Pages

Saturday, April 7, 2012

ज्‍योति‍ सुनीत चौधरीक अर्चिस पर शिव कुमार झा ’टिल्लू’


समीक्षा (अर्चिस)
वर्तमान मैथि‍लीक कवि‍ताकेँ तरूण कवि‍ आ कवयि‍त्रीक पदार्पणसँ नव गति‍ भेटि‍ रहल अछि‍। एहि‍ नवतुरि‍या मुदा वि‍षए-वस्‍तुक दृष्‍टि‍कोणसँ सजल रचना सबहक रचनाकारक वर्गमे एकटा प्रवासी मैथि‍लीक कवयि‍त्री छथि‍- श्रीमती ज्‍योति‍ सुनीत चौधरी।
“अर्चिस‍” ज्‍योति‍ जीक प्रथम संकलि‍त कवि‍ता संग्रह थि‍क। एहि‍ पोथीमे ३७ गोट कवि‍ता संग्रहि‍त अछि‍। ज्‍योति‍ जी कतेक दि‍नसँ रचना करैत छथि‍, ई तँ नहि‍ बुझल अछि‍ मुदा वि‍देहक पदार्पणक कि‍छुए अंकसँ हि‍नक रचना प्रकाशि‍त हुअए लगल।
अर्चिसक अर्थ तत्‍सममे अग्‍नि‍ आ तद्भवमे आग, अनल आदि‍ मानल जाइत अछि‍ मुदा मैथि‍लीमे आगि‍, अंगोर आ लुत्ती सेहो कहल जा सकैछ। एहि‍ पोथीक शीर्षक मात्र कवयि‍त्रीक भावनापर आधारि‍त अछि‍, कवि‍ताक भावसँ एहि‍ शीर्षकक कोनो संबंध नहि‍। पहि‍ल कवि‍ता “हाइकू‍” प्रकृति‍ वर्णन, श्रृंगार, वि‍चार मूल आ वि‍रहक मि‍श्रि‍त चि‍त्रांकन करैछ। हाइकू पहि‍ने मैथि‍लीमे क्षणि‍का नाओसँ लि‍खल जाइत छल, मुदा ज्‍योति‍ जी एकर वास्‍तवि‍क रूपक चि‍त्रण कएलनि‍ अछि‍। सम्‍पूर्ण कवि‍तामे अर्न्‍तद्वन्‍द्व आ प्रसन्नताक भीड़क मध्‍य व्‍यथा-टीशक अंतरंग हृदयक प्रवाहमयी प्रस्‍तुति‍..... मनोरम लागल।
एकटा हेराएल सखीमे कवयि‍त्री कवि‍ताक नायि‍काकेँ अपन सखी माि‍न ओकरा सि‍नेहीसँ भेटल पीड़ाक उद्वोधन कऽ रहल छथि‍। नारी मोनमे अश्रुउच्‍छवासक संग-संग समर्पण सेहो रहैत अछि‍। ओना तँ आर्य ग्रन्‍थमे “त्रि‍या चरि‍त्र‍: पुरूषस्‍य भाग्‍यम् देवो न जानाति‍ कुतो मनुष्‍य:” लि‍खल गेल अछि‍, मुदा एकरा हम उचि‍त नहि‍ मानैत छी। आर्यावर्तक नारीक मोन वि‍ह्वलआ भावुक होइत अछि‍ तेँ भावनात्‍मक छलक शि‍कार शीघ्र भऽ जएवाक संभावना देखल जा सकैछ। पुरूष प्रधान समाजमे दोस नारीपर देल जाइत अछि‍ मुदा पुरूषक चरि‍त्रहीनताक नाओ की देल जाए? जीवन भरि‍ एक पुरूषक प्रति‍ समर्पणकेँ केन्‍द्र वि‍न्‍दु बना कऽ कवयि‍त्री दुखि‍त छथि‍ अपन सखीक नि‍श्‍छल समर्पणसँ। ई कवि‍ता सदेह ३ मे कल्‍पना शरणक रचनाक रूपमे प्रकाशि‍त भेल अछि‍। नहि‍ जानि‍ बेरि‍-बेि‍र नाओ बदलि‍ कऽ लि‍खवाक परम्‍परा कहि‍या धरि‍ चलत। छद्म नाअोक नि‍र्णक एकवेरि‍मे कऽ लेवाक चाही, नहि‍ तँ रचनाकारक वि‍लगि‍त मानसि‍कताक बोध होइत अछि‍।
