमे बालि‍का सुलोचनाक प्रति‍ वात्सेल्य ताक जे मैथि‍ल
परम्प रा अनुसार होइत- “चलू दरभंगा ओतहि‍ पढ़ब अहाँ।‍” कि‍एक तँ वि‍देशी मनोदृष्टिा‍जन्यद कामव्याकधि‍सँ छोट बालि‍कामे कामुकता तकनाइ हमरा सबहक अग्राह्य रहैत। वा, सुलोचना कि‍छु मास बाद दरभंगा कोनो बीमारी जेना सांपक वि‍ष (जकर चर्चा प्रारम्भ मे अछि‍, लऽ डाक्टीर हेमन्तगक क्लिव‍नि‍कपर आबि‍ बचि‍ जइतथि‍ वा एन्टीध-स्ने्क भेनमक अभावमे तँ कहुना पहुँचि‍यौ कऽ दम तोड़ि‍ दि‍तथि‍ वा बँचलाक बाद आेइ‍ समए डाक्टिर हेमन्तरक नौकरीया बेटा
गामपर आएल रहैत आ ओकरा बि‍याहि‍ बंगलोर लऽ जइतथि‍। मतलब जे कथामे बात उठए से पूर्ण हेबाक चाही। गामक पड़ाइन रूकि‍ जाए, दरि‍द्रा कम भऽ जाए आदि आ तहि‍ना भाषागत शुद्धता हि‍न्दीजसँ लेल शब्दह लेल सेहो समान “सामान‍” जकाँ ग्रहण करब उचि‍त लेखककेँ। कि‍ताबक छपाइ नीक मुदा फोन्ट“ पैघ हेबाक छल आ दाम कि‍छु कम उपेक्षि‍त छल जे प्रकाशकीय धर्मक अनुरूप होइत।

मैथिली चित्रकथा/ गोनू झा आ आन मैथिली चित्रकथा - डा. रमण झा


श्रीमती प्रीति ठाकुरक दू गोट सचित्र कथा संग्रह -मैथिली चित्रकथा एवं गोनू झा आ आन मैथिली चित्रकथा देखलौं आ पढ़लौं । चित्रक माध्यमे कथाक प्रस्तुति एकटा अभिनव प्रयोग थिक जे लोककेँ, विषेषतः बच्चा सभकेँ अपना दिस आकृष्ट करत।
खिस्सा पिहानी कहबाक आ सुनबाक परंपरा मिथिलामे अदौसँ चल आबि रहल अछि। बूढ़ पुरान स्त्रीगण लोकनि छोट-छोट बच्चा सबहक े ँ सुतयबाक काल नाना प्रकारक खिस्सा सभ सुनबैत छथि जे मनोरंजनक संग संग उपदेषप्रद एवं षिक्षाप्रद सेहो रहैत अछि। आेइ खिस्सा सभमे प्रसिद्ध अछि -दैत्य सभक खिस स्सा, राज कुमार सबहक खिस्सा, रामायण महाभारतक खिस्सा, गोनू झाक खिस्सा प्रभृति। उच्च विद्यालय एवं महाविद्यालयमे प्रवेष कयलाक बाद छात्र-छात्रा लोकनि स्वयं कथा पढ़ैत छथि, बुझैत छथि, ओकर रसास्वादन करैत छथि आ समैपर लोककेँ सेहो सुनबैत छथि। 
मैथिलीक संग विडम्वना ई अछि जे महा विद्यालय एवं विष्वविद्यालय स्तरपर लोक विषयक रूपमे मैथिली रखितो अछि, पढ़ितो अछि किन्तु विद्यालय स्तरपर सरकारी घोसनाक बादो लोक ने मैथिली विषयक रूपमे रखैत अछि आने मैथिली माध्यमे कोनो आने विषय पढ़ैत अछि। एतेक धरि जे मिथिलांचलक विद्यालय सभमे गुरुओजी लोकनि मैथिलीमे पढ़यबामे हीनताक बोध करैत छथि। नव युवक लोकनि बि‍याह होइतहि पत्नीक संग हिन्दी झारय लगैत छथि। कनेक पढ़ल लिखल आ पदवीबला लोक सभकेँ देखबनि जे अपनामे जँ मैथिलीयोमे गप्प करताह तँ बच्चा सभसँ निष्चय रूपसँ हिन्दीमे। हुनका सभकेँ ई नै‍ बुझाइत छन्हिे जे मैथिली भाषा कठिन छैक। एकर समुचित ज्ञान जँ बच्चामे नै‍ होयतैक तँ बादमे होयब कठिन छैक । कवीष्वर चन्दा झा अमैथिलीभाषी(अन्यदेषीयक)क हेतु मैथिली भाषा ओहने कठिन कहलनि अछि जेहन एकटा इचना माछक बच्चाक हेतु समुद्रक सभटा जलकेँ पीयब छैक-
भाषा यदन्यदेषीयोः मिथिलायाः भवेत्तदा।
प्ीतमिंचाकपोतेन समस्तं वारिधेर्जलम्।।
जतय धरि हिन्दीक प्रष्न अछि तँ ओ तँ राष्ट्रªभाषा थिक । अनिवार्य विषय थिक। ओकर ज्ञान तँ स्वतः प्रत्येक व्यक्तिकेँ होयतैक आ रहिते छैक। 
एहन स्थितिमे श्रीमती प्रीति ठाकुरक उपर्युक्त विवेच्य पोथी देखि‍ हमर मन गदगद भए गेल। गोनू आ आन मैथिली चित्रकथामे कुल १६ गोट कथा अछि जइ‍मे गोनू झासँ सम्बद्ध नओ गोट कथा, महाकवि कालिदाससँ सम्बद्ध एक गोट आ शेष छओटामे राजा सलहेस, नैका बनिजारा इत्यादि प्रमुख चर्चित कथा सभ काल्पनिक चित्रक माध्यमे चित्रित कएल गेल अछि। ऐ‍ सभ कथामे किछु बात तँ शब्दक माध्यमे अभिव्यक्त कएल गेल अछि आ किछु गप्प चित्र स्वयं कहैत अछि। ऐ‍ कथा सबहक प्रसंग जे लोकक मनमे एकटा भावचित्र छल होयतैक से एतय बूझि पड़ैत अछि जेना साकार भए उठल हो। 
विदुषी कथा लेखिकाक दोसर संग्रह थिक मैथिली चित्रकथा जइ‍मे कुल १० गोट प्रमुख कथा सभ वर्णित अछि। ऐ‍ कथा सबहक बीच बीचमे काल्पनिक चित्र सबहक समायोजन कथाक यथार्थताकेँ प्रमाणित करैत अछि। ऐ‍ संग्रहमे संग्रहित महत्वपूर्ण कथा सभ थिक -राजा सलहेस, बोधि कायस्थ, दीना भदरी, नैका बनिजारा, विद्यापतिक आयु अवसान प्रभृति।
हमरा पूर्ण विश्वास अछि जे उपर्युक्त दुनू कथा संग्रह बच्चा सभकेँ तँ आकृष्ट करबे करत अपितु समाजक सभ वर्गक लोककेँ एक बेर‍ एकरा उलटयबाक लिप्सा होयबे करतैक। ऐ‍ दिशामे श्रीमती ठाकुरक स्तुत्य प्रयास अछि, साहसिक डेग अछि आ अभिनव प्रयोग अछि। हमर शुभकामना अछि जे कथा लेखिका एहने सरस, सहज आ सजल रचना सभसँ मैथिली साहित्यक भण्डारकेँ सुरभित करैत रहथि।

डॉ. शेफालिका वर्मा - प्रीति ठाकुरक मैथिली चित्रकथा


प्रत्येक भाषामे किछु एहेन रचनाकार होएत छथि, महिला वाकि पुरुष-वर्ग, अपन विलक्षण प्रतिभाक कारण सभसँ फराक बुझा पडै़त छैथ। ई दोसर बात थि‍क की आलोचक वर्ग महिला लेखनकेँ इतिहासक पन्नाक एकटा कोन दऽ दैत छथि‍। किछु भाग्यशाली लेखिकाकेँ किछु स्थानो भेट जाइत छैक, मुदा, समग्रतामे नै। लेखनमे महिला पुरुष नै होइत छैक, जइ विषएपर  लेखक लिखैत छैथ, आेइपर लेखिका सेहो लिखैत छथि‍, कखनो बेसी नीक, बस, आब एकेटा प्रतीक्षा अछि जे कोनो सशक्त महिला आलोचककेँ देखी, जे महिला नै भऽ मात्र आलोचक रहथि‍, पूर्वाग्रहसँ रहित नीक आलोचनाकेँ जन्म दैत। मैथिली साहित्यक इतिहासमे चारि चान लगाबथि‍, हम जनैत छी एहेन विद्वान लेखिकाक कमी नै अछि......
आइ प्रीति ठाकुरक मैथिली चित्रकथा, गोनुझापर पोथी देखि‍ चमत्कृत भऽ गेलौं। पहिने तँ हम मैथिलीक नेना भुटका लेल कोमिक्स बुझ्लौं, मुदा पढ़ए लगलौं तँ एकरामे डूबी गेलौं गागरमे सागर...। अद्भुद.. मैथिली लोकगाथाक विपुल संसारकेँ शिवक जटाजूट जकाँ कोना समेटी लेने छथि‍, ई पढ़ला उप्रानते बुझा पडत। कतेक कथाक खाली नाओं सुनने छलौं, ओ सभ ऐ‍ पोथीमे साकार छल। जहिना आजुक समाज अकबर बीरबलकेँ बिसरि रहल अछ, ओहिना गोनू झाकेँ।
प्रस्तुत पोथिक माध्यमसँ पाठक अपन समाजक सभ वर्गक आदर्शकेँ चीन्हि‍ सकैत छथि‍।
प्रीति जीकेँ अशेष शुभकामना एतेक सुन्दर पोथी लेल, प्रीतिजी आ गजेन्द्रजी सँ हम एकटा आग्रह करबनि‍ जे कोसी नदी लेल बड़ खिस्सा कथा समाजमे पसरल छैक, ओकरो चित्रकलामे समेटि‍ लथि‍। कोसी नदीक रहस्यमय चरित्र, सिंघेश्वर बाबासँ बि‍याह आदि, आदि खिस्सा सभ.....जहिना समाजक प्रत्येक क्षेत्रमे नारी आइ निरंतर आगू बढ़ि‍ रहल छथि, ओहिना मैथिली मिथिलाक विकासमे आजुक नारी अपन अपन स्तरसँ अमूल्य योगदान दऽ रहल छथि‍। अशेष साधुवाद, प्रीतिजी, असंख्य शुभाशंसा.........।

Wednesday, August 22, 2012

मैथि‍ली कथा साहि‍त्‍यक वि‍कासमे राजकमलक योगदान :: शि‍वकुमार झा ‘टि‍ल्‍लू’


मैथि‍ली कथा साहि‍त्‍यक वि‍कासमे राजकमलक योगदान :: शि‍वकुमार झा ‘टि‍ल्‍लू’



सन् 1954 मे “अपराजि‍ता” कथाक संग राजकमल जीक मैथि‍ली कथा साहि‍त्‍य जगतमे प्रवेश भेल। हि‍नक मूल नाओं मनीन्‍द्र नारायण चौधरी छन्‍हि‍। 1929मे जनमल ऐ साहि‍त्‍यकारक लेखनीसँ मैथि‍ली साहि‍त्‍यकेँ लगभग 36 गोट कथा भेटल। मात्र 38 बरखक अपन जीवनकालमे राजकमल मैैथि‍ली गद्य साहि‍त्‍यकेँ कि‍छु एहेन कृति‍ दऽ देलनि‍ जइसँ प्रयोगकेँ बादक धरातलपर प्रति‍ष्‍ठि‍त करबाक श्रेय साहि‍त्‍यक समालोचक लोकनि‍ ऐ साहि‍त्‍यकारकेँ ि‍नर्विवाद रूपेँ दऽ रहल छथि‍‍।



हि‍नक तीन गोट कथा संग्रह ललका पाग, एक आन्‍हर एक रोगाह आ “ि‍नमोही बालम हम्‍मर” पुस्‍तकाकार प्रकाशि‍त छन्‍हि‍। एकर अति‍रि‍क्‍त हि‍नक एक गोट पोथी “कृति‍ राजकमलक” मैथि‍ली अकादेमीसँ प्रकाशि‍त भेल अछि‍ जइमे 13 गोट कथा आ एकटा उपन्‍यास आन्‍दोलन संकलि‍त अछि‍। ओना कृति‍राजकमलक छओ गोट कथा “ललका पाग”मे सेहो छपल अछि‍।



रमानाथ झाक मतेँ राजकमलक कथा मूल उद्देश्‍य मनोवि‍श्लेषणात्‍मक प्रणालीसँ आरोपि‍त मर्यादा ओ आदर्शक पाछाँ नुकाएल आन्‍हरकेँ नाङट करब अछि‍। डॉ. डी.एन. झा सेहो ऐ मतसँ सहमत छथि‍।