वर्तमान महि‍ला वर्गमे नौकरी करवाक इच्‍छा शक्‍ति‍ प्रवल भऽ रहल अछि‍। स्‍वभावि‍के अछि‍ जीवनक दोसर पहि‍या तँ नारी छथि‍। सृजन आ सृष्‍टि‍क रूपमे पहि‍ल पहि‍या सेहो कहि‍ सकैत छी। परंच युवा महि‍ला वर्गक प्रवृति‍ चंचल होइत अछि‍। एहि‍ अल्हड़पनमे अपन कर्मगति‍केँ सेहो चंचल बनएवाक प्रयास कऽ रहल छथि‍ कवयि‍त्री अपन कवि‍ता “एकरा नौकरी चाही‍”मे। कार्यालयक सभटा काज हि‍नके मोनक होएवाक चाही। काज कम मुदा कैंचा वेसी चाहैत छथि‍। बॉसकेँ आन्‍हर आ वहि‍र होएवाक कामनामे हास्‍यक दर्शन होइत अछि‍। भऽ सकैत अछि‍ हि‍नक एहेन दृष्‍टि‍कोण मात्र कवि‍तेटा मे हुअए।
“पनि‍भरनी‍” कवि‍ता पढ़ि‍ हमर मॉथ सुन्न भऽ गेल, अकचका गेलहुँ। जाहि‍ नारीक बाल काल जमशेदपुरमे बीतल हुअए, आब लंदनमे रहैत छथि‍ हुनकासँ एहेन शब्‍दक आश कोना कएल जा सकैत अछि‍? गामोमे आब घैल आ इनारक रूप मृतपाय भऽ गेल अि‍छ। एकटा गरीव अवला पनि‍भरनीक प्रति‍ आसक्‍ति‍सँ कवि‍ता ओत प्रोत अछि‍। वि‍षय वस्‍तु आ दृष्‍टि‍कोण समंजन खूब नीक लागल। अपन जाति‍क प्रति‍ सि‍नेहक मर्मस्‍पर्शी चि‍त्रण भऽ सकैत अि‍छ जे एहि‍ प्रकारक व्‍यस्‍थाक वर्णन अपन परि‍वारक बूढ़-पुरानसँ ज्‍योति‍ जी सुनने हेती।
दीपमे ज्‍योति‍ पसरवाक शक्‍ति‍ होइत अछि‍ मुदा तरमे तँ अन्‍हार रहैछ। स्‍वाभावि‍क अछि‍ जे जहानमे आनंद देवामे सक्षम होइछ ओकर अपन जीवन व्‍यथि‍त भऽ जाइत अछि‍। एहि‍ प्रकारक दर्शन भेल “शीतल बसात” कवि‍तामे। वृक्ष दोसरकेँ शीतलता दैत अछि‍ परंच ओकर पात भूखण्‍डपर खसि‍ते अस्‍ति‍त्‍व वि‍हीन भऽ जाइत अछि‍। पतझड़ि‍क बाद वसन्‍त, फेरि‍ पतझड़ संगहि‍ रौद क्षणहि‍मे छॉह ई तँ प्रकृति‍क लीला अछि‍। मि‍थि‍लाक भूखण्‍डमे आमक गाछी बूढ़ पुरानक संग-संग बाल बोधक लेल गरमीक पि‍कनि‍क केन्‍द्र होइत अछि‍। भोज कोनो छप्‍पन प्रकारक भोज्‍य पदार्थक नहि‍, टि‍कुला आ झक्‍काक भोज। गरमी छुट्टीमे गामक प्रवासक ज्‍योति‍ जीक अनुभव नीक बुझना जाइत अछि‍।
“एकटा भीजल बगरा‍” कवि‍ता पढ़ि‍ हि‍न्‍दी साहि‍त्‍यक महान लेखि‍का महादेवी वर्मा जीक लि‍खल “गि‍ल्‍लू‍” कथा मोन पड़ि‍ गेल। ओहि‍ कथामे वर्माजी एकटा लुक्‍खीक पीड़ाक वर्णन करैत ओकरा आत्‍मसात कऽ लैत छथि‍, तहि‍ना ज्‍योति‍ जी एकटा चि‍ड़ैक प्रति‍ सि‍नेहक जे भाव देखा रहल छथि‍ ओ “सर्वे भवन्‍तु सुखि‍त:‍” सि‍द्धान्‍तक द्योतक बुझना गेल। “हम एकटा मध्‍य वर्गक वालक‍” वाल