“ललका पाग” कथा हि‍नक लि‍खल कथा सभमे अपन वि‍शि‍ष्‍ट स्‍थान रखैत छन्‍हि‍। ऐ कथाकेँ मैथि‍ली साहि‍त्‍यक कि‍छु श्रेष्‍ठ कथामे स्‍थान देब सर्वथा न्‍यायोचि‍त अछि‍। कथाक आरंभमे मैथि‍ली स्‍त्रीक चि‍न्‍हबाक वि‍श्‍लेषणमे कोनो अचरज नै। त्रि‍पुराक तुलना जइ वर्गक मैथि‍ल कन्‍याँ‍सँ कएल गेल कथाक भूमि‍कामे ओइ वर्गक स्‍पष्‍ट उल्‍लेख तँ नै कएल गेल मुदा ओ ब्राह्मण परि‍वारक कन्‍या छथि‍। अल्‍पायुमे पण्‍डि‍त पि‍ताक मृत्‍युक पश्चात् ति‍रू अपन माइक संग गाममे रहैत छलीह। अग्रज झि‍ंगुरनाथ बाहर धन उपार्जन लेल चलि‍ गेलाह। कि‍छुए वर्षमे ति‍रू युवती वयसमे प्रवेश कऽ गेलीह। दस-एगारह वर्षक बाद जखन झि‍ंगुरनाथ अपन गाम घुरि‍ अएलनि‍ तँ मातृसि‍नेहक संग-संग ति‍रूक हाथ पीअर करबाक जि‍म्‍मेदारीक आभास भेलनि‍। वास्‍तवि‍कतो छैक जे जखन ई कथा 1955मे वि‍देह वि‍शेषांकमे देल गेल ओइ कालकेँ के कहए वर्तमान समैमे सेहो अपना सबहक समाजमे कन्‍याक जन्‍म कालहि‍सँ बि‍याहक चि‍न्‍ता अभि‍भावककेँ सतबए लगैत छन्‍हि‍। ति‍रू तँ माघमे 14मे वर्षमे प्रवेश कऽ जेतीह। उद्देश्‍य जौं सार्थक हुअए तँ सफलता नि‍श्चि‍त भेटबे करैत अछि‍। चण्‍डीपुरक राम सागर चौधरीक सुपुत्र राधाकान्‍तसँ स्‍व. पण्‍डि‍त टेकनाथ झाक पुत्री त्रि‍पुराक बि‍याह सम्‍पन्न भेल। सासुर आबि‍ ति‍रू कनेको स्‍तब्‍ध नै छथि‍ कि‍एक तँ जीवन शैलीक कोनो ज्ञाने नै छन्‍हि‍। अज्ञानतामे बाड़ीक पछुआरमे पोखरि‍ देखि‍ अपन बेमात्र सासुसँ हेलबाक कलाक जि‍ज्ञासा कएलनि‍। यएह जि‍ज्ञासा हुनक जीवनक लेल काल भऽ गेलनि‍। चननपुरवाली सासु भोरे-भोर समस्‍त गाममे अफवाह पसारि‍ देलखि‍न जे राति‍मे नवकी कनि‍याँ पोखरि‍मे चुभकि‍ रहल छलीह। राधाकान्‍त ऐ घटनासँ मर्माहि‍त भऽ गेलाह। आब प्रश्‍न उठैत अछि‍ जे चननपुरवाली एना कि‍अए कएलीह? ओ अपन पि‍ति‍औत भाय डाॅ. शंभूनाथ मि‍सरक सुपत्रीसँ राधाकान्‍तक बि‍याह करबए चाहैत छलीह। ऐठाम कथाकार कनेक चुकि‍ गेल छथि‍। ऐ उद्देश्‍यकेँ कतौ स्‍पष्‍ट नै कएल गेल। माए जौं अपन बेटाक बि‍याह आनठाम करबए चाहैत छलीह तँ त्रि‍पुरासँ कोना भऽ गेलनि‍। जखन की चननपुरवाली परि‍वारक अभि‍भावि‍का छलखि‍न। हुनक पति‍क हुनकापर कोनो वि‍शेष अनुशासन सेहो नै छलनि‍ आ ने राधाकान्‍त त्रि‍पुरासँ प्रेम बि‍याह केलखि‍न तँ कथानकमे एहेन परि‍वर्त्तनकेँ सोझे-सोझ आत्‍मसात् करब कनेक कठि‍न लागि‍ रहल अछि‍। गाममे तँ कूटनीति‍ चलि‍ते अछि‍ कि‍एक तँ छद्म रोजी रोजगारपर बेरोजगारी भारी। तँए भोलामास्‍टर आ बंगट चौधरी सन परि‍वार वि‍ध्‍वंसक केँ राधाकान्‍त सन संवेदनशील लोककेँ दोसर बि‍याह करबाक प्रेरणा देबएमे यथार्थ बोध होइत अछि‍। ई सभ घटना चक्रसँ कथा रोचक होइत अछि‍। मुदा कथाकेँ आकर्षक बनेबाक क्रममे राजकमल बि‍सरि‍ गेलाह जे त्रि‍पुरा मात्र 13-14 वर्षक बालि‍का छथि‍। जखन पोखरि‍मे चुभकबाक जि‍ज्ञासा सासुरोमे छन्‍हि‍ तखन सौति‍न अएबाक संभावनाक मध्‍य अपन सकल गृहस्‍थ कार्यमे कोना लागल रहलीह? एक दि‍स चंचल रूपक उद्बोधन आ दोसरा रूपमे परि‍पक्‍व नारी, एकरा प्रयोगवाद तँ कहल जा सकैत अछि‍ मुदा प्रयोगात्‍मक रूप वास्‍तवि‍कतासँ बहुत दूर अछि‍। राधाकान्‍त सेहो शि‍क्षि‍त छथि‍, मात्र अपन स्‍त्रीकेँ पोखरि‍मे स्‍नान करबाक सजाक रूपेँ दोसर बि‍याह। ओना मि‍थि‍लामे पहि‍ने गप्‍पे-गप्‍पमे बि‍याह करबाक इति‍हास रहल अछि‍ परंच ऐ प्रकारक बि‍याहक कारण समीचीन नै लागल। अंतमे अपन बि‍याह कालक राखल ललका पाग जखन त्रि‍पुरा राधाकान्‍तकेँ दोसर बि‍याहक लेल प्रस्‍थानकालमे दैत छथि‍न तँ राधाकान्‍तक हृदए परि‍वर्तन भऽ जाइत अछि‍ आ पहि‍लुक ललका पागक मर्यादा रखबाक लेल ओ चुप्‍प भऽ आंगनमे आबि‍ कुर्सीपर बैस जाइत छथि‍। एहू घटनकाक्रममे कथा वास्‍तवि‍कतासँ बेसी कल्‍पवृक्षक पुष्‍प प्रतीत होइत अछि‍। जे राधाकान्‍त मात्र पोखरि‍ स्‍नानक दंडमे त्रि‍पुरासँ नारीक अधि‍कार छीनि‍ लेबाक ि‍नर्णए केलनि‍ ओ अंगुलि‍माल जकाँ क्षणहि‍मे कोना बदलि‍ गेलाह। ई ध्रुव सत्‍य अछि‍ जे मैथि‍ल ब्राह्मण परि‍वारमे ललका पागक स्‍थान वि‍शेष छैक आ ओइ पागकेँ सहेजि‍ कऽ त्रि‍पुरा धएने छलीह। भगवत परीक्षा जकाँ सौति‍न अनबाक लेल पति‍क हाथमे पाग देबाक ि‍नर्णएमे अंगुलि‍माल रूपी राधाकान्‍तकेँ बुद्धसँ दर्शन भेलनि‍। जौं एकरा संभवो मानल जाए तैयो कनेक कमी ई जे राधाकान्‍त त्रि‍पुराक तुलनामे कामाख्‍या दाइक संस्‍कारकेँ सोचि‍-वि‍चारि‍ वि‍शि‍ष्‍ट मानि‍ दोसर बि‍याह करबाक ि‍नर्णए कएलनि‍। कोनो क्षणहि‍मे नै। ऐ बि‍याहक सूत्रधार हुनक बेमात्र माए छलथि‍न। चननपुरवालीकेँ अछैत राधाकान्‍त माथपर बि‍नु पाग धएने कोना वि‍दा भऽ रहल छलाह, ई तँ सद्य: कथाक बहुत कमजोर पक्ष अछि‍।

भाषा वि‍ज्ञानक आधारपर जौं मूल्‍यांकन कएल जाए तँ कथाकार परम्‍परावादी मैथि‍ल साहि‍त्‍यकार जकाँ गद्यकेँ अधोषि‍त श्रृंगारक रूप देबाक प्रयास कएलनि‍।

ति‍रूक तुलना वाण भट्टक श्‍यामांगी नायि‍कासँ करए काल ई उद्देश्‍य स्‍पष्‍ट भऽ जाइत अछि‍। मुदा जखन लि‍खैत छथि‍ जे “मि‍थि‍लाक छौड़ी सभ अहि‍ना कनैत अछि‍।” तँ स्‍पष्‍ट भऽ जाइत छन्‍हि‍ आत्‍मि‍क रूपसँ कि‍छु आर कहए चाहैत छथि‍। ऐठाम छौड़ीक स्‍थानपर ‘कन्‍या‘ शब्‍दक प्रयोग सेहो कएल जा सकैत छल जे बेसी नीक लगि‍तए। कामाख्‍या दाइक वि‍षयमे राधाकान्‍तक मौन सि‍नेहमे पि‍आ आ आ जाऽ....... लि‍खबाक उद्देश्‍य स्‍पष्‍ट नै भऽ सकल।



ई सत्‍य अछि‍ जे राजकमल मैथि‍लीक संग-संग हि‍न्‍दीमे सेहो लि‍खैत छलाह, मुदा हि‍न्‍दीक प्रति‍ झॉपल सि‍नेह मैथि‍ली कथामे परि‍लक्षि‍त भऽ गेल‍। ई मैथि‍ली साहि‍त्‍यक लेल दुर्भाग्‍यक गप्‍प जे ऐ भाषाकेँ दुभाषी रचनाकार मात्र अपन नाओं-गाओंक लेल हथि‍यार बनेलनि‍ मातृभाषा सि‍नेहसँ साहि‍त्‍यि‍क रचनाक कोनो संबंध नै। ओना ऐ प्रकारक कथ्‍य यात्री आ आरसीक रचनामे नै भेटैत अछि‍। कथोपकथनमे वि‍रोधाभास देखलाक बादो एकरा नीक रचना मानल जा सकैछ कि‍एक तँ कथा बड्ड आकर्षक छन्‍हि‍। जौं बि‍म्‍बक वि‍श्लेषणकेँ शि‍ल्‍पक रूपमे देखल जाए तँ राजकमलजी स्‍थापि‍त शि‍ल्‍पी छथि‍ ई ललका पाग प्रकट भऽ गेल।



दमयन्‍ती हरण- ‘दमयन्‍ती हरण’ भरल सभामे कोनो वि‍वश नारीक चि‍र-हरणक वृत्ति‍ चि‍त्र नै। ई तँ समाजक पाग-चानन- ठोपधारी कि‍छु कथाकथि‍क भलमानुषक वास्‍तवि‍क झाॅपल चरि‍त्रकेँ नाङट करबाक कथा थि‍क। कथा नायि‍का छथि‍ तेइस-चौबीस बरखक- दमयन्‍ती दुलरैति‍न दम्‍मो अथवा समाजक कोप भाजन बनलि‍ दमि‍आँ। ऐ नायि‍काकेँ गामक रक्षक लोकनि‍ खलनायि‍का बना देलनि‍, जे दोसरक शोषण तँ नै करैत अछि‍ मुदा अपन चरि‍त्र हनन कऽ ग्राम्‍य समाजकेँ वि‍गलि‍त कऽ रहलीह जे कोनो अर्थमे उचि‍त नै। ऐ लेल दोष ककरा देल जाए? सामर्थ्‍यहीन मायकेँ वा ओहि‍ समाजकेँ जकर छाहरि‍मे नेनपनसँ सोझे अग्राह्य नारीक अवस्‍थामे प्रवेश कऽ गेली- दमि‍याँ।



मि‍थि‍ला समाजक वर्णन कोनो कवि‍तामे जतेक घृतगन्‍धा हुअए मुदा ई अक्षरश: सत्‍य अछि‍ जे जइ समैमे ई कथा लि‍खल गेल ओइ समैमे परीक्षा समाप्‍ति‍ आ नव कक्षामे प्रवेशक मध्‍यक समय छात्रक लेल मस्‍ताएल साँढ़सँ बेशी कि‍छु नै छल। जौं रहि‍तए तँ फूलबाबू रामपुरमे कि‍अए बौआइत रहि‍तथि‍। “फूल भैया ओइपार जएबह?” वेदव्‍यासक मत्‍स्‍यगंधा इत्‍यादि‍ संवादसँ नारी वि‍मर्शक वि‍ह्वल रूप प्रदर्शित होइत छैक। कथाकार तँ कथाक प्रारंभेमे अवश्‍ये ई नि‍श्चय केने हेताह की कथा नायि‍काकेँ वैश्याक रूपमे प्रदर्शित कऽ कथाक इति‍श्री कएल जाए। मुदा आदर्शवादी वि‍चारधारासँ एकटा वैश्‍याक भूमि‍का वॉधव बड़ कठि‍न कार्य भेल हएत। शनै:-शनै: ‘गाड़ीमे भीख मांगैत छौड़ी’ सदृश दमयन्‍तीक रूपक वि‍श्लेषणमे नारी जाति‍क अपमानसँ बेशी समाजक कटु सत्‍य इजोतमे आबि‍ गेल।

स्‍वेच्‍छासँ अमर्यादि‍त आचरणक आवरणमे दमि‍याँ नै गेलीह। ‘हे महादेव, चारि‍दि‍नसँ हमरा ऑगनमे चूल्‍हा नहि‍ जरल अछि‍’ सन संवादसँ ई परि‍लक्षि‍त होइत छैक।



गूढ़ मंथन कएलासँ कथामे कि‍छु वि‍शेष नै।

अपन बेटीक भरण-पोषणक लेल देह व्‍यापारकेँ केन्‍द्र वि‍न्‍दु बना कऽ लि‍खल गेल कथामे कोनो सम्‍यक समाज वि‍मर्श नै। कोनो आदर्श पथ नै मात्र पथभ्रष्‍ट समाजकेँ पाठक धरि‍ परसल गेल। यायावरी जीवन चक्रमे घुमैत जयद्रथ आ कथाकारक संवाद कोनो समाजक लेल आदर्श प्रस्‍तुत नै कएलाक। देलक तँ समाजकेँ ई संदेश जे जौं कोनो अवला मि‍थि‍लाक गाममे रामबाबू सन दु:खि‍ता पति‍ताक कथाकथि‍क रक्षक लग अपन आत्‍मरक्षाक ऑचर पसारतीह तँ ओ ऑचर खींच लेबामे कोनो संकोच नै करतथि‍।

’मायसँ कोन काज अछि‍’- नायि‍का कथाकारकेँ देखि‍ हुनको ग्राहके बुझली। ई कोनो भ्रम नै। अस्‍ति‍त्‍व वि‍हीन नारी लग देहलोलुपे मनुक्‍ख पहुँचैत छथि‍।

‘हम स्‍त्री नै छी, फूल भैया। हम तँ माटि‍क फूटलि‍ हाँड़ी छी। हमरापर दया करबाक कोनो प्रयोजन नहि‍’- मर्माहि‍त करबाक लेल चेतनाशील मनुक्‍खकेँ ई वाक्‍य भारी पड़त। छप्‍पन बरख पूर्व ई कथा लि‍खल गेल। ओइ समैमे समाजक ई दशा छल? तखन तँ वर्त्तमानकालक जीवन शैलीकेँ दोष देब उचि‍त नै। जखन जड़ि‍ए पथभ्रष्‍ट तँ छीपक वि‍षयमे नीक कल्‍पना करब सेहो भ्रामक अछि‍।

सम्‍पूर्ण कथामे झाजी आ चौधरीजी, मात्र पंचैती कालमे स्‍कूलक प्रधानाध्‍यापक यादवजी आ एकठाम खबास कुंजा धानुक अन्‍य वर्गक पात्र छथि‍। तखन ‘ब्रह्मो जानति‍ ब्राहण:’ कोना कलि‍युगमे प्रासंगि‍क मानल जाए। समाजमे नीति‍ शि‍क्षाक आचार्य जौं कुनीति‍क प्रधानाचार्य भऽ जाथि‍ तँ व्‍यवस्‍थे चौपट्ट कि‍एक नै हएत।

बेर-बेर जखन-जखन नारी वा शूद्रक चर्च होइत अछि‍ तँ तुलसीदासक ‘ढोल गॅवार शूद्र पशु नारीक’ उद्धरण देल जाइत अछि‍। महाकाव्‍यक रचनामे कोनो वि‍शेष पात्रक मुखसँ नि‍कसल ऐ वाणी द्वारा मानस पुरुषक चरि‍त्र हनन कएल जाइत अछि‍।



चौधरीजी बजलाह ‘घोर कलि‍युग आबि‍ गेल अछि‍ तुलसीदास ठीके लि‍खने छथि‍...’ ई उचि‍त नै लागल। तुलसीदास तँ एकठाम लि‍खने छथि‍ जे ‘धीरज धर्म मि‍त्र अरू नारी, आफत काल परेखहुँ चारी’ एकर उल्‍लेख कि‍एक नै कएल जाइत छैक? ओना ऐ कथामे नारी आ धर्ममे सहचरी बनेबाक कोनो गुंजाइश नै छल। मुदा तुलसीक वि‍षयमे लि‍खबाक काल ई धि‍यान रखबाक चाही जे रामचरि‍त मानस जनभाषाक कृति‍ अछि‍ जइसँ सम्‍पूर्ण हि‍न्‍दू संस्‍कृति‍ प्रभावि‍त भऽ रहल, कोनो वि‍शेष जाति‍क आधि‍कारि‍क भाषा संस्‍कृति‍मे लि‍खल नै गेल। तँए बाल्‍मि‍कि‍ रामायणसँ बेशी पाठक धरि‍ एकर पहुँच रहल।



कथाक बि‍म्‍ब वि‍श्लेषण रूचि‍गर लागल, जे राजकमलक वि‍शेष कथा लि‍खबाक कलाक परि‍णाम मानल जाए। हि‍नक कथामे कोनो हास्‍य समागम नै रहि‍तहुँ जनप्रि‍य रहल। तकर मौलि‍क कारण थि‍क गद्य काव्‍यात्‍मक वि‍श्‍लेषण। वाणि‍ज्‍यक छात्र रहि‍तहुँ राजकमल अंकगणि‍तीय वा सांख्‍यि‍क लेखा जोखामे नै पड़लाह कि‍एक तँ ‘आशुकथाकार’ छथि‍। कथाक अंतमे वएह पंचैतीक ि‍नर्णए जे हमरा सबहक समाजक व्‍याधि‍ छल। कानूनकेँ चुनौती देबाक लेल पंच परमेश्‍वर बनि‍ कि‍छु लोक पान चि‍बा कऽ इति‍श्री कऽ रहल छलाह। वर्त्तमान समैमे ई संभव नै छैक कि‍एक तँ मनुख सेहो ‘चेतनाशील भऽ रहल आ प्रजातंत्र दीर्घ सूत्री समाजक पागधारीसँ भरि‍गर भऽ गेल। मुदा अंतमे कथाकार बि‍सरि‍ जाइत छथि‍ आ मत्‍स्‍यगंधाक हँसी‍ प्रश्ने रहि‍ गेल। राजकमलक प्रश्नसँ कथाक इति‍श्री करब पाठककेँ भ्रमि‍त कऽ दैत अछि‍, मुदा रूचि‍पूर्ण। ि‍नर्णए तँ हमरा सबहक समाजमे ओझराएले रहि‍ गेल छल तँए संभवत: प्रश्नेसँ कथाक इति‍श्री कएल गेल भऽ सकैत अछि‍ कथाकार कथाकेँ रोचक बनेबाक लेल पाठक धरि‍ प्रश्न छोड़ि‍ कथाक इति‍श्री करब उचि‍त बुझैत होथि‍। जौं ई सत्‍य तँ एकरा मैथि‍ली साहि‍त्‍यक लेल दुर्भाग्‍यशाली मानल जाए, कि‍एक तँ न्‍यायाधि‍शकेँ ि‍नर्णए ओझरा क’ न्‍यायक कुर्सीपर सँ उतरलाक बाद बेवस्‍था चौपट हएब स्‍वभावि‍क छैक।