साहि‍त्‍यपर आधारि‍त कवि‍ता अछि‍। वाल मनोवि‍ज्ञानक संग एकरा वाल गृहवि‍ज्ञान सेहो मानल जा सकैत अछि‍, मुदा एहि‍ कवि‍तामे प्रवाहक अभाव देखए मे आएल। शब्‍दकेँ तुकांत वनएवाक क्रममे मूल भावक प्रति‍ अनाकर्षक देखए मे आबि‍ रहल अछि‍। “टाइम मशीन‍” कवि‍तामे आर्य भूमि‍क दृष्‍टि‍कोण आ पाश्‍चात्‍य देशक व्‍यवस्‍थासँ तुलना नीक लागल। वि‍लासि‍ताक प्रति‍ हमरा सबहक समर्पण परतंत्रताक रूपमे परि‍णति‍ भेल आ हम सभ सगरो क्षेत्रमे पंगु भऽ गेलहुँ। मि‍ठगर रौद, पहि‍ल फुहार आ वरसातक दृश्‍य कवि‍तामे प्रकृति‍ वर्णन सामान्‍य रूपसँ कएल गेल अछि‍। एहि‍ प्रकारक कवि‍तासँ हमर साहि‍त्‍य ओत-प्रोत अछि‍। एहि‍ प्रसंगमे कि‍छु नव नहि‍ देखए मे अाएल। जीवन सोपानमे जीवनक क्रमि‍क गति‍क छंदसँ भरल प्रस्‍तुति‍ सेहंति‍त अछि‍। “प्रतीक्षासँ परि‍णाम धरि‍‍” जीवन-दर्शनपर आधारि‍त ज्‍योति‍ जीक सोहनगरक कवि‍ता अछि‍। हमरा बुझने ई कवि‍ता एहि‍ पोथीक सभसँ वि‍लक्षण अध्‍याय थि‍क। श्रीमद्भगवतगीता आ शेष महाभारतक आधारपर कृष्‍ण चरि‍तक वर्णनसँ कवयि‍त्रीकेँ सि‍द्धहस्‍त मानल जा सकैछ। द्वापरसँ कलि‍मे प्रवेश नि‍श्‍चि‍त रूपेँ कवयि‍त्रीक वि‍स्‍तृत अध्‍ययन आ अनुशीलनक छाया देखा रहल अछि‍।
“इन्‍टर नेट स्‍वयंवर‍” वि‍याहक नव रूपक चि‍त्रण कऽ रहल अछि‍। वैदि‍क कालमे आठ प्रकारक पाणि‍ग्रहण व्‍यवस्‍था छल। वर्तमान समएमे इंटरनेट चैटि‍ंगसँ वि‍याह करवाक प्रणालीमे ठक व्‍यवस्‍था अछि‍ तेँ कवयि‍त्री जकरा वि‍नु देखने प्रेम करवाक नाटक कएलनि‍ ओ पुरूष नहि‍ स्‍त्री अछि‍। क्षि‍ति‍जक साक्षात दर्शनमे प्रवाहक पयोधि‍ गति‍शील अछि‍ मुदा रचनामे तारतम्‍यक अभाव देखि‍ रहल छी। हि‍म आवरि‍त आ मेघाच्‍छादि‍त सन शब्‍द तँ नि‍योजि‍त अछि‍ मुदा जखन हमरा सबहक भाषामे शब्‍द वि‍न्‍यासक अभाव नहि‍ तखन एहेन तद्भवक चयन करव नीक नहि‍ लागि‍ रहल अछि‍। जौं एहि‍ कवि‍तामे देसि‍ल वयनाक मूल शब्‍दक प्रयोग करि‍तथि‍ तँ कवि‍ताक रूप वेसी नीक जएवाक भऽ संभावना छल।
महावतक हाथी, वि‍द्या धन, वर्फ ओढ़ने वातावरण आ गामक सूर्यास्‍त कवि‍ता तँ नीक अछि‍ मुदा एकर वि‍म्‍व कोनो नव नहि‍ सभटा वएह पुरना कवि‍क रचना सबहक रूप देखए मे आएल मुदा दृष्‍टि‍कोण हि‍नक अपन अछि‍, ककरो रचनाक नकल नहि‍ कएने छथि‍। वि‍शाल समुद्रमे जलोधिक‍ छोट मुदा प्रासंगि‍क प्रस्‍तुि‍त नीक लागल। आधुनि‍क जीवन दर्शन कवि‍ताक