अाकाश गंगा- मैथि‍ली साहि‍त्‍यक संग सदि‍खन ई भ्रांति‍ रहल जे जौं कोनो साहि‍त्‍यकारक एक गोट कृति‍ साहि‍त्‍यकेँ आर सुवासि‍त कऽ देने अछि‍ तँ आगाँक रचनामे कथ्‍य ओ शि‍ल्‍पसँ बेशी कथाकारक नाओं मूल्‍यांकनक केन्‍द्र बि‍न्‍दु भऽ जाइछ। ऐ अर्न्‍तद्वन्‍द्वसँ राजकमल सेहो नै अछोप रहलाहेँ। ‘आकाश गंगा’ श्रैगांरि‍क बि‍न्‍दुकेँ स्‍पर्श करैत समाजक अर्न्‍तव्‍यथाक चि‍त्रण करबामे सफल कथा थि‍क, ऐमे कोनो संदेह नै। मुदा जौं अंत:करणसँ अवलोकन कएल जाए तँ ‘बऽर दुआरि‍पर उतरल नहि‍ की छींकक ध्‍वनि‍’ जकाँ कथाक प्रारंभे छायावादी शैलीमे कएल गेल। ‘वि‍वेकानन्‍द चौधरी नहि‍ मि‍थ्‍या कहलहुँ, आब जमीन्‍दार नहि‍ साधारण नागरि‍क। नागरि‍को नहि‍ साधारण ग्रामीण’ सन शब्‍दकोशसँ वाक्‍य बनाएब अप्रासंगि‍क मानल जाए। कथाकार स्‍वयं दृग्‍भ्रमि‍त तँ नै छथि‍ कि‍एक तँ हि‍नक प्रति‍भापर संदेह नै। तखन पाठककेँ दृग्‍भ्रमि‍त करबाक उद्देश्‍य स्‍पष्‍ट नै। कथाकारकेँ एकबेर स्‍पष्‍ट कऽ देबाक चाही जे वि‍वेकानंद की छथि? जौं ई काव्‍य रहि‍तए तँ क्षम्‍य छल, मुदा कथाक ऐ रूपकेँ की मानल जाए? सचार तखने नीक लगैत छैक जखन मूल खाद्य पदार्थ अक्षत हुए। मड़ुआक संग गाही साग तरकारी परसबाक बादो भोजनमे वि‍शेष स्‍वाद नै भेटत। कथोपकथनपर शि‍ल्‍पक भार एक नि‍श्चि‍त सीमाने तक शोभायमान लगैछ। वि‍वेकानंद चौधरीक अपन अर्द्धांगि‍नी मदालसासँ संबंध समाप्‍त भऽ गेलनि‍। वि‍वेकानन्‍द अपन बेटी अन्‍नपूर्णा संग रहए लगलाह। एकटा जमीन्‍दारक बेटी अन्‍नपूर्णा पि‍तृ आशाक वि‍परीत गरीब बालक राधाकान्‍तक संग वि‍आह कऽ लैत छथि‍। बाप-बेटीक संबंध समाप्‍त भऽ गेलनि‍। कालान्‍तरमे बेटी अन्‍नपूर्णा एक बालक अशोकक माए भऽ गेलीह। पति‍क देहावसानक बाद दरि‍द्रासँ लड़ैत माय अन्‍नपूर्णाक चरि‍त्र चि‍त्रणमे कथाकारक सबल दृष्‍टि‍कोण झलकैत अछि‍। नारी-वि‍मर्शक दृष्‍टि‍सँ कथा रोचक मुदा नारीक जीवन दशा समाजमे उदासी छैक, ई प्रमाणि‍त करब उचि‍त मुदा अगि‍ला पी‍ढ़ीक लेल उदासीन तँए रचनाकारकेँ ऐमे परि‍वर्त्तन करबाक चाही छल। अंतमे वि‍वेकानन्‍दक हृदए पझि‍जैत अछि‍ आ ओ बेटीक वि‍दागरीक लेल उद्यत भऽ जाइत छथि‍। ललका पाग जकाँ अहू कथामे परि‍णाम स्‍पष्‍ट नै भऽ सकल। श्रैंगारि‍क जीवनक परि‍धि‍मे घुमैत कथा परि‍णाम वि‍हीन, एेसँ एकरा कथाकारक पलायनवादी वैरागी प्रवृत्ति‍क द्योतक मानल जा सकैत अछि‍।

कादम्‍बरी उपकथा- वैधव्‍य जीवनक अवि‍रल चि‍त्रणसँ भरल ऐ कथामे नायि‍का ‘कादम्‍बरी’ वि‍धवा छथि‍। पति‍ वि‍श्वनाथक मरलाक बाद नैहर चलि‍ जाइत छथि‍। कि‍छु दि‍नक बाद देओर दुखि‍त भऽ गेलखि‍न तखन सासुर आबि‍ गेलीह। सासुरक लोकक कल्‍पना छल जे कादम्‍बरी ब्राह्मण संस्‍कृति‍क अनुकूल श्‍वेत वस्‍त्र धारि‍णी अवला बनि‍ अएलीह। मुदा सौन्‍दर्य सुन्‍नरि‍ कादम्‍बरी अंग-वस्‍त्रसँ वि‍पदा-मारलि‍ नै अएलीह। फेर धमगि‍ज्‍जरि‍। अपन केओ नै कि‍एक तँ जीवनक एक पहि‍या धसि‍ गेल छलनि‍। तँए ने दोसरक नेनामे शि‍क्षाक दि‍व्‍य संस्‍कार जगएबाक क्रममे परि‍हासक पात्र भऽ गेलीह। गायत्री देवी छोट दि‍आदि‍नी छलीह। शि‍क्षि‍त नारी कादम्‍बरीक महत नेना-सभक मध्‍य बेसी छल। कि‍एक तँ हुनकामे संतानहीन रहि‍तो मातृत्‍व छलनि‍। नेना आ मूक पालतू पशु सि‍नेहक भुक्‍खल होइत अछि‍। ई सभ गायत्रीकेँ सोहाइत नै छलनि‍। अपना तँ ऊक देबाक लेल एकटा अल्‍लुओ पेटसँ नै उखड़लनि‍’ गायत्रीक ऐ प्रति‍घातसँ कादम्‍बरी पाषाण भऽ गेलीह। आङनक पाठशाला बन्न कऽ देलखि‍न कि‍एक तँ गायत्रीक छोटकी बेटी नि‍रमलाक मृत्‍यु भेलापर ‘डाइन’ शब्‍दसँ सेहो वि‍भूषि‍त कएल गेलीह। जखन की नि‍रमला सर्प दंशसँ जहान छोड़ि‍ वि‍दा भेलीह।



कथाक अंति‍म चक्र बड़ नीक अछि‍। लुब्‍धा खबासक स्‍त्री प्रसव पीड़ासँ व्‍यथि‍त कादम्‍बरीक आङनमे छटपटाइत छथि‍। एकटा गरीब समाजक कात लागल वर्गक नारीक व्‍यथा कादम्‍बरीकेँ कर्त्तव्‍य परायणताक भावुक प्रवाहमे लऽ गेलनि‍। हास-परि‍हास आ परि‍तापक भयसँ मुक्‍त भऽ  ओइ नारीक संग-संग संसारमे आबए बला नेनाक लेल भगवतीसँ छागर कबुला केलखि‍न। जखन ई गप्‍प बादमे गायत्री कादम्‍बरीक मुखसँ सुनलनि‍ तँ प्रायश्चि‍तमे अश्रुकण बाहर भऽ गेलनि‍। ग्‍लानि‍ भरल समाजक वैधव्‍य जीवनक वृति‍ चि‍त्र अंतमे सि‍नेहसँ समाप्‍त भेल।

आकर्षणमे कथा चुम्‍बकीय प्रभाव जकाँ पाठककेँ झपटि‍ लैत अछि‍, मुदा की समाजक ऐ अनि‍श्‍चयवादी बेवस्‍थाकेँ ‘नारी-वि‍मर्शक’ दृष्‍टि‍सँ उचि‍त मानल जाए। जइ कालमे ई कथा लि‍खल गेल, भारतवर्षमे सेहो धर्म सुधार आन्‍दोलन भऽ रहल छल, मुदा मैथि‍ल ब्राह्मण समाज ओहि‍कालकेँ के कहए एखन धरि‍ ‘वैधव्‍य जीवन’सँ मुक्‍ति‍क आन्‍दोलनकेँ जाति‍-संस्‍कार वि‍रोधी मानैत अछि‍। ऐ मतेँ ई कथा लि‍खब कोनो अनुचि‍त नै। मुदा प्रयोगधर्मिताक रूपेँ जौं धि‍यान देल जाए तँ राजकमल क्रांति‍दूत भऽ सकैत छलाह। परि‍णाम मि‍श्रि‍त देखा सकैत छलथि‍ परंच ‘कादम्‍बरी’केँ रूढ़ि‍वादि‍तासँ मुक्‍ति‍ करबाक प्रयास कथाकारकेँ ओइ शि‍खरपर स्‍थापि‍त कऽ सकैत छल जतए धरि‍ मैथि‍ली साहि‍त्‍य एखन तक नै पहुँचल अछि‍।

नि‍ष्‍कर्षत: व्‍यवस्‍था फेर नाङट भेल से उचि‍त कि‍एक तँ संकीर्ण मानसि‍कताक समाजक मध्‍य ई कथा घुमैत अछि‍।



घड़ी- कथा साहि‍त्‍यमे रचनाकारक संग-संग समीक्षक लोकनि‍ सेहो बि‍म्‍ब ओ शि‍ल्‍पकेँ कथाक सचार मानैत छथि‍न। हमर मत ऐ रूपेँ कनेक वि‍लग अछि‍। कोनो रचनाकेँ पढ़लाक बाद ओकर मूल्‍यांकन हेतु जे मौलि‍क तत्‍व होइछ ओ थि‍क रचनाकारक दृष्‍टि‍कोण। जेना स्‍वस्‍थ व्‍यक्‍ति‍क सम्‍मि‍लनसँ स्‍वस्‍थ परि‍वार आ समाजक ि‍नर्माण होइत अछि‍ ठीक ओहि‍ना जौं रचनाकारक दृष्‍टि‍कोण समाजपयोगी हुअनि‍ तँ रचनाक सार्थकता सत्य प्रमाणि‍त भऽ जाइछ।

’घड़ी’ शीर्षक कथाक बि‍म्‍ब चलन्‍त जेकरा सामान्‍य शब्‍दमे चालू कहल जाइत अछि‍। शि‍ल्‍प आवृति‍सँ भरल अर्थात् परि‍वर्त्तनशील आ दृष्‍टि‍कोण आश्चर्यजनक रूपसँ समाजक लेल कलुष अछि‍। नाओंसँ प्रथम दृष्‍टि‍ए बुझना जाइछ जे ‘घड़ी’ अर्थात् समाजमे कालक प्रहरी मुदा अन्‍तरावलोकनक बाद काल प्रहरी घड़ी समाजमे अकालक सार्थकता सि‍द्ध कऽ रहलैक। अकाल माने जे ने उचि‍त मानल जाए तकर व्‍याख्‍या, ओहूमे अनैति‍क संबंधक केन्‍द्र बि‍न्‍दु बना कऽ लि‍खल गेल कथामे कथाकार सेहो अनैति‍क नायककेँ संग दैत छथि‍न।

रजनीकान्‍त प्राध्‍यापक बनि‍ पटनामे रहैत छथि‍न। पत्नी चन्‍द्रमुखी आ पाँच सन्‍तानक संग-संग एकटा वि‍धवा शि‍क्षि‍का मौसी उर्मिला हि‍नक परि‍वारक सदस्‍या थि‍कीह। टकाक ओ ओछौनपर सूतनि‍हार रजनीकान्‍तकेँ ‘घड़ी’सँ कोनो प्रेम नै। ‘घड़ी’ नामक यंत्रसँ रजनीकान्‍त घृणा करैत छथि‍। ई बात पटना नगरमे मैथि‍ल समाजक सभ लेाककेँ बुझल छैक। ई लि‍खबाक प्रयोजन आ प्रमाणि‍कतापर संदेह होइत अछि‍ जौं शि‍ल्‍पक आधारपर उचि‍त मानलो जाए तँ एकर प्राथमि‍कता पूर्णत: असत्‍य हएत। काल्‍पनि‍क कथामे सेहो ऐ तरहक शब्‍द वा वाक्‍य नै लि‍खबाक चाही। “मैथि‍ल समाजक सभ लोक”मे पटनामे रहनि‍हार सम्‍पूर्ण मैथि‍लकेँ केन्‍द्रि‍त कऽ कऽ 1965 मे ई कथा लि‍खल गेल। रजनीकांत कोनो भारतीय सि‍नेमा जगतक प्रसि‍द्ध कलाकार नै छथि‍ आ ने महात्‍मा गाँधी सन राष्‍ट्रक सेवक एकटा प्रोफेसरकेँ सभ लोक कोना जानि‍ सकैत अछि? मैथि‍ल समाजमे अमीरक संग-संग गरीब लोक सेहो छथि‍। तत्‍कालीन पटनामे समाजक कि‍छु लोक मोटि‍या, रि‍क्‍शा चालक जूता पॉलि‍श केनि‍हार सेहो हेताह हुनका रजनीकान्‍तसँ केना परि‍चय? खैर प्रयोगवादी राजकमलक ऐ कृत्‍यकेँ मैथि‍ली भाषामे क्षम्‍य कऽ देल गेल जे साहि‍त्‍यक अदूरदर्शिताक परि‍चायक थि‍क।

कथा कोनो वि‍शेष बि‍म्‍ब नै रखने अछि‍। कथाकार स्‍वयं ऐमे सहनायक छथि‍। मैथि‍ल समाजक मुसलमान जाति‍क पात्र अमजद मि‍याँ अपन नवयुवती पत्नी जहूरनक इलाजक लेल पटना अबैत छथि‍। चूड़ीक व्‍यापारी अमजद कथाकारपर वि‍श्वसनीयता रखैत हि‍नकेसँ सहयोग लैत छथि‍न। “एक रि‍क्‍शापर हम आ जहूरनी आ दोसर रि‍क्‍शापर अमजद अली आ रत्नेश झा कम्‍पाउन्‍डर आ दुसधा खबास अस्‍पतालसँ घुरैत छलहुँ।” ऐ प्रकारक संवादमे कथाकारक दृष्‍टि‍कोण पूर्णत: स्‍पष्‍ट भऽ गेल अछि‍। कोनो पुरुष ओहि‍कालमे कथमपि‍‍‍ नै स्‍वीकार कऽ सकैत छल जे अोकर कनि‍याँ पर-परुषक संग वैसए जौं एना कएलो गेल तँ एकर परि‍णाम अनर्गल साबि‍त भेल। कालान्‍तरमे वएह जहूरन प्रो. रजनीकान्‍तक संग अबैत-अबैत हुनक प्रेमालाप मे ओझरा गेलीह। ओइ प्रेमालापकेँ कथाकार समर्थन तँ नै कएलनि‍ मुदा गबाह अवश्‍य भऽ गेलखि‍न। अनर्गल प्रेमकेँ प्रकाशि‍त कएलनि‍ मुदा प्रो. साहेवक कनि‍याँसँ एकरा नुका कऽ रखलनि‍। मि‍त्रक ई कर्त्तव्‍य होइत अछि‍ जे अपन मि‍त्रकेँ कुमार्गसँ रोकथि‍। जौं नै रोकि‍ सकलाह तँ स्‍वयं संग छोड़ि‍ देबाक चाहि‍यनि‍ छल। राजा बलि‍ वचनक रक्षाक लेल जखन गुरुक संग छोड़ि‍ देने छलथि‍ तँ राजकमल एक कुकर्मी मि‍त्रक कुकर्मक भागी कोना बनबाक लेल तैयार छथि‍? ई घटना मात्र कथाक, मुदा कथोमे ऐ प्रकारक भ्रांति‍ उत्पन्न करब सर्वथा अनुचि‍त मानल जाए। ‘दुसधा खबास’ लि‍खब उचि‍त नै जौं हम दोसरकेँ इज्‍जति‍ नै देब तँ ‘बाभन’ शब्‍द सुनबामे कि‍एक क्षोभ होइत अछि‍? अंतमे रजनीकान्‍त अपन सत्‍य पथपर पुन: आबि‍ जाइत छथि‍। ‘घड़ी’ तँ कीनि‍ लेलथि‍ मुदा ई घड़ी जहूरनीक चरि‍त्र आ चन्‍द्रमुखीक वि‍श्वासकेँ केना घुराएत?