वि‍म्‍व तँ नीक लागल मुदा वि‍वेचन पक्ष दुर्वल भुझना गेल। मनुष्‍य आ ओकर भावनामे जीवनक वर्तमान रूपक अन्‍वेषण उद्धेश्‍यपूर्ण अछि‍। हम्‍मर गाम कवि‍तामे गामक जि‍नगीक जीत दर्शनीय अछि‍। वि‍कासमे मूल प्रकृति‍क रूपकेँ वैज्ञानि‍क दृष्‍टि‍सँ परि‍वर्तनक प्रयाससँ नि‍कलैत परि‍णामक वर्णन कएल गेल अछि‍। वालश्रम वर्तमान समाजमे कुष्‍टक रूप लऽ लेने अछि‍। साधनक अभावमे हम सभ नेनाक शैशव कालकेँ वि‍सरि‍ अवोधपर मानसि‍क आ शारीरि‍क अत्‍याचार करैत छी। मि‍थि‍लामे बाढ़ि‍क परि‍णाम आ प्रलयक रूप मेघक उत्‍पात आ वरखा तूँ कहि‍या जेवैं कवि‍तामे देखि‍ रहल छी। “‍ईशक अराधना” शीर्षक कवि‍तामे कर्म शक्‍ति‍क अवाहन कएल गेल अछि‍। एहि‍ कवि‍ताक वि‍म्‍व नीक, प्रवाह कलकल आ भाषा सरल अछि‍। एहि‍ प्रकारक शब्‍द वि‍न्‍यासक मैथि‍लीमे आवश्‍यकता अछि‍। “खरहाक भोज‍” शीर्षक कवि‍तामे आन जीवसँ मनुष्‍यक तुलना नीक लागल। वौद्धि‍क रूपसँ वि‍कसि‍त मानवकेँ कर्म आ धैर्यपर वि‍श्‍वास रखवाक चाही, आन जीवक जीवन-उद्धेश्‍य भोजन मात्र होइत अछि‍। कल्‍पना तखने साकार भऽ सकैत अछि‍ जखन शि‍क्षाक विकास हएत, एहि‍ प्रकार दृष्‍टि‍कोण कल्‍पना लोककेँ समृद्धि‍ दऽ सकैत अछि‍। कोशीक प्रकोप कवि‍ताक वि‍म्‍व वर्तमान कालक एकटा पैघ समस्‍याकेँ उद्घृत कऽ रहल अछि‍। “‍असल राज आ पतझड़क आगमन” कवि‍ताक वि‍षय वस्‍तु सामान्‍य मुदा नीक लागल। वृद्धक अभि‍लाषामे प्राकृति‍क संतुलनकेँ ध्‍यानमे राखि‍ नव पि‍रहीक लेल सृजनशीलताक क्रममे वृक्षारोपनपर वल देल गेल अछि‍।
“टेम्‍स धारमे नौका वि‍हार‍” कवयि‍त्रीक वास्‍तवि‍क जीवन रेखाक वि‍न्‍दु लंदनसँ अपन ठामक तुलनापर आधारि‍त अछि‍। टेम्‍सक धारमे नौका वि‍हार करऽ वालीकेँ अपन चनहा कोना मोन पड़ि‍ गेलनि‍, नि‍श्‍चय आन ठामक नीक व्‍यवस्‍था देखि‍ हमरा सभकेँ अपन पि‍छड़ल दशापर मर्म होइत अछि‍। कतहु-कतहु कि‍छु दुर्वल वि‍न्‍दु रहलाक वादो एहि‍ संग्रहकेँ खूब नीक मानल जा सकैत अछि‍। कवयि‍त्री कखनो द्वापर युगमे चलि‍ जाइत छथि‍ तँ कखनो चैटि‍ंग वि‍याहक अनुसंधानक आधुनि‍क युगमे। समग्र कवि‍ता संग्रहमे कि‍छु स्‍थानकेँ छोड़ि‍ वि‍षय वस्‍तु चयन नीक लागल। वर्तमान युगक नवतुरि‍या पि‍रहीसँ एतेक आश नहि‍ छल। नि‍श्‍चय ज्‍योति‍ जी धन्‍यवादक पात्र छथि‍।
शेष...अशेष
पोथीक नाम- अर्चिस
रचयि‍ता- श्रीमती ज्‍योति‍ सुनीत चौधरी

No comments:

Post a Comment