ब्रह्माण्‍डशास्‍त्री, दार्शनि‍कसँ लऽ कऽ भौति‍कीय गणकक दृष्‍टि‍कोणमे चुम्‍बकीय आकर्षण वि‍परीत ध्रुवक मध्‍य होइत छैक। जीवन धर्ममे नर-नारी संग रहि‍तो वि‍परीत कि‍एक तँ शारीरि‍क संरचनासँ सृजनक माध्‍यममे अन्‍तर होइछ। स्‍वाभावि‍क छैक जे साहि‍त्‍यकार ऐ गृहस्‍थ आश्रममे प्रवेश करैत रचनाक बि‍म्‍ब तैयार करैत अछि‍। तँए कोनो साहि‍त्‍यक आदि‍ कालमे मौलि‍क वि‍मर्श भक्‍ति‍ आ श्रृंगार रहल। राजकमल जीक पदार्पण मैथि‍ली साहि‍त्‍यक आधुनि‍क कालमे भेलनि‍ मुदा ताधरिक‍ कथा जगतमे अपन भाषाकेँ कृषकाय मानल जाए। अपेक्षाकृत राजकमल युवा सेहो रहथि‍ तँए सौन्‍दर्य आकर्षण पनकब कोनो असहज नै। अपराजि‍ता कथा हि‍नक पहि‍लुक रचना छन्‍हि‍ जे वैदेहीक अक्‍टूवर 1954 अंकमे प्रकाशि‍त भेल रहए।



जेना नाओंसँ स्‍पष्‍ट अछि‍ “अपराजि‍ता” जे स्‍त्री पराजि‍त नै भेल हुअए मुदा ऐठाम कोनो मण्‍डन मि‍श्रक भारतीक उल्‍लेख नै। कथाकारक मि‍त्र नागदत्तक कनि‍याँ छथि‍- अपराजि‍ता। एकर अर्थ कथमपि‍ नै जे ओ नागदत्तपर वि‍शेषाधि‍कार रखैत छलीह। सि‍नेहसँ राखल नाओं आ अधि‍कारक दृष्‍टकोणमे व्‍यापक अंतर होइत छैक। तँए कथाकारकेँ ई नाओं अनसोहाँत लगैत छन्‍हि‍।



मि‍थि‍ला क्षेत्र एखन धरि‍ प्राकृति‍क वि‍पदा बाढ़ि‍क कोपभाजि‍ता बनैत रहलीह। सन् 1954मे स्‍थि‍ति‍ तँ आर फराक छल। “सरि‍पहुँ... बागमती, कमला, बलान, गण्‍डक आ खास कऽ कोसी तँ अपराजि‍ता अछि‍ ने। ककरो सामर्थ्‍य नै जे एकरा पराजि‍त कऽ सकए” ....ऐ कथांशक द्वारा कथाकार कोनो बातसँ मुक्‍ति‍क आश नै रखने छथि‍, हि‍आसँ भऽ सकैछ जे रखने होि‍थ मुदा कथाक दृष्‍टि‍कोण बेछप्‍प मानल जाए।



कथाकारकेँ कथामे तँ अवश्‍य पीड़ा भऽ रहलनि‍ जे जे वेदमे नदीकेँ मनुक्‍खक सेवि‍का कहलकैक अछि‍। मनुक्‍खक पत्नी कहलकैक अछि‍... मुदा, बहुओ भऽ कऽ कोसी आ वागमती अपराजि‍ता छथि‍।



एक दि‍स बाढ़ि‍क उजैहि‍यासँ पसरल अधोगति‍केँ देखि‍ कथाकार व्‍यथि‍त छथि‍ तँ दोसर दि‍स मि‍ि‍थलाक परम सत्‍यकेँ उधार कऽ रहलाह। सम्‍पूर्ण भारत-वर्षक अधि‍कांश भूभागमे नारी-जीवन सोझ वि‍चार रखनि‍हार लोकक लेल चि‍न्‍ताक वि‍षय रहल। राजकमलक कथा सभमे सम्‍पूर्ण भारत वर्षक उल्‍लेख नै आ ने मि‍ाि‍लाक सम्‍पूर्ण समाजक ि‍हनक कथा प्रति‍नि‍धि‍त्‍व करैत छन्‍हि‍। मूलत: मैथि‍ल ब्राह्मण परि‍वारकेँ केन्‍द्र बि‍न्‍दु बना कऽ लि‍खल गेल हि‍नक “अपराजि‍ता” शि‍क्षि‍त मैथि‍ल परि‍वारक नारी जकरा पति‍ रहि‍तौं अवला कहल जा सकैछ केर स्‍थि‍ति‍क वास्‍तवि‍क वि‍वेचक थि‍क। ओना ऐ कथामे कतौ नारी शोषि‍त अथवा दोहनक प्रत्‍यक्षत:  उल्‍लेख नै। सम्‍पूर्ण कथा “द वनि‍र्ग ट्रेन” जकाँ रेलगाड़ीसँ प्रारंभ भऽ समस्‍तीपुर आ दड़ि‍भंगाक बीच पटरीक मध्‍य झुलैत अछि‍। समस्‍तीपुरसँ मुक्‍तापुर होइत हायाधाट धरि‍ बाढ़ि‍क प्रकोपक मध्‍य प्रारंभ भेल कथामे रेल पटरीपर पानि‍ आबि‍ जयबाक कारण यात्री सबहक परेशानी कथा मूल बि‍म्‍ब थि‍क। बि‍म्‍ब कोनो वि‍शेष अर्थक नै मुदा शि‍ल्‍प जोरगर तँए कथा कि‍छु हद धरि‍ रोचक भऽ गेल।



प्राय: मैथि‍ली कथाकारक संग समस्‍या रहल जे कथा लि‍खबाक उद्देश्‍य बहुत ठाम स्‍पष्‍ट नै होइत अछि‍। राजकमलक अपराजि‍ता सेहो इएह प्रकारक कथा मानल जाए। हमरा सबहक समाजक नकारात्‍मक स्‍वरूपकेँ ऐ कथामे नांगट तँ खूब नीक जकाँ कएल गेल मुदा की मात्र नांगट कएने समस्‍याक नि‍दान संभव छैक?

ऐ कथामे तँ ई प्रमाणि‍त होइत छैक जे साहि‍त्‍य समाजक दर्पण मुदा भांगल दर्पणमे कांति‍ देखलासँ कांति‍ सेहो स्‍पष्‍टत: नै देखाएत आ आँखि‍पर असर पड़ब सेहो अवश्‍यांभावी तँ कथाकार पाठककेँ ऐ कथासँ पूर्णत: प्रभावि‍त कएलनि‍ ई कहब सर्वथा अनुचि‍त।



“फुलपरास वाली” कथा नारी प्रधान कथा थि‍क जकर नायि‍का छथि‍। वि‍लट भाय पटनामे रहि‍ रि‍क्‍शा  चलबैत छथि‍न्‍ह। एकटा पंडि‍तक पुत्र भऽ रि‍क्‍शा हाँकब कथाकारक अर्द्धांगि‍नी शशि‍केँ नीक नै लगैत छन्‍हि‍। शारीरि‍क श्रमक अभ्‍यास नै रहलासँ जीवन दुष्‍कर भ’ जाइछ छै। शशि‍केँ ऐसँ बेसी खटकैत छन्‍हि‍ जे वि‍लट भाय हुनक भैंसुर छथि‍। पंडि‍त चन्‍द्रकांत झा वेदान्‍तक पुत्र वि‍लट झा रि‍क्‍शा चएलबाक कर्मकेँ अनुचि‍त नै मानैत छथि‍। मनुक्‍ख कर्मशील भऽ अपन पेट पोसए तँ कोनो हर्ज नै। पैतृक ठाठ-बाठक घंटी डोलेलासँ पेट तँ नै भरि‍ सकैत अछि‍। श्रमजीवी श्रमसँ पेट भरि‍ सकैत अछि‍ मुदा जौं शरीर अस्‍वस्‍थ भऽ जाए तँ जीवन चलाएब नि‍तांत असहज भऽ जाइत छैक।



वि‍लट भाइ बेमार पड़ि‍ जाइत छथि‍ जि‍नका देखबाक लेल कनि‍याँ अर्थात् फुलपरास वाली पटना अबैत छथि‍। वि‍लट भाइक ज्‍वर तँ शांत भऽ जाइत छन्‍हि‍ मुदा एकटा ज्‍वार बढ़ि‍ गेलनि‍ ओ थि‍क सुरा पान। कहि‍यो पीबि‍ कऽ नाली खसैत छथि‍ तँ कहि‍यो घर आबि‍ गुड़कैत छथि‍। कथाकार अर्थात मणि‍ बाबू आ हुनक कनि‍याँ शशि‍केँ ई सभ बड़ अनसोहाँत लगलनि‍। बि‍लट कर्मोपदेश दैत छलाह जे कोनो काज कऽ कऽ जीवन यापान करब अनुचि‍त नै। मुदा आब ताड़ी-दारूपर उतरि‍ गेल छथि‍। एतबे नै एक दि‍न अपन संग फुलपरास वालीकेँ सि‍नेमा देखबए लऽ जाइत छथि‍ जइठाम मीनाक्षी अर्थात् फुलपरासवालीक हाथ वि‍लट भाइक एकटा लुच्‍चा मि‍ऋ पकड़ि‍ लैत अछि‍।



बादमे बि‍लट अपन अधलाह कर्मपर प्रयश्चि‍त सेहो करैत छथि‍। ऐ बीच कथाकार कथानककेँ थोड़े मोरि‍ दैत छथि‍। फुलपरास वाली जे मणि‍ बाबूक भौजी थि‍कीह ति‍नकासँ प्रेम करबाक नाटक। अश्चर्य मानल जाए जे नारी वि‍मर्शमे राजकमलक लेखनी कतए धरि‍ भसि‍या जाइत छन्‍हि‍। ओना देओर अर्थात् मणि‍बाबू मीनाक्षीकेँ अपन पि‍यासक शि‍कार नै बना सकलनि‍। कि‍एक तँ पति‍क देल पीड़ासँ मैथि‍ल नारी आत्‍मासँ कानि‍ तँ सकैत अछि‍ मुदा अपन पति‍केँ छोड़ि‍ अान पुरुषकेँ अपन सर्वस्‍व न्‍योछावर करबाक कल्‍पनो नै करत। एेठाम कथाकारक दृष्‍टि‍कोण साफ आ समाजक लेल आदर्श मानल जाए। जौं दोसर अर्थमे सोचल जाए तँ वि‍जय कुकर्मी पुरुषेकेँ भेल। अपने कोनो कर्म करब, पथभ्रष्‍ट भऽ जाएब मुदा जीवन संगि‍नी सदि‍खन संग देत, संभवत: यएह कारण थि‍क जे पुरुष कोनो हद धरि‍ खसि‍ जएबामे संकोच नै करैत अछि‍ आ तथापि‍ ओकरा वि‍श्वास रहैत छैक जे गृहि‍णी कदापि‍ नै वि‍मुख हएत।



वि‍हनि‍ कथाक वि‍कासमे राजकमलक सेहो कि‍छु योगदान छन्‍हि‍। “कि‍रतनि‍याँ” सर्वकालि‍क वि‍हनि‍ कथामे अपन वि‍शेष महत रखैत अछि‍। एकर कारण जे राजकमल ऐ कथाक माध्‍यमसँ पहि‍लुक बेर मि‍थि‍लांक ब्राह्मण समाजसँ इतर भऽ कथा लि‍खैत छथि‍। कि‍रतनि‍याँ कोनो भजन संकीर्तण मण्‍डलीक सदस्‍य नै एकटा भि‍खमंगनी बालि‍का अछि‍। जौं सवल परि‍वारमे जनमलि‍ रहैत तँ उमेर पढ़ब लि‍खब आ नेनपनक भभटपन करबाक छल। मुदा गरीबक कोन शेखी। माए-बाप कहि‍या जहान छोड़ि‍ देलक पता नै। 80-90 वर्षक बुढ़ि‍या मइयाँक संग भीख मंगैत अछि‍। पूस मासक जाड़मे बुढ़ि‍या लटुआ कऽ खसि‍ पड़ल। ऐ घटनाक तीन दर्शक नांगड़ा, झपसुआ आ भि‍खमंगाक मेट चन्नरदास छल। नेंगरा कोनो नामकरण संस्‍कारसँ देल नाओं नै। नांगड़ तँए नगड़ा ओना भि‍खमंगाक नामे की...? कथाकारक दर्शन नीक लगैत अछि‍। झपसुआ नामधारी जीव आ चन्नरदास दि‍नमे नि‍पट्ट अन्‍हारक भूमि‍कामे भीख मंगैत अछि‍ आ राति‍मे अपन वास्‍तवि‍क रूपमे। कथाकार ऐ प्रसंगसँ प्रमाणि‍त करबामे सफल होइत छथि‍ जे जीवनक मंच आ रंगमंचमे भि‍न्नता छैक। बुढ़ि‍या मरि‍ गेल ओकर लहास लग बैसि‍ कि‍रतनि‍आँ चन्नरदास संग भीख मांगि‍ लहास जरेबाक लेल नाटकीय क्रीड़ा करैत अछि‍। भीखक कैंचा गनि‍-गनि‍ सवा तीन टका पूरा कएल गेल, मुदा लहास नै जराओल जाएत। कि‍रतनि‍आँ बाजलि‍- “एह! तीन टकामे हम दुनू आठ दि‍न ताड़ी पी लेब।”

चन्नरदास अपन उद्देश्‍यमे सफल होइत अछि‍। ओकर उद्देश्‍य छल बाल जीवनसँ युवती बनलि‍ कि‍रतनि‍याँक शारीरि‍क दोहन। आब कि‍रतनि‍आँ सेहो नि‍डर भऽ गेली। स्‍वाभावि‍क छैक जखन नारी कलंकि‍ता बनि‍ जाइत अछि‍ तँ ि‍नर्लज्‍ज होएब नि‍श्चि‍त भऽ जाइछ। कथाक गति‍मे गेलासँ ई प्रमाणि‍त होइत छैक जे ऐ तरहक स्‍थि‍ति‍क लेल दोषी ई पुरुष प्रधान समाज रहल। बि‍म्‍ब आ शि‍ल्‍प दुनूमे ई कथा राजकमलक सर्वश्रेष्‍ठ कथामे सँ एकटा मानल जाए। सबल पक्ष ई जे कथा समाजक सभसँ अंति‍म वर्गक जीवन शैलीक कथा थि‍क। एकटा आन वि‍हनि‍ कथा पनि‍डुब्‍वी सेहो राजकमलक श्रेष्‍ठ कथामे स्‍थान रखैत अछि‍। हि‍नक अधि‍कांश कथा ब्राह्मण-परि‍वार विषयमूलक अछि‍ मुदा एकटा कथा “मलाहक टोल : एक चि‍त्र” समाजमे पि‍छड़ल वर्गक नारीकेँ केन्‍द्रि‍त कऽ कऽ लि‍खल गेल तीन नायि‍का पि‍रि‍ति‍आ कमली आ केतकीक कथा ि‍थक। एे कथामे राजकमल मूलत: नारी वि‍मर्शकेँ बि‍म्‍बि‍त कएलनि‍ मुदा ऐठाम ई अवश्‍य प्रमाणि‍त भऽ गेल जे समाजक कात लागल वर्गक नारीमे साहस, चेतना आ दृढ़ नि‍श्चय समाजक अधि‍ष्‍ठाता वर्गक नारीसँ बेशी अछि‍। तँए ऐ वर्गक नारी अपन इच्‍छानुसार अधोगति‍केँ प्राप्‍त तँ कऽ सकैत अछि‍ मुदा ओकरा संग कि‍यो जबरदस्‍ती नै कऽ सकैछ। जौं कि‍यो करबाक प्रयास करत तँ “कैतकी” जकाँ समाजक कात लागल र्वगक नारी रूद्रा बनि‍ ति‍रपि‍त मि‍सर सन चरि‍त्र हीन व्‍यक्‍ति‍क हत्‍या तक कऽ सकैत अछि‍। ऐ प्रकारक घटना समाजमे होइत रहल तँए राजकमल जीक प्रयास ऐठाम उचि‍त मानल जाए।



प्रयोगकेँ बादक धरातलपर आनैबला राजकमल मैथि‍ली साहि‍त्‍यमे कथाकेँ वि‍शेष स्‍थान दि‍औलन्हि‍। हरि‍मोहन आ ललि‍त जकाँ हि‍नक कथा पाठकमे प्रि‍य अछि‍। जौं अल्‍पायु (मात्र 39 बर्ख) मे कालकलवि‍त नै भेल होइत अछि‍‍ तँ भऽ सकैत छल जे आगाँ आर परि‍पक्‍व भऽ कथा जगतमे प्रवेश करि‍तथि‍। मुदा हि‍नक कथाक सभसँ पैघ कमी रहल नारी सौन्‍दर्य आ अनैति‍क संबंधकेँ मूल बना कऽ कि‍छु कथा लि‍खि‍ साहि‍त्‍यमे अनैति‍क संबंधकेँ बलशाली बनेबाक प्रयास कएलनि‍। ओना ऐ तरहक घटना समाजमे होइत रहल अछि‍ मुदा सत्‍यकेँ नांगट कऽ कऽ छोड़ि‍ देलासँ साहि‍त्‍य सबल नै भऽ सकैछ। दोसर कि‍छु कथाकेँ जौं छोड़ि‍ देल जाए तँ कथाकार स्‍वयं फूलबाबू बनि‍ कथा नायक बनल छथि‍ मुदा सोचमे पारदर्शी नै। राजकमलकेँ सम्‍पूर्ण कथाकार तँ नै मानल जा सकैछ मुदा “शि‍ल्‍पी”क रूपमे मैथि‍ली कथा जगतक वि‍शि‍ष्‍ट कथाकार तँ अवश्‍य छथि